नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कोसी के बचाउ...

आउटलुक पत्रिका( बिहार-झारखंड आओर राष्ट्रीय अप्रैल 2011 अंक) मे छपल खबर के अनुसार कोसी पर बनय वाला महासेतु केर लंबाई घटाsक 1.5 किलोमीटर करि देल गेल अछि....जेहि सं कोसीक पाट ओहिठाम आओर कम भs गेल अछि.

जखन कि किछ लोक के कहनाय छनि जे पहिने के योजना मे कोसी पर करीब
10 सं 22 किलोमीटरर लंबा पुल बनय के छल. एहि मे कोसी नदीक पाट आओर ओकर दूनु कातक पुलक जमीन सं समानान्तर ऊंचाई सेहो शामिल अछि. 
आउटलुक पत्रिका मे छपल लेख
 कोसी पर रेल-सह-सड़क पुल बनय के अछि...आओर केंद्र सरकार के दूनु मंत्रालय एहन मंत्री के अधीन अछि जिनका बिहार मे कोनो दिलचस्पी नहि छनि... इहो कहि सकय छी जे एक हदतक बिहार विरोधी छथिन्ह.

एहन मे कोसीक पाट के जानबूझिक छोट करि देनाय कि कोनो बड़का खतरा के न्योत देनाय नहि अछि? कहल जाएत अछि जे कोसी ओहिठाम पांच धारा मे बंटल अछि जे ओकर धारा बदलय के कारण भेल अछि. एहन मे ओहि पांचों धारा केर अनदेखी करि विशाल कोसी के सिर्फ डेढ़ किलोमीटर मे समेटनाय बिहार के लोक के एटम बम पर या सूनामी के सामने बिठाबय के समान अछि.

जाहिर अछि जे कोसी के सीमित चौड़ाई ओकर पानि के दबाव के नहि झेल पाएत. आउ हम सब मिलि sक एकर विरोध करि आओर प्रधानमंत्री... मुख्यमंत्री के सामने एहि मुद्दा के उठाबी.

-सुशांत झा


Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु