मैथिली सम्मेलन

पूर्णिया के ब्रजमोहन ठाकुर विधि महाविद्यालय में पिछला दिन सत्रहवां अंतर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलनक आयोजन कएल गेल. एहि सम्मेलन में देश भर सं आएल मैथिल विद्वान लोकनि मैथिली के दशा-दिशा पर चर्चा कएलाह. सम्मेलन में मैथिलीक वर्तमान स्थिति आओर विकासक लेल जरूरी कदम पर विचार- विमर्श कएल गेल. एहि अवसर पर अलग मिथिला राज्य के मांग सेहो दोहराएल गेल. सभ गोटे के कहनाय छलन्हि जे बिना अलग राज्य बनने एहि इलाका के विकास संभव नहिं अछि. एहि में मिथिलांचल के नेता लोकनि से आग्रह कएल गेल जे ओ पार्टी पॉलिटिक्स बिसरि मिथिलांचल के विकास पर ध्यान देथि. अगर ऐना भs गेल तs मिथिलांचल विकास के डगर पर दौड़य लागत. सम्मेलन में मैथिली गीत के कार्यक्रम सेहो भेल. विद्यापतिक गीत सं लोक सभ मंत्रमुग्ध भs गेलाह.

Comments

Popular posts from this blog

खत्म होएत गैस के किल्लत...

जेएमआईटी बनल डीईसी

हमर विआह- 8

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

विज्ञान सं रुझान कम किएक ?