किशनगंज मे बाढ़ि...
बिहार त ओना सूखा सं कराहि रहल अछि... मुदा नेपाल तरफ होए वाला जोरगर पानि सं बिहार के कइटा इलाका मे बाढ़ि जकां हाल भs गेल अछि. नेपाले सं आएल पानि सं सीतामढ़ी- मुजफ्फरपुर मे बाढ़ि आएल...दरभंगा आओर कोसी के इलाका मे कइटा गाम मे पानि घुसल. आब एक बेर फेर नेपाल के पानि के कहर बिहार पर टूटल अछि. नेपाल के कनकई नदी पर बनल एकटा बांध के टूटय के कारण किशनगंज के कइटा गाम डूबि गेल अछि.
लोक के संग माल-मवेशी सभ पानि मे घिर गेल अछि. ओना सरकार के तरफ सं राहत-बचाव के काज भs रहल अछि. मुदा ओ केहन होएत अछि से अहां सभ जाएनते छी. लोक परेशान अछि. खाय-पिबय के संकट बनि गेल अछि. आओर नेपाल दिस दिन-राति पानि होए के कारण जलस्तर बढ़िए रहल अछि.
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
Comments
Post a Comment