बिहारक पहिल मॉल

पटना मे बिहारक पहिल मॉल 'पी एंड एम' खुलि गेल अछि. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एकर उद्घाटन करलखिन्ह. ई मॉल फिल्म निर्माता...निर्देशक प्रकाश झा जीक छनि. ई मॉल पटना के पॉश पाटलिपुत्रा कॉलोनी मे खुलल अछि.

सवा दू लाख वर्गफुट मे बनल ई 'पी एंड एम' मॉल छह मंजिला अछि. एहिठाम अहां खरीदारी के संग
फिल्म सेहो देख सकय छी... खा-पी सेहो सकय छी. एक बेर भीतर गेलाह के बाद जरूरत के सभ सामान अहां के मिल जाएत.

मॉल के ग्राउंड... फर्स्ट आओर सेकेंड फ्लोर पर कई तरहक दोकान अछि... शॉप अछि. बिग बाजार सेहो अछि. अहां एहिठाम जमिsक खरीदारी क सकय छी. किछ खाय-पीबय के मन होए तं तेसर मंजिल पर बनल फूड कोर्ट मे चलि जाउ.

एहि 'पी एंड एम' मॉल... मल्टीप्लेक्स मे चारिटा सिनेमा हॉल अछि. ई मॉल के पाचिम आओर छठिम मंजिल पर अछि. चारिम मंजिल पर बैंक्वेट हॉल अछि. जेहि ठाम अहां कोनो पार्टी... समारोह के आयोजन करि सकय छी.

दिल्ली...मुम्बई जैसन बड़का शहर...मेट्रो लेल ई कोनो पैघ गप नहि अछि. दर्जनों मॉल खुलि गेल अछि. मुदा बिहार के एहि पहिन 'पी एंड एम' मॉल सेहो दोसर मॉल सं कोनो कम नहि अछि. देर सं सही...नीक बनल बिहारक एहि मॉल मे सभ आधुनिक सुविधा अछि.

आब अहां सभ सेहो एहि मॉल मे खरीदारी के मजा लिअ. राज्य धीरे-धीरे विकास के पथ पर आगां बढ़ि रहल अछि. लोक सभ देश-दुनिया के संग आगां बढ़ि रहल छथिन्ह. कदम सं कदम मिला रहल अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

Comments

  1. ee maal tay ham apne aankhi san dekh ke aayalaun vakayi khoobsurat achhi... Patna aab metro city ke roop lay rahal achhi.

    ReplyDelete
  2. बहुत खूब सुन्दर पोस्ट के लिए
    बधाई ......

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

हमर विआह-10

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

कि कि नहि कराएत ई बाढ़ि... ki ki nai karaait ee baarhi

पूर्णिया मे सुखोई

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल