नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सकरी हसनपुर रेल लाइन

सकरी हसनपुर खंड पर रेल लाइन बिछाबय के काज जोर शोर सं चलि रहल अछि. नवका लाइन बिछाबय के काज अंतिम चरण में अछि. उम्मीद कएल जा रहल अछि जे काज जुलाई तक पूरा भs जाएत. एहि रेलखंड पर सकरी सं बिरौल तक के काज त जून मास तक पूरा भs जाएत. पटरी बिछाबय के काज पूरा भs गेला के बाद मालगाड़ी चला ट्रैक के बैसाबय के काजय चलत. सकरी स हसनपुर के बीच के कुल दूरी 36 किलोमीटर अछि. ट्रैक नीक जकां बैस गेला के बाद सुरक्षा जांच आओर उच्च स्तरीय निरीक्षण भेला के बाद लोक के लेल खोलि देल जाएत. ई रेल लाइन बनला सं लोक सभ के बड़ सुविधा भs जाएत. अखन बरसाइत में बाढि अएला पर लोक सभ के बड़ कष्ट उठाबय पड़ैत छनि. एकर संगहि संग दरभंगा में एकटा आओर प्लेटफॉर्म बनाओल जाएत. दरभंगा जक्शन पर पांच नंबर प्लेटफॉर्म बनि गेलाह सं लोक के कष्ट किछ कम होएत आओर गाड़ि सभ चलाबय में सेहो सुविधा होएत.

2 टिप्‍पणियां:

  1. सकरी हसनपुर रूट नहि बुझना गेल. की ई रूट झंझारपुर और मधुबनी के अलावा कोनो तेसर रूट छैक?

    जवाब देंहटाएं
  2. हां ई रूट सकरी झंझारपुर आओर मधुबनी केअलावा तेसर रूट छै. ई बिरौल हसनपुर...कुशेश्वरस्थान...रोसड़ा.. .फारबिसगंज तरफ जाएत आगा लाइन बनला पर... अखन हसनपुर तक बनि रहल अछि.

    धन्यवाद
    हितेन्द्र कुमार गुप्ता

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु