मिथिला पेंटिंग कार्यशाला ...

मधुबनी मे मिथिला पेंटिंग पर पांच दिनक एकटा कार्यशाला भs रहल अछि. कार्यशाला के आयोजन बिहार सरकार के कला आओर संस्कृति विभाग के ओर सं कएल गेल अछि. कार्यशाला वृहस्पति दिन तक चलत. कार्यशाला मे 17 टा कलाकार भाग लs रहल छथिन्ह. कार्यशाला मे भाग लेबय वाला कलाकार सभ सं कहल गेल जे मिथिला पेंटिंग के दुनिया भर मे अपन एकटा अलग पहचान अछि. मुदा आई-काल्हि कला के दुनिया मे कंपीटीशन बढ़ि गेल अछि एहि लेल मिथिला पेंटिग के बेहतर बनाबए लेल जतेक भs सकय नव-नव प्रयोग कएल जाए.
विभाग के तरफ सं कहल गेल जे मिथिला मे सरकार...विभाग कई तरहक कार्यक्रम कराबय चाहैत अछि...एहि क्रम मे सरिसव पाही मे खेलकूद आओर युवा महोत्सव कराबए जा रहल अछि. एकरे संग मधुबनी मे मिथिला महोत्सव कराबय पर विचार भs रहल अछि. एहि कार्यशाला के उद्घाटन के मौका पर महासुंदरी देवी... गोदावरी देवी... मधुबनी के सांसद हुकुमदेव नारायण यादव... कला व संस्कृति सचिव विवेक सिंह आओर जिला के डीएम पंकज कुमार सेहो मौजूद छलखिन्ह.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

आईबीएम मे जॉब... पाठकक पत्र

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

हमर विआह-9