नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

टीचर बहाली प्रक्रिया 25 सं शुरू

बिहार मे प्राइमरी आओर मिडिल स्कूलक टीचर बहाली के प्रक्रिया बुध दिन 25 तारीख सं शुरू भ रहल अछि. पिछला लेख मे हम अहां सभ के बतौने छलहुं जे बिहार मे करीब तीन लाख शिक्षकक बहाली होए वाला अछि.

तं आब जुटि जाउ जोर-शोर सं. अपन कलम-दवात...सर्टिफिकेट साफ कs लिअ. किताब सभ पर कनि नजर दौड़ा लिअ. पात्रता परीक्षा पास करनाय कठिन नहि अछि. बस कनि मेहनत करि लिअ किछ दिन... नौकरी हाथ मे होएत.

एहन मौका बेर-बेर नहि आएत. पात्रता परीक्षा के फॉर्म
25 तारीख सं 6 जून तक मिलत. एकरा 10 जून तक भरि कs जमा करय के अछि. फॉर्म भरय मे सावधानी बरतब. कोनो गलती नहि रहि जाए एकरा लेल अहां सभ फॉर्म के फोटोस्टेट करा पहिने फोटोस्टेट के भरि लेब.

फोटोस्टेट के एक- दू बेर चेक करि लेब जे कोनो गलती त नहि रहि गेल अछि. किएक तं फोटोस्टेट के गलती ठीक कएल जा सकैत अछि..ऑरिजनल फॉर्म के नहि. जखन फोटोस्टेट वाला फॉर्म सं संतुष्ट भ जाए तखन ऑरिजनल फॉर्म भरब.

नीक सं...ठीक सं भरल फॉर्म जिला शिक्षा ऑफिस मे जमा करय पड़त. फॉर्म के संग परीक्षा फीस भरनाय नहि भूलब. एससी-एसटी के लेल परीक्षा फीस 50 रुपया आओर सभ के लेल 100 रुपया अछि.

ई ध्यान राखब जे फॉर्म भरय के लास्ट डेट अछि 10 जून. आखिरी समय के इंतजार नहि करि पहिनहि जमा करय के कोशिश करब. पहिने फॉर्म जमा करला पर भीड़ आओर दस तरहक परेशानी सं बाचल रहब.

फॉर्म भरला के बाद 17 जुलाई के परीक्षा होएत. परीक्षा मे दू पत्र होएत. अगर अहां प्राइमरी स्कूल... पहिल सं पाचिम तक के लेल टीचर बनय चाहय छी तं पहिल सत्र मे परीक्षा होएत.

आओर अगर मिडिल स्कूल... छठिम सं आठिम क्लास के पढ़ाबय चाहय छी तं दोसर सत्र मे अहांक परीक्षा होएत. आओर हां अगर अहां दूनु परीक्षा देबय चाहय छी तं दूनु सेहो द सकय छी. दूनु के लेल फॉर्म भरय पड़त.

बस एकरा लेल अहांक पास योग्यता होबाक चाही. प्राइमरी स्कूल के लेल कम सं कम इंटर आ एकर समकक्ष योग्यता... जखन कि मिडिल स्कूल के लेल स्नातक आ ओकर समकक्ष योग्यता होबाक चाही.

एक बात आओर ध्यान राखय के अछि जे अहां इंटर आ बीए कम सं कम 50 प्रतिशत अंक सं जरूर पास करने होए. जे ट्रेंड छथिन्ह आ फेर एससी-एसटी के छथिन्ह हुनका 5 फीसदी के छूट मिलतन्हि.

फॉर्म भरय के लेल उम्र सीमा 37 साल राखल गेल अछि. पिछड़ा वर्ग के लेल 40 साल आओर एससी-एसटी के लेल 42 वर्ष अछि. जे टीचर ट्रेनिंग करने छथिन्ह हुनका 5 साल के छूट मिलतन्हि.

तं अहां सभ के हमर शुभकामना अछि. सभ लोक फॉर्म भरि दिअ. अगर गाम -घर सं बाहर रहय छी...नीक काज नहि करय छी. अहांक पास योग्यता अछि. तं कोनो सोच-विचार नहि करु.

दिल्ली...मुम्बई के 10-15 हजार के नौकरी सं लाख गुणा नीक रहत ई मास्टरी के नौकरी. गाम-घर के पास रहय के सुख. गाम-घर...मां-पिताजी...परिवार के संग रहुं...खेतीबारी सेहो देखु...सरकारी नौकरी सेहो करु.

मास्टरी के नौकरी मे सभ सं बेसि छुट्टी सेहो अछि. कोनो झंझट सेहो नहि. बस बच्चा सभ के नीक सं पढबिऔं...अपन कर्तव्य सं कोनो कोताही नहि बरतिऔं. बच्चा सभ के नीक शिक्षा दिऔं.
 
एहि गर्मी छु्टटी मे गाम जा फॉर्म भरि दिअ. लीची-आम के आनंद के संग परीक्षा के तैयारी सेहो करु. ईश्वर चाहथिन्ह तं एहि बेर बेरोजगारी दूर भ जाएत. बस किछ दिन जोर लगाबय के जरूरत अछि.




click here

Share/Save/Bookmark




click here

हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com
Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु