Skip to main content

मरीज भेल परेशान

दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल मे हड़ताल के कारण मरीज सभ परेशान छथिन्ह.  एहि ठाम के जूनियर डॉक्टर सभ पाई बढ़ाबय के लेल हड़ताल कएने छथिन्ह.  डॉक्टर सभ के हड़ताल के कारण कोनो मरीज के इलाज नहि भs रहल छनि.  अस्पताल मे मरीज के भीड़ लागल अछि. डॉक्टर साहेब अइबो करय छथिन्ह मुदा मरीज के देखय नहि छथिन्ह.  डॉक्टर साहेब पेशेंट के देखते मुंह फेर लैत छथिन्ह.  डॉक्टर सभ के एहन व्यवहार सं पेशेंट के दुख आओर बढ़ि जा रहल छनि.  लोक केतबो दुख सं परेशान रहय छथिन्ह. डॉक्टर सभ सं मिलला के बाद हुनका लगय छनि जे आब नीक भs जाएब. मुदा आब त डॉक्टर के पास अएलो पर जीबय के कोनो गांरटी नहि.  आई काल्हि के डॉक्टर एतेक ह्रदय के कठोर भs गेल छथिन्ह जे बिना पाई के किछ नहि करय छथिन्ह.  आब ओ जमाना गेल जखन लोक... डॉक्टर मानवता... सेवा भावना सं... परोककार के भावना सं मरीज के देखय छथिन्ह.  आब त सय टाका फीस मे दस टका कम रहत त धकिया कs भगा देताह.  सभ किछ पाई के भs गेल अछि.
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार... स्वास्थ्य मंत्री नंद किशोर जी सभ डॉक्टर सभसं आग्रह कएलखिन्ह जे ई समय हड़ताल के नहि अछि.  अहां सभ काज पर वापस आबि जाउ. अखन बाढ़ि आओर सूखा के ल s क लोक ओहिना परेशान छथिन्ह. एहन मे हुनकर सभ के कष्ट के आओर नहि बढ़बिऔन्ह. मुदा सिर्फ पाइ के चिन्हय वाला डॉक्टर साहेब सभ किएक एहि पर ध्यान देथिन्ह. मरीज मरि रहय अछि.  मुदा हुनका कि लोक त रोज मरैत अछि.  ओना मांग मानल गेलाह पर आई नहि काल्हि सभ डॉक्टर काज पर वापस अइबे करताह... मुदा एहि बीच मे जे लोक के परेशानी होएत... कतेक लोक इलाज के अभाव मे दम तोड़ि देताह ओकर भरपाई केना होएत.  ई सभ सोचय के बात अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

  1. kaliyug chhai bhaai ki karbai.
    Suman Jha, Darbhanga

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...