नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा कारा में कम्प्यूटर

दरभंगा मंडल कारागार (जेल ) के कम्प्यूटर सं जोड़ल जा रहल अछि. एहि कम्प्यूटर के इंटरनेट से सेहो जोड़ल जाएत. असल में जेल के कम्प्यूटर सं जोड़य के मकसद राजधानी पटना सं राज्य केर सभ जेल पर नजर रखनाय छै. कम्प्यूटर सं जुड़ि गेलाह पर बड़का अफसर लोकनि पटना सं बैसल-बैसल सभटा लेखा जोखा लs लेताह. हुनका हर बात के लेल दरभंगा आ राज्य के दोसर जेल जयबाक जरूरत नहिं रहतन्हि. जेल के कर्मचारी सभ ठीक जकां एहि पर काज क s सकथिन्ह एहि लेल कम्प्यूटर ऑपरेटर हुनका सभ के कम्प्यूटर चलाबय के ट्रेनिंग सेहो देथिन्ह.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु