नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आब छोट शहर लेल एयर इंडिया के हवाई सेवा

एयर इंडिया जल्दीए देश के छोट शहर के लेल अपन हवाई सेवा शुरू करय जा रहल अछि. असल मे देश मे काफी समय सं छोट-छोट शहर के लेल हवाई सुविधा के लेल मांग उठि रहल छल.

एयर इंडिया एहि मांग सं फायदा उठाबय चाही रहल अछि. संगहि संग नव-नव डेस्टीनेशन पर सेवा शुरू करला सं आमदनी सेहो बढ़त. एहि के लेल तैयारी शुरू करि देल गेल अछि.

एयर इंडिया एहि के लेल अपन विमान के संख्या बढ़ा रहल अछि. कनेक्टिविटी के लेल जरूरी संसाधन जुटाएल जा रहल अछि. इहो देखल जा रहल
अछि जे जेहि ठाम सेवा शुरू कएल जाएत ओहि ठाम जरूरी इंफ्रास्ट्रक्चर अछि कि नहि?
एयर इंडिया के पास जेहि ठाम सं सेवा शुरू करय के मांग आएल अछि ओ मेट्रो शहर के छोड़ि... दोसर...तेसर दर्जा के शहर अछि. एहन शहर के संख्या अखन 42 अछि.

एयर इंडिया के मुताबिक 10 लाख सं बेसि आबादी वाला शहर सं एहन मांग आएल अछि. एहि मे बिहार के भागलपुर सेहो शामिल अछि. ई नीक खबर अछि. भागलपुर सं शुरू भेलाह सं एकटा बड़का इलाका के फायदा होएत.

पिछला दिन हम दरभंगा सं हवाई सेवा शुरू करय के बारे मे लिखने छलहुं. पटना के बाद दरभंगा सं हवाई सेवा शुरू भेलाह पर पूरा उत्तर बिहार... मिथिला... नेपालक लोक के सुविधा होएत.

मुदा ई सेवा शुरू होए एहि के लेल मिथिला के प्रमुख लोक... एमपी... एमएलए सभ के आवाज उठाबय पड़तन्हि. दिल्ली मे बैसल बिहारी लोक सभ के... बिहारी आइएएस...अफसर सभ के एहि के लेल दबाव बनाबय पड़तन्हि.

बिहार के नाम पर ओहिना पक्षपात होएत रहल अछि. अखन बिहार विकासक मार्ग पर आगां बढ़ि रहल अछि. ई काज भेलाह सं विकासक रफ्तार आओर बढ़त. लोक के हवाई सुविधा मिललाह पर निवेश सेहो बढ़त.

मिथिला मे फूड प्रोसेसिंग...आम...लीची...मखान...माछ... मिथिला पेंटिंग...लोककला सं जुड़ल सामान केर देश-दुनिया मे बड़का बाजार अछि. जरूरत अछि ओकर लाभ उठाबय के. आईटी के क्षेत्र मे सेहो काफी प्रगति भ सकैत अछि.

हवाई सेवा शुरू भेलाह पर जे बड़का-बड़का कंपनी केर अधिकारी... सीईओ... मालिक अखन मिथिला दिस नहि आबैत छथिन्ह ओ अएताह.... इलाका मे पाई लगैताह...निवेश होएत.

निवेश होएत तं लोक के रोजगार मिलत...लोक के जीवन स्तर मे सुधार आएत. मुदा ई सभ होए एहि के लेल अहां सभ के जोर लगाबय पड़त. हवाई सेवा शुरू भेलाह पर जरूरत पड़ला पर अहां सेहो झट द दिल्ली ...मुम्बई जा सकय छी.

फेर एक बेर शुरू भेलाह के बाद हवाई जहाज सेहो भरल जाएत. लोक के जखन एहि मे सुविधा बुझैएतन्हि तं ओ हवाई जहाजे सं अएताह -जएताह. अहांक कि विचार अछि? कि सोचय छी अहां? विमान सेवा शुरू होबाक चाही कि नहि?





click here

Share/Save/Bookmark



click here

हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com



Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु