कटिहार जोगबनी रेलखंड पर बड़ी लाइन बनाबय के काज भs रहल अछि. काज अखन पूरा नहिं भेल अछि मुदा कई ठाम प्लेटफॉर्म धंसि गेल अछि त कई ठाम प्लेटफार्मक मकान में दरार पड़ि गेल अछि. फारबिसगंज प्लेटफ़ॉर्म बनतहिं धंसि गेल. अररिया स्टेशनक मकान में दरार पड़ि गेल तs पूर्णिया के प्लेटफॉर्मक सीढ़ी टूटि गेल. ओना एकर सभक मरम्मतक काज चलि रहल अछि मुदा निर्माण काज चलतहिं एकरा सभमें दरार पड़ला आ टूटला सं एकर गुणवता पर सवाल उठय लागल अछि. लोक सभ में सेहो गुस्सा छै. फारबिसगंज में तs रेलवे अधिकारी के घेराव सेहो कएल गेल. मिथिला के एहि इलाका के विकास के लेल रेल के बड़का योगदान अछि. मुदा एकर निर्माण काज में अगर कोनो तरहक कोताही बरतल गेल तs ओ खतरनाक साबित भs सकैत अछि. एहि के लेल एहिठाम लोक के जागरूक होबय के जरूरत अछि. काज पर नजर रखय के जरूरत अछि.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
Comments
Post a Comment