Skip to main content

Posts

आब छोट शहर लेल एयर इंडिया के हवाई सेवा

एयर इंडिया जल्दीए देश के छोट शहर के लेल अपन हवाई सेवा शुरू करय जा रहल अछि. असल मे देश मे काफी समय सं छोट-छोट शहर के लेल हवाई सुविधा के लेल मांग उठि रहल छल. एयर इंडिया एहि मांग सं फायदा उठाबय चाही रहल अछि. संगहि संग नव-नव डेस्टीनेशन पर सेवा शुरू करला सं आमदनी सेहो बढ़त. एहि के लेल तैयारी शुरू करि देल गेल अछि. एयर इंडिया एहि के लेल अपन विमान के संख्या बढ़ा रहल अछि. कनेक्टिविटी के लेल जरूरी संसाधन जुटाएल जा रहल अछि. इहो देखल जा रहल

मां-बाबूजीक सेवा लेल मिलत छुट्टी

बिहार मे सरकारी कर्मचारी के लेल एकटा नीक खबर अछि. राज्य के सरकारी कर्मचारी के आब हर दू साल पर 15 दिन के छुट्टी अपन माता-पिताक सेवा लेल मिलतन्हि. छुट्टी तं मिलत मुदा सरकार अहां के छुट्टी पर नजर सेहो राखत. एहि छुट्टी के दौरान अगर अहां सेवा करैत नहि पाएल गेलहुं तं अहां दंड के भागी सेहो बनि सकैत छी. अपन मां-पिताजीक सेवा नहि करय वाला कर्मचारी के अपन मां-पिताजी के हर मास दस

मधुबनी मे गरीबरथ सं टकरायल बोलेरो-14 मरलाह

बिहार के मधुबनी जिला मे ट्रेन-बोलेरो के एकटा भीषण टक्कर मे 14 लोक मारल गेलाह. गंभीररूप सं घायल लोक के इलाज पास के अस्पताल मे चलि रहल अछि. ई टक्कर मधुबनी स्टेशन सं आगां आओर राजनगर स्टेशन सं पहिने भरिया-विशुनपुर के बीच भेल. Photo: Sonu Mishra  दिल्ली सं जयनगर जाए वाला गरीबरथ ट्रेन अपन पूरा स्पीड मे छल. ट्रेन मधुबनी सं करीब साढ़े बारह बजे दिन मे खुलला के बाद जयनगर जा रहल छल कि बिना फाटक वाला

टीचर बहाली प्रक्रिया 25 सं शुरू

बिहार मे प्राइमरी आओर मिडिल स्कूलक टीचर बहाली के प्रक्रिया बुध दिन 25 तारीख सं शुरू भ रहल अछि. पिछला लेख मे हम अहां सभ के बतौने छलहुं जे बिहार मे करीब तीन लाख शिक्षकक बहाली होए वाला अछि. तं आब जुटि जाउ जोर-शोर सं. अपन कलम-दवात...सर्टिफिकेट साफ कs लिअ. किताब सभ पर कनि नजर दौड़ा लिअ. पात्रता परीक्षा पास करनाय कठिन नहि अछि. बस कनि मेहनत करि लिअ किछ दिन... नौकरी हाथ मे होएत. एहन मौका बेर-बेर नहि आएत. पात्रता परीक्षा के फॉर्म

आब मधुबनी शैली मे कार्टून

आब अहांके जल्दीए मधुबनी शैली मे बनल कार्टून देखय के मौका मिल सकैत अछि. कार्टून बनाबय के ई शुभ काज करय जा रहल अछि रिलायंस बिग एम्स... Reliance BIG AIMS (Animation Infotainment & Media School). रिलायंस बिग एम्स एहि सं पहिने बच्चा सभ के लोकप्रिय कार्टून लिटिल कृष्णा बना चुकल अछि. रिलायंस बिग एम्स के कहनाय अछि जे देश के कला-संस्कृति के बढ़ावा देबय लेल ओ मधुबनी पेंटिंग आओर दोसर शैली मे कार्टून बनाएत. बिग एम्स के मुताबिक डिजिटल तकनीक सं

बिहार मे 3 लाख शिक्षकक बहाली

बिहार मे तीन लाख प्राइमरी टीचरक बहाली होए वाला अछि. एहि लेल उम्मीद अछि जे 17 जुलाई के परीक्षा होएत. बिहार के बेरोजगार लोक के लेल ई बड़ नीक मौका अछि. पिछला बेर जखन टीचर बहाली प्रक्रिया चलल छल तं हमर गामक जतेक लोक नौकरी के तलाश मे छलाह सभ के ओहि मे नौकरी मिल गेल छलन्हि. बस कनि मेहनत करि तैयारी करलाह पर कामयाबी मिल जाएत. अगर अहां खुद नौकरी के तलाश मे छी आ फेर कोनो जान-पहचान

बिजली संकट सं बेहाल बिहार

बिहार मे बिजली संकट एकदम सं गहरा गेल अछि. एक तं भीषण गरमी... दोसर लाइन नहि. लोक सभ पसीने-पसीने भेल छथिन्ह. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो केंद्र के आगां परेशान छथिन्ह. केन्द्र सं जे बिजली के कोटा तय अछि ओकरा हिसाब सं बिहार के बिजली नहि देल जा रहल अछि. एहि प्रचंड गरमी मे बिजली के मांग अछि करीब

पटना मे सेहो रिंग सेवा

पटना मे रवि 15 तारीख सं बिहार राज्य पथ परिवहन निगम केर रिंग सेवा बस शुरू भ रहल अछि. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि रिंग सेवा केर बस के झंडा देखा रवाना करथिन्ह  रिंग बस सेवा केर ई बस 7 रुट पर 5 बजे भोर सं राति के 11.30 बजे तक चलत. हर रूट के अलग-अलग

दिल्ली मे सीतानवमी

अपना सभ साल भरि लsदsक सभ भगवान के पावनि-त्योहार... जयंती... अष्टमी... नवमी मनावौत छी. दूर्गापूजा... रामनवमी... कृष्ण जन्माष्टमी... महावीर जयंती... बुद्धजयंती... परशुराम जयंती... विश्वकर्मा पूजा... महाशिवरात्री आओर नहि जाने कोन-कोन? मुदा अपना सभ मैथिल जिनका सं सभ सं बेसि जुड़ल छी हुनका बिसरौने छी. माँ जानकी मिथिलाक जननी छथि आ हुनके नाम सं मिथिलाक नाम अछि. माँ जानकी मिथिलाक धिया छलीह. मिथिलाक सीतामढ़ी मे प्रकट भेल छलीह. देश-दुनिया के कष्ट

साइकिल हब बनत बिहार

बिहार साइकिल हब बनय के दिशा मे बढि रहल अछि. राज्य मे बढ़ैत मांग के देखैत कइटा साइकिल कंपनी के नजर बिहार पर अछि. साइकिल कंपनी बिहार मे अपन कारखाना लगाबय चाहैत अछि. एहि के लेल कंपनी जोर-शोर सं लागल अछि. असल मे बिहार के स्कूल मे साइकिल योजना शुरू भेलाह के बाद राज्य मे एकर मांग काफी बढ़ि गेल अछि. पिछला चारि साल मे करीब पचीस लाख साइकिल सिर्फ स्कूली विद्यार्थी के लेल खरीदल गेल अछि. सरकार के एहि अभियान के कारण स्कूल मे दाखिला बढ़य...उपस्थिति बढ़य सं उम्मीद तं ई अछि जे एहि साल करीब

दरभंगा लेल हवाई सेवा !

गर्मी छुट्टी शुरू होए वाला अछि. बच्चा सभ आम खाय लेल आ दादा-दादी सं मिलय लेल गाम जाए चाहय छथिन्ह. लगन सेहो शुरू भ रहल अछि. गाम मे कइटा विवाह अछि. बारात जाए आओर भोज खाए के नीक मौका अछि. मुदा जखन टिकट लेल गेलहुं तं कोनो ट्रेन मे टिकट नहि मिलल. आब समस्या ई जे गाम केना जाएल जाए. आब आ तं दलाल सं टिकट लेल जाए आ फेर तत्काल के इंतजार कएल जाए. तत्काल मे कोनो ठिकान नहि. खिड़की खुलल नहि कि

आम...लीची सं लदल अछि गाछ

एहि बेर मिथिला...बिहार मे आम...लीची सं गाछ लदल अछि. कतहुं जाउ आमक फल सं ढकल गाछ सभतर दिख जाएत. हरिहर-हरिहर आमक फल देख मन ललचा जाएत. अछि. मुदा अखन पाकय के इंतजार करय पड़त. अहां बेसि सं बेसि एतबा करिs सकय छी जे आमक चटनी के स्वाद लs सकय छी. नेना-भुटका तं कच्चे आम के नून संग खाएत रहय छथिन्ह आओर दांत किटकिटाबैत रहय छथिन्ह. बच्चा सभ के कच्चा आम

बिहारक पहिल मॉल

पटना मे बिहारक पहिल मॉल 'पी एंड एम' खुलि गेल अछि. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एकर उद्घाटन करलखिन्ह. ई मॉल फिल्म निर्माता...निर्देशक प्रकाश झा जीक छनि. ई मॉल पटना के पॉश पाटलिपुत्रा कॉलोनी मे खुलल अछि. सवा दू लाख वर्गफुट मे बनल ई 'पी एंड एम' मॉल छह मंजिला अछि. एहिठाम अहां खरीदारी के संग

कोसी के बचाउ...

आउटलुक पत्रिका( बिहार-झारखंड आओर राष्ट्रीय अप्रैल 2011 अंक) मे छपल खबर के अनुसार कोसी पर बनय वाला महासेतु केर लंबाई घटाsक 1.5 किलोमीटर करि देल गेल अछि....जेहि सं कोसीक पाट ओहिठाम आओर कम भs गेल अछि. जखन कि किछ लोक के कहनाय छनि जे पहिने के योजना मे कोसी पर करीब

शीशो मे ज्ञान यज्ञ केर आयोजन

हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Deal a Day     I   Go Jiyo     I   HT Campus   I   Times Jobs.com    I   SNAP DEAL

वीरान भेल मुजफ्फरपुर...

मुजफ्फरपुर वीरान भ गेल अछि. एकदम सं सुनसान पड़ल अछि. हिन्दी केर मशहूर साहित्यकार आओर कवि आचार्य जानकी वल्लभ शास्त्री जी नहि रहलाह. मुजफ्फरपुर मे अपन घर निराला निकेतन मे 7 अप्रैल वृहस्पति के राति नौ बजे ओ आखिरी सांस लेलखिन्ह. 95 साल के शास्त्रीजीक निधन सं बिहारे नहि बल्कि देश के बड़का नुकसान भेल अछि. हिनकर जन्म 5 जनवरी सन 1916 के औरंगाबाद के मैगरा गाम मे भेल छलन्हि. करीब सत्तर साल पहिने मुजफ्फरपुर अएला के बाद एहिठाम बसि गेलखिन्ह. एहिठाम रामदयालु सिंह कॉलेज... आरडीएस कॉलेज हिन्दी के विभागाध्यक्ष सेहो रहलखिन्ह.  हिनकर निधन सं पूरा साहित्य जगत मे शोकक लहर फैलि गेल अछि. हिन्दी आओर संस्कृत साहित्य केर हिनकर योगदान के कहिओ भुलाएल नहि जा सकैत अछि. शास्त्री जी छायावाद के अंतिम स्तम्भ मानल जाए छलखिन्ह. निधन सं ई स्तम्भ सेहो खत्म भ गेल. शास्त्रीजी काफी दिन सं बीमार छलखिन्ह. उम्र सेहो भ गेल छलन्हि. 15 दिन सं बेसि श्रीकृष्ण मेडिकल कॉलेज अस्पताल...एसकेएमसीएच मे भर्ती छलखिन्ह आओर मास दिन पहिनहि अस्पताल सं घर आएल छलखिन्ह. घर पर सेहो बराबर जांच होए छलन्हि. मुदा ईश्वर कि किछ आओरे मंजूर छलन्हि. ह...