मधुबनी मे गरीबरथ सं टकरायल बोलेरो-14 मरलाह

बिहार के मधुबनी जिला मे ट्रेन-बोलेरो के एकटा भीषण टक्कर मे 14 लोक मारल गेलाह. गंभीररूप सं घायल लोक के इलाज पास के अस्पताल मे चलि रहल अछि. ई टक्कर मधुबनी स्टेशन सं आगां आओर राजनगर स्टेशन सं पहिने भरिया-विशुनपुर के बीच भेल.
Photo: Sonu Mishra
 दिल्ली सं जयनगर जाए वाला गरीबरथ ट्रेन अपन पूरा स्पीड मे छल. ट्रेन मधुबनी सं करीब साढ़े बारह बजे दिन मे खुलला के बाद जयनगर जा रहल छल कि बिना फाटक वाला
गुमटी पर ई दुर्घटना भ गेल.

बोलेरो मे सवार ज्यादातर लोक महिला आओर बच्चा सभ छलखिन्ह. ओ सभ अपन परिवार के एकटा सदस्य वीणा देवी के मुखिया मे जीतय के खुशी मनाबय लेल राजनगर जा रहल छलखिन्ह. वोट के गिनती राजनगर मे भ रहल छल.

टक्कर एतेक जोरदार छल जे बोलेरो काफी दूर तक धिसटैत गेल. बोलेरो गरीबरथ के इंजिन मे फंसि गेल. एहि सं रेल ट्रेक जाम भ गेल. एहि रूट पर गाड़ी के अनाय-जनाय बंद भ गेल.

आब गरीबरथ के वापस दोसर इंजिन सं मधुबनी ल जाएल जाएत. एहि लेल घटनास्थल पर एकटा स्पेशल राहत-बचाब ट्रेन आबि रहल अछि. एहि मे टाइम लागि सकैत अछि. राति तक ट्रेक साफ होए के उम्मीद अछि.

दुर्घटना के बाद इलाका मे कोहराम मचि गेल. लोक सभ शोक मे डुबि गेल छथिन्ह. खुशी के जगह मातम ल लेने अछि. गुस्सा मे लोक सभ के पुलिस के संग झड़प सेहो भेल. लोक सभ पटरी पर जमल छथिन्ह.

आजादी के एतेक दिन बादहुं रेलवे बिना फाटक वाला गुमटी के फाटक वाला मे नहि बदलि पाएल अछि. ममता बनर्जी के रेलमंत्री बनला के बाद बिहार मे रेल के हाल आओर खराब भ गेल.

ममता जी तं आब पश्चिम बंगाल के मुख्यमंत्री बनि गेलीह आब देखल जाए हाल किछ सुधरैत अछि कि नहि. रेलवे मे सुरक्षा-संरक्षा के हाल खराब अछि. ओना लोक के सेहो सावधानी बरतबाक चाही. नहि पहुंचय सं देर पहुंचनाय नीक.



click here

Share/Save/Bookmark



click here

हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com
Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

Comments

  1. Ati utsah mrityu ke karan banal.....jit ke khushi mein ne aaga dekhai chaith ne picha....khair mritak ke aatma ke shanti Bhagwan dethun....

    Kumar Kali Bhushan

    Mumbai - Keoti - Darbahnga

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

कि कि नहि कराएत ई बाढ़ि... ki ki nai karaait ee baarhi

पूर्णिया मे सुखोई

मिथिला बिन बिहार आ बिहार बिन देशक विकास संभव नहि- नीतीश

हमर विआह-10

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल