सूखाग्रस्त इलाका मे बाढ़ि

बिहार के सूखाग्रस्त घोषित 26टा जिला मे से एक अछि सीतामढ़ी.  किछ दिन पहिने एहिठाम एकटा तटबंध टूटला सं बाढ़ि आबि गेल छल.  कइटा गाम पानि मे डूबि गेल छल.  मुख्यमंत्री नीतीश कुमार दौरा सेहो कएने छलखिन्ह.  हजारों लोक के बांध पर शरण लेबे पड़ल छलन्हि.  ओहने हालत जिला मे एक बेर फेर सं भs गेल अछि.  नेपाल मे एकटा बांध टूटला सं सूरसंड मे फेर बाढ़ि आबि गेल अछि.  राष्ट्रीय राजमार्ग पर डाड़ भरि पानि अछि.  कइटा गाम मे पानि घुसि गेल अछि.  लोक सभ परेशान छथिन्ह. जिला मुख्यालय अनाय-जनाय सेहो मुश्किल भ गेल अछि.  लोक सभ राहत के इंतजार करि रहल छथिन्ह.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

आईबीएम मे जॉब... पाठकक पत्र

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

हमर विआह-9