जानकी महोत्सव

सीतामढ़ी में 12 सं 14 मई तक जानकी महोत्सव के आयोजन कएल गेल. तीन दिन चलल एहि महोत्सव में मिथिला केर संग- संग नेपाल आओर दोसरों ठाम के हजारों लोक शामिल भेलाह. महोत्सव में हजारों के संख्या में साधु संत सेहो अएलाह. सत्संग... प्रवचन... कीर्तन सेहो भेल. तीन दिन पूरा सीतामढ़ी शहर जानकीमय भS गेल. पूरा शहर भगवद भक्ति में डूबल रहल. कइटा सांस्कृतिक कार्यक्रम पेश कएल गेल. स्कूली बच्चा लोकनि सेहो कार्यक्रम पेश कएलिह. महोत्सव के आखिरी दिन बुधवार के शहर में एकटा मनोहर झांकी निकालल गेल.
सीता मैया के जन्मस्थली होयबाक कारणे ई श्रद्धा के केन्द्र अछि. मुदा एकरा विकास के लेल जे काज होबाक चाहि से नहिं भेल अ. एहि ठाम आबय- जाय... रहय के कोनो नीक इंतजाम नहिं अछि. अगर एहि स्थान के पर्यटन स्थल के रूप में विकसित कएल जाए तs सरकार के राजस्व के प्राप्ति सेहो होएत. आओर आमदनी बढ़ला सs एहि ठामक लोकक जीवन स्तर में सुधार सेहो होएत.

Comments

Popular posts from this blog

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

हमर विआह- 8

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप