उर्दू विश्वविद्यालयक शिक्षण केन्द्र

रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव दरभंगा के हायाघाट में मौलाना आजाद नेशनल उर्दू विश्वविद्यालय के तीनटा शिक्षण संस्थान के उद्घाटन करताह. उद्घाटन समारोह में केंद्रीय मानव संसाधन विकास राज्य मंत्री मो. अली अशरफ फातमी सेहो शामिल रहताह. ओना एहि संस्थान के दरभंगा लाबय के पूरा योगदान सांसद महोदय के छनि. अपन क्षेत्र के विकास के लेल ओ नीक काज कs रहला अ. हिनकर देखरेख में दरभंगा में कइटा काज भेल अ. एक जून के होय वाला एहि उद्घाटन समारोह के लेल हायाघाट प्रखंड के चंदनपट्टी गांव के इलियास अहमद नगर में जोर शोर सं तैयारी चलि रहल अछि.
इलियास अहमद नगर के 7 एकड़ में स्थित ... बीएड कॉलेज, आईटीआई आओर कामरान स्कूल तीनहुं शिक्षण संस्थान के मान्यता प्राप्त अछि. हैदराबाद के मौलाना आजाद केंद्रीय विश्वविद्यालय के ओर सं एहि शिक्षण संस्थान के संचालन भेनाय दरभंगा... हायाघाट के लेल गर्वक बात अछि. विश्वविद्यालय के एहि केंद्र के अधीन मधुबनी, समस्तीपुर, मुजफ्फरपुर, किशनगंज, अररिया, पूर्णियां, छपरा, सीवान समेत 21 जिला आबैत अछि .

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

केंद्र मे हारल बिहार...

हमर विआह- 8

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

पूर्णिया मे सुखोई

ट्विटर स्पेस: वर्तमान राजनीतिक अवस्था मे मिथिला के जनजीवन आ पंचायती राज व्यवस्था पर भेल चर्चा