Skip to main content

दिल्ली मे सीतानवमी

अपना सभ साल भरि लsदsक सभ भगवान के पावनि-त्योहार... जयंती... अष्टमी... नवमी मनावौत छी. दूर्गापूजा... रामनवमी... कृष्ण जन्माष्टमी... महावीर जयंती... बुद्धजयंती... परशुराम जयंती... विश्वकर्मा पूजा... महाशिवरात्री आओर नहि जाने कोन-कोन? मुदा अपना सभ मैथिल जिनका सं सभ सं बेसि जुड़ल छी हुनका बिसरौने छी.

माँ जानकी मिथिलाक जननी छथि आ हुनके नाम सं मिथिलाक नाम अछि. माँ जानकी मिथिलाक धिया छलीह. मिथिलाक सीतामढ़ी मे प्रकट भेल छलीह. देश-दुनिया के कष्ट
के दूर करय लेल मिथिला मे अएलीह. मुदा दुनिया के कष्ट दूर करय वाली मां जानकी के हम सभ आई सिर्फ कष्टे मे याद करय छी.

हम सभ नीक सं सीतानवमी नहि मनाबय छी. कतेक लोक के एहि बारे मे पता सेहो नहि छनि. एहि बेर 12 मई के सीता नवमी अछि. हमरा सभ मैथिल के एहि पावनि के धूमधाम सं मनाबय के अछि. एकरा अहां मिथिलानी दिवस के रूप मे सेहो मना सकय छी.

एहि के लेल हमरा सभ के यूथ ऑफ मिथिला के धन्यवाद देबाक चाही जे एहि बात पर ध्यान द एकरा जोर-शोर सं मनाबय जा रहल छथिन्ह. एकर शुरूआत दिल्ली सं भ रहल अछि. सीता मैया विश्व मे धैर्य आ पतिव्रत धर्मक प्रतीक छथीह.

अहां सभ अपन-अपन गाम घर मे सेहो सभ गोटे मिलsक सीतानवमी मनाबी. एकरा बड़का स्तर पर मनाउ. छुट्टी लेबय पड़य त लिअ. पहिने मिथिलाक बड़ लोक आओर संस्था सभ सीतानवमी के राष्ट्रीय स्तर पर मनाबय के कोशिश मे लागल रहलाह. मुदा कामयाबी नहि मिललन्हि. एकरा अहां बदलि कs राखि दिअ.

आब यूथ ऑफ मिथिलाक प्रयास सं लगैत अछि ई संभव भ सकैत अछि. किएक त अखन धरि एहि सं जुड़ल मिथिलाक युवा जे ठानलाह ओ पूरा करलाह. चाहे सामा चकेवा होए आ जुड़शीतल. उम्मीद अछि एहि मे सेहो अहां सभक सहयोग मिलतन्हि.

एहि बेर एकर शुरुआत दिल्ली के लाजपत नगर स्थित शीतला माता मंदिर सं भ रहल अछि. 12 मई के गुरुवार अछि. एहि दिन 12 बजे सं राति के साढ़े आठ बजे धरि कई तरहक कार्यक्रम राखल गेल अछि.

अहां सभ के यूथ ऑफ मिथिला परिवार तरफ सं न्योत अछि जे सपरिवार आबि सीता मातापूजाक लाभ उठाऊ आ माँ सीताक आशीर्वाद संगे सीतायण वाचन के पुण्य कमाउ.

कार्यक्रम एहि तरहे अछि.
12 मई 2011 वृहस्पति दिन , शीतला माता मंदिर, लाजपत नगर
भोर 10:30 बजे पूजाक शुभारम्भ
12 बजे सं समुचित मैथिली सीतायण वाचन एवं प्रसाद वितरण
सांझ 7:30 बजे धरि माँ जानकीक मैथिली कीर्तन आ भजन



Share/Save/Bookmark


click here

हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com

Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...