बिहार मे आब विकलांग आओर विधवा के 200 रुपया के पेंशन मिलत. अखन धरि सभ विकलांग आओर विधवा के मासिक पेंशन नहि मिलैत छल. किछ न किछ लोचा छल... जकर कारण एकर फायदा सभ विकलांग आओर विधवा के नहि मिलि पाबैत छल. उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी के कहनाय छनि सरकार पहिले सं जारी योजना मे संशोधन करि एकरा सभ विकलांग आओर विधवा के लेल करि देलक अछि. एहि सं आब 40 प्रतिशत विकलांगता वाला लोक के हर महीना 200 रुपया मिलतन्हि. पहिले ई पेंशन 2500 रुपया सं कम मासिक आय वाला विकलांग के मिलैत छल. विधवा पेंशन पहिने 40 सं 64 साल के महिला के मिलैत छल... मुदा आब 18 साल सं ऊपर के सभ विधवा महिला के मिलत जिनकर मासिक आय 5 हजार सं कम छनि. पहिने मासिक आय के सीमा ढाई हजार रुपया छल.
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
Sarkar ke neek kadam achhi. saadhuwad.
ReplyDeleteRam Pravesh, NOida
dhanyawad vichaar raakhai lel
ReplyDelete