एकटा नवका सर्वे आएल अ. ई सर्वे चिंताक बात छै. सर्वे में कहल गेल छै जे बिहार में सय टा में से पचहत्तर टा टीचर... मास्टर साहेब कोनो न कोनो रूपे तम्बाकू के सेवन करय छथिन्ह. ई तs चौंकाबय वाला खबर छैबे छै जे जिनका ऊपर ई जिम्मेदारी छनि जे ओ बच्चा... नुनु सभ में नीक संस्कार देथिन्ह... नीक- नीक गप्प सीखयथिन्ह ओ खुद एकर सेवन कय रहल छथिन्ह. ओना बिहार में कई ठाम एकरा खराब नहिं मानल जाय छै. कई घर में मर्द-जनानी सभ गोटे के खैनी... सुपारी... पान खाइत देखल जा सकय अ. महिला वर्ग में सेहो एकर खपत बढ़ल अछि. एकर शरीर पर बड़ खराब असर पड़य छै. गर्भवती महिला के लेल तs ई आओर खतरनाक छै. देश में हर साल लाखों लोकक मौत तम्बाकू के सेवन सं होए छै. कइटा गाम में तs मास्टर साहेब विद्यार्थी सभ सं खैनी...चूना मंगाबय छथिन्ह आ पढाबय के संग- संग खैनी सेहो लगाबैत रहय छथिन्ह. कइटा विद्यार्थी सेहो खैनी के पुड़िया आ चुनौटी राख छथि. एकटा वाक्या तs हमरो संग भेल अछि. एक बेर कॉलेज में एकटा संगि खैनी लगाs कs एक जूमि हमरा तरफ बढ़ा कहलाह लिअ खाउ. हम हुनका कहलिन्ह हम नहिं खाय छी. तs हुनकर साफ कहनाय छलन्हि जे अखन ...
हेलो मिथिला - मिथिलाक गप मैथिली मे