मधुबनी जिला में जल्दीए केन्द्रीय विद्यालय ( सेंट्र्ल स्कूल ) खुलत. अगर सभ किछ नीक रहल तs ई स्कूल एहि साल सं जिला के पंडौल में खुलि सकय अ. एहि लेल पटना सं केन्द्रीय विद्यालय संगठनक पदाधिकारीगण पंडौल आबि एहि ठामक औद्योगिक प्रागंण स्थित ग्लुकोज स्टार्च प्रशासनिक भवन के निरीक्षण सेहो कएलाह अ. उम्मीद छै जे स्कूल एहि ठाम खुलत. केंद्रीय विद्यालय संगठन के पदाधिकारीगण स्कूल के जगह सं खुश छथिन्ह आ हुनकर कहनाय छनि जे जहिआ हुनका ई जगह सौंप देल जाएत ओकरा महीना दिन के भीतर ओ पढ़ाई शुरू कs देथिन्ह. संगठन विद्यालय के लेल बड़ दिन सं अस्थायी भवन के मांग कs रहल छल. संगठनक पदाधिकारीगण मधुबनी के डीएम साहेब से सेहो मिलला. डीएम साहेब के कहनाय छनि जे जल्दीए जगह के लेल अनुमति दय देल जाएत. केंद्रीय मानव संसाधन विभाग के ओर से मधुबनी में केंद्रीय विद्यालय खोलय के अनुमति दु साल पहिने द देल गेल छल मुदा जगह...मकान नहिं मिलला के कारण ई शुरू नहिं भs सकल आब उम्मीद कएल जाय जे ई जल्दीए शुरू भs सकत.
श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...
बढ़िया खबरि अछि...
ReplyDelete