सकरी हसनपुर खंड पर रेल लाइन बिछाबय के काज जोर शोर सं चलि रहल अछि. नवका लाइन बिछाबय के काज अंतिम चरण में अछि. उम्मीद कएल जा रहल अछि जे काज जुलाई तक पूरा भs जाएत. एहि रेलखंड पर सकरी सं बिरौल तक के काज त जून मास तक पूरा भs जाएत. पटरी बिछाबय के काज पूरा भs गेला के बाद मालगाड़ी चला ट्रैक के बैसाबय के काजय चलत. सकरी स हसनपुर के बीच के कुल दूरी 36 किलोमीटर अछि. ट्रैक नीक जकां बैस गेला के बाद सुरक्षा जांच आओर उच्च स्तरीय निरीक्षण भेला के बाद लोक के लेल खोलि देल जाएत. ई रेल लाइन बनला सं लोक सभ के बड़ सुविधा भs जाएत. अखन बरसाइत में बाढि अएला पर लोक सभ के बड़ कष्ट उठाबय पड़ैत छनि. एकर संगहि संग दरभंगा में एकटा आओर प्लेटफॉर्म बनाओल जाएत. दरभंगा जक्शन पर पांच नंबर प्लेटफॉर्म बनि गेलाह सं लोक के कष्ट किछ कम होएत आओर गाड़ि सभ चलाबय में सेहो सुविधा होएत.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
सकरी हसनपुर रूट नहि बुझना गेल. की ई रूट झंझारपुर और मधुबनी के अलावा कोनो तेसर रूट छैक?
ReplyDeleteहां ई रूट सकरी झंझारपुर आओर मधुबनी केअलावा तेसर रूट छै. ई बिरौल हसनपुर...कुशेश्वरस्थान...रोसड़ा.. .फारबिसगंज तरफ जाएत आगा लाइन बनला पर... अखन हसनपुर तक बनि रहल अछि.
ReplyDeleteधन्यवाद
हितेन्द्र कुमार गुप्ता