नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार मे 3 लाख शिक्षकक बहाली

बिहार मे तीन लाख प्राइमरी टीचरक बहाली होए वाला अछि. एहि लेल उम्मीद अछि जे 17 जुलाई के परीक्षा होएत. बिहार के बेरोजगार लोक के लेल ई बड़ नीक मौका अछि.

पिछला बेर जखन टीचर बहाली प्रक्रिया चलल छल तं हमर गामक जतेक लोक नौकरी के तलाश मे छलाह सभ के ओहि मे नौकरी मिल गेल छलन्हि. बस कनि मेहनत करि तैयारी करलाह पर कामयाबी मिल जाएत.

अगर अहां खुद नौकरी के तलाश मे छी आ फेर कोनो जान-पहचान
के लोक छथिन्ह तं हुनका बता दिऔंन जे बहाली के लेल परीक्षा होए वाला अछि. फॉर्म भरि देलाह पर जिनगी संवरि सकय छनि.
सरकारक कोशिश हर तीस छात्र पर एकटा टीचर राखय के अछि. एकरा लेल राज्य मे तीन लाख टीचर आओर चाही. मुदा कानून के मुताबिक सरकार के ट्रेंड टीचर के बहाली करय के अछि.

मुदा एतेक ट्रेंड टीचर बिहार मे मिलनाय मुश्किल अछि एहि लेल ई छूट देल गेल अछि जे बहाल कएल गेल अनट्रेंड टीचर के 3 सं 5 साल के भीतर टीचर ट्रेनिंग द देल जाएत.

ओना सरकार के एहि रुख पर कि कहबय जे ट्रेंड टीचर वाला एकटा मामला कोर्ट मे फंसल अछि. सुप्रीम कोर्ट के आदेश के बादहुं सरकार दस तरहक पेंच फंसौने अछि.

सरकार के पहिने ओहि ट्रेंड टीचर के बहाल करि मामला के सुलझैबक चाही आओर राज्य मे जे शिक्षक के कमी अछि पहिने ओकरा दूर करबाक चाही. एहि सं कई साल सं बेरोजगार लोक के रोजगार सेहो मिलतन्हि.

जे होए एहि कदम सं सेहो नवका लोक के बेरोजगारी के समस्या दूर होएतन्हि. मुदा सरकार के ई सेहो ध्यान मे रखबाक चाही जे शिक्षा के गुणवत्ता सेहो बनल रहय.

आईकाल्हि हजारों...लाखों टीचर के बहाली होएत अछि मुदा पढ़ाई के स्तर दिन पर दिन खराब भेल जा रहल अछि. कइटा मामला तं एहन आएल अछि जे टीचर प्राइमरी के विद्यार्थी के पढ़ाबे लायक नहि छथिन्ह.

सरकार के एहि पर ध्यान देबाक चाही. स्कूल मे विद्यार्थी के संग टीचर के उपस्थिति पर सेहो ध्यान देबय के जरूरत अछि. नहि तं केतबो टीचर कि बहाली करब...शिक्षा के हाल पर कोनो असर नहि पड़त.



click here

Share/Save/Bookmark




click here

हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com
Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु