खबर अछि जे पूर्णिया मे एकटा जूट पार्क बनाबय के तैयारी चलि रहल अछि. पार्क के लेल जमीन के व्यवस्था भs गेल अछि. बिहार सरकार के तरफ सं एकरा लेल 150 करोड़ रुपया के मंजूरी सेहो मिल चुकल अछि. सरकार के कोशिश जूट उद्योग के बढ़ावा देबय के अछि. एहि ठाम जूट के विकास... बढ़ावा देबय आओर रोजगार सं जोड़य के बारे मे जानकारी सेहो देल जाएत. जूट सं आओर कि सभ कएल जा सकैत अछि ओहि पर सेहो विचार कएल जा सकत. जूट आब फैशन के रूप मे सेहो मान्य भेल जा रहल अछि. पॉलीथीन पर प्रतिबंध के बाद जूट के दिन एक बेर फेर सं फिरय के उम्मीद बंधल अछि.
बहुत नीक समाचार अछि ई. आभार.
जवाब देंहटाएंbahut bahut dhanyawad
जवाब देंहटाएं