Skip to main content

Posts

Showing posts from October, 2007

कहिआ खुलत आईआईआईटी ?

पिछला दिन जखन ई खबर आयल कि दरभंगा में Indian Institute Of Information Technology...IIIT खुलत त बड़ खुशी भेल...दोस सभ स गप्प सेहो भेल जे फातमीजी ई नीक काज कयलाह...मो. अली अशरफ फातमी दरभंगा सं सांसद आ केन्द्रीय मानव संसाधन विकास राज्य मंत्री छथिन्ह...दरभंगा के लेल ओ अपना भरसक प्रयास करय छथिन्ह...मुदा जखन नवका खबर ई पता लागल जे प्रधानमंत्री कार्यालय सं फिलहाल एहि पर काज आगा नहिं बढ़ाबय लेल कहल गेल अछि...त सभ उत्साह पर पानि फिर गेल...मानव संसाधन विकास मंत्री अर्जुन सिंह बिहार में आईआईटी... आईआईएम...आईआईआईटी खोलय चाहैत छलथिन्ह...मानल जाइत छल जे आईआईटी पटना के पास बिहटा में आओर आईआईआईटी दरभंगा में खुलत...मुदा प्रधानमंत्री कार्यालय सं ई कहल गेल जे एहि बारे में कोनो फैसला एकटा तंत्र लेत...आब उ तंत्र कहिआ बनत...कहिआ ओकर फैसला आयत...ओहि में कोन कोन बात पर चर्चा कएल जाइत.. ई सभ तय होय में कई साल लगि जाइत... कहल जा रहल छै जे केन्द्र में सरकार के किछु सहयोगी अपना अपना राज्य में आईआईटी... आईआईएम.. आओर दोसर संस्थान खोलय चाहैत छथिन्ह...सहयोगी के दबाब आओर चुनाव के आहट देखि सरकार फिलहाल एकरा ठंडा ब...

जयनगर तक ट्रेन

दरभंगा जयनगर बड़ी लाइन बनला के बाद अखनो लोक के परेशानी कम नहिं भेल अ...ट्रेन कम भेला सं अखनो लोक के घंटों इंतजार करय पड़य छै...चारि-चारि..पांच पांच घंटा तक एको टा ट्रेन नहिं मिलैत छै...प्लेटफॉर्म पर बैठल ट्रेनक रस्ता देखैत रहुं...ओना आब कोलकाता...हाबड़ा जाई वाला एकटा आओर ट्रेन धुरियान फास्ट पैसेंजर के दरभंगा सं बढ़ा कय जयनगर तक कए देल गेल अ...मुदा धुरियान तं शुरुए सं अपन देर सं चलय के लेल बदनाम रहय अई...आ आब त एकर दूरी आओर बढि गेल... देखु कि होइछ...लोकक त बेहतरी के उम्मीद लएक चलैत छथि....ओना बड़ी लाइन के उद्घाटन के समय रेल मंत्री लालू यादव कहने छलथिन्ह जे जल्दीए गरीब रथ आओर दोसर ट्रेन के जयनगर तक क देल जाइत..मुदा जयनगर तक नहिं भेलाह सं अखनो बस..जीप टेम्पू में लटैक क यात्रा करय लेल मजबूर छथि...ट्रेन में सेहो कम बेस सेहे स्थिति रहैत अछि...चलु धुरियान सं शुरुआत भेल अ...दोसरो चलबे करत...नहिं चलय के एकटा कारण जयनगर में एखन ट्रेन लगाबय के ...देखरेख के सभ सुविधा नहिं होनाय सेहो छै...जेना जेना सुविधा उपलब्ध भेल जाइत..ट्रेनक संख्या सेहो बढ़ल जाइत...त आबय वाला दिन में बेहतरी के उम्मीद कएल जा सकय...

बाबाक प्रतिमा कोलकाता में

कवि. कथाकार बाबा नागार्जुनक प्रतिमा कोलकाता के तारा सुंदरी पार्क में लगावल जाइत...खबर आई जे मिथिलाविकास परिषद कोलकाता के तरफ सं हुनकर प्रतिमा लगाबय के लेल कोलकाता नगर निगम सं मंजूरी मिलि गेलअछि... आओर हुनकर प्रतिमा के अनावरण 30 दिसंबर के कोलकाता के मेयर विकास रंजन भट्टाचार्य करताह... एहि सं पहिने कोलकाता के गिरीश पार्क में महाकवि विद्यापति क प्रतिमा सेहो लागि चुकल अछि...एहि अवसर परओहि ठाम कवि गोष्टी, वाद-विवाद आ सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो होयत. बाबा नागार्जुन के नाम सं मशहूर मैथिली -हिन्दी क जनकवि बैद्यनाथ मिश्र 'यात्री' जीक जन्म दरभंगा के तरौनीगाम में भेल छलन्हि...बाबा मैथिली में यात्री आओर हिन्दी में बाबा नागार्जुन के नाम सं मशहूर छलाह...मैथिलीकाव्य संग्रह...पत्रहीन नग्न गाछ... के लेल हिनका साहित्य अकादमी पुरस्कार सं सम्मानित कएल गेल छल.

गामक कोजागरा

गाम घर सं बाहर रहला पर कतेक चीज पाछा छुटि जाइत अछि... एकरा अहां एहि बात सं बुझि सकय छी जे आई कोजगरा अई आ दिल्ली में रहला के कारण हमरा ध्यान पर नहिं छल...सांझ में जखन गाम फोन कयलौंह त मां कहलथिन्ह जे भैया पूजा के तैयारी में जुटल छथिन्ह...आई कोजागरा छै न ! ...अहां पान मखान खा लेब...हम कहलन्हि हमरा ध्याने पर नहिं छल. गाम-घर पर रहला पर कोजगरा में बड़ उत्साह रहैत छल... मखान... पान.. मिश्री... बताशा.. नारियल.. मेवा.. मिठाई सभक पूजा होइल छल...गाम भर के लोक में बांटल जाइत छल आओर हमहुं सभ झुंड में लोक सभक दलान पर जा मखान मिश्री खाइ छलहुं... कोजागरा आश्विन पूर्णिमा के मनायल जाइत छै...मानल जाइ छै आश्विन पूर्णिमा के राति सभसं उजर होइछ...एहि राति चांद अपन सभ शीतलता...प्रकाश लोक के द दैत छथिन्ह... ई दुर्गापूजा आओर दिवाली के बीच में पड़य छै...कोजागरा पावनि में घर के कुलदेवता या कुलदेवी के पूजा होइत अछि...आ सभसं बड़का बात ई छै जे जहि घर में कोनो शादी -विवाह भेल रहय छै हुनका ओहिठाम विशेष पूजा होइ छै...नव विवाहित लोकक ओहिठाम ...

म्यूचुअल फंड में निवेश

शेयर बाजार में उठापठक जारी छै...पी नोट के असर अखन तक कम नहिं भेल अ...जिनका बाजार में समझि छैन हुनका लेल त कोनो दिक्कत नहिं...मुदा नवका लोक के लेल त बाजार के उतार-चढ़ाव जानमारुक छै...आई शेयर बाजार के बढ़ला पर पाई लगैलऔ नहिं कि दोसर दिन बाजार धम्म सं नीचा खसि पड़ल..आब कि करल जाई...सीधा फंडा छै अगर अहां के बाजार के गणित समझि में नहिं आबैत अछि त ओकरा छुबय के कोशिश नहिं करू...अहां के लेल बाजार में घुसय के दोसर रास्ता छै...ओ छै म्यूचुअल फंड के... आब अहां कहवय जे ई म्यूचुअल फंड की छै त..ई बाजार में पाइ लगाबय के दोसर तरीका छै..एहि में एकटा फंड हाउस या कंपनी जे कहिऔ होयछ...ओ बाजार में कोनो फंड लाबय छै...फंड के देखरेख करय लेल फंड मैनेजर होय छै...एहि में एक आदमी के नहिं कई आदमी के पाई एक ठाम जमा कए क बाजार में लगायल जाई छै...एहि में अहांक निवेशक ऊ फंड मैनेजर पर निर्भर रहय छै...ओ फायदा..नुकसान के हिसाब रखि शेयर में निवेश करय छथिन्ह..आओर ज फायदा..नुकसान होइछ ओकरा सभ पाई लगाबय वाला में बांटि देल जाइछ...शेयर बाजार में म्यूचुअल फंड के जे दाम होइछ ओकरा नेट असेट वैल्यू...एनएवी कहल जाइत अछि... बाजार में ...

बिहार में रिलायंस

दुनिया के पांचवां सभस अमीर आदमी पटना में...हां महाअष्टमी के दिन रिलायंस इंडस्ट्रीज के सर्वेसर्वा मुकेश अंबानी पटना में छलाह...मुकेशजी के ई पहिल बिहार यात्रा छल आओर आब अहां उम्मीद क सकय छी जे बिहार के भाग्य खुलि गेल अछि... जल्दीए बिहार सेहो विकासक रेस में आगां निकलय लागत...मुकेश अंबानी के बिहार लनाय राज्य सरकार के बड़का कामयाबी छै...नीतीश सरकार बनला के बाद राज्य में निवेश के मकसद से आबय वाला ओ चौथा उद्योगपति छथिन्ह...हिनका सं पहिने टाटा समूह के अध्यक्ष रतन टाटा, महिन्द्रा आओर महिन्द्रा के आनन्द महिन्द्रा आओर भारती ग्रुप के सुनील भारती मित्तल दौरा क चुकल छथिन्ह... अगर एहिना उद्योगपति सभक दौरा होयत रहल त किछु न किछु निवेशक माहौल बनबे करत...राज्य में पैसा अइबे करत...किएक त बिहार में मजदूर... श्रमशक्ति... युवाशक्ति...के कमी नहिं छै...पत्रकारिता... सिविल सर्विसेज...स्टॉफ सलेक्शन...बैंक पीओ... आईआईटी... मेडिकल... आईआईएम सभ में बिहारक छात्रक धाक चलय छै... भने बाहर बिहार के लोकक के बिहारी कहि मजाक उड़ाबय छै मुदा बिहारी अपन काम काज सं सभठाम छायल छथि...आई काल्हि आईटी क्षेत्र में सेहो अपन जोरदार उ...

पार्टिसिपेटरी नोट- पीनोट

Technorati Profile शेयर बाजार के 1744 अंक गिरनाय आओर वित्तमंत्री के बयान के बाद एकर संभलनाय..बाजार संभलो करल त एक दु अंक नहिं 1400 अंक...सेंसेक्स 1744 अंक गिरला के बाद 336 अंक के गिरावट के साथ बंद भेल...बाजार में अफरातफरी मचि गेल...सभक जुबान पर बाजार के गिरय के चर्चा...सऊ ठाम एहि चर्चा की पी नोट के कारण बाजार गिरला सं कइटा निवेशक कंगाल भ गेल...आखिर ई पी नोट की छै...ई पीनोट के चक्कर दिन भरि लोक के चक्करलै रहल... पी नोट...पुरा नाम भेल पार्टिसिपेटरी नोट...असल में विदेशी संस्थागत निवेशक (एफआईआई) आओर ओकर विदेशी ग्राहक के बीच होय वाला समझौता के पार्टिसिपेटरी नोट कहल जाइ छै...एकरा अहां अक तरहक बांड सेहो कहि सकय छी... आओर एकरे माध्यम सं विदेशी ग्राहक या निवेशक जे कहिऔ...ऊ विदेशी संस्थागत निवेशक के अपना लेल सौदा करल लेल कहैय छथिन्ह...मुदा एकरा में सभसं बड़का पैंच ई छै जे कि अगर कोनो सौदा होइ छै तं ओहि में ऊ विदेशी ग्राहक के नाम नहिं आबय छै..ई सौदा..खरीद बिक्री..विदेशी संस्थागत निवेशक के नाम पर होइछ...ई सौदा होइछ पार्टिसिपेटरी नोट के माध्यम सं..आओर एहि माध्यम सं खरीद-बिक्री करय वाला के पुरा पता....

आर्ट ऑफ लिविंग

आर्ट ऑफ लिविंग में जे सभस नीक बात छै ऊ छै सांस पर नियंत्रण...ओना हर चीज में नियंत्रण होबाक चाहि...बिना नियंत्रण...बैलेंश के कोनो चीज...कोनो काज ठीक सं नहिं भ सकैत अछि...त आब बात कएल जाय एकर बेसिक कोर्स पर...एहि में कहल गेल छै जे मनुष्य के अस्तित्व के लेल सात स्तर अछि..ओहि में शरीर(BODY), सांस(BREATH), मन(MIND), बुद्धि( INTELLECTUAL ), चित्त (MEMORY), अहंकार(EGO) आओर आत्म(SELF)...एकर संगहि जीवन जीवय के लेल जे ऊर्जा चाहि ओकर चारि टा स्रोत छै...भोजन (FOOD), सांस (BREATH), नींद(SLEEP) आओर ज्ञान(INFORMATION)... बेसिक कोर्स में सभस नीक बात छै अहि में शामिल सुदर्शन क्रिया...ई क्रिया दुनिया के श्री श्री रविशंकर जी के देन अछि...एहि क्रिया स शरीर के भीतर के गंदगी..नकारात्मक शक्ति..तनाव बाहर निकलय छै आओर शरीर ,मन के प्रकृति के बीच तालमेल बिठाबय में मदद करय छै..दुनिया के लेल ई गुरुजी के अमूल्य भेंट छै..सांस जे छै ओ मन आओर भावना के बीच संबंध स्थापित करय छै...किएक त अहां देखबय जे जखन कोनो व्यक्ति तनाव में..दबाव में होय छथिन्ह त हुनकर सांस के स्वाभाविक लय बिगड़ि जाइत छैन...सुदर्शन क्रिया ...

जय गुरुदेव

दफ्तर सं घर लेल निकलहिं वाला छलहुं कि याशीजी के फोन आयल गुरूजी अखन राति में नोएडा आ रहल छथिन्ह...हमहुं हुनका सं मिलय लेल विदा भ गेलंहु...ओहिठाम पहिने सं कइटा जान पहचान वाला लोक मौजूद छलाह...गुरुजी श्री श्री रविशंकर में गजब के आकर्षण छैन...हुनकर चेहरा पर सदिखन मुस्कान बनल रहैत छैन...हुनका सं मिलतहिं...हनका सम्पर्क में अबतहिं लोक मुस्कनाय सीख जाइत अछि...हुनकर मुस्कुराहट लोक के अपना तरफ आकर्षिक तरय छै...आओर एक बेर जे हुनका सम्पर्क में आयल सदा के लेल हुनकर भ जाइत अछि... गुरुजी सं मिलय के पहिल अवसर करीब 15 साल पहिने मिलल छल... तखन हम एनडीटीवी में छलहुं आओर विजय त्रिवेदी जी के एकटा आधा घंटाक विशेष कार्यक्रम के लेल हुनका सं भेंट भेल छल...तखन कार्यक्रम तैयार करय के क्रम में हुनका बारे में बहुत कुछ जानय समझय के मिलल..गुरुजी श्री श्री रविशंकर आर्ट ऑफ लिविंग के संस्थापक छथिन्ह..आओर आर्ट ऑफ लिविंग दुनिया के सभस बड़का सामाजिक, आध्यात्मिक गैर सरकारी संस्था अई...आर्ट ऑफ लिविंग 1981 में शुरू कएल गेल..आई दुनिया के 140 देश में एकर केन्द्र अछि...हिनकर कहनाय छैन हंसो आओर हंसाओ...न फंसो न ...

फातमी पर हत्या के सुपारी देबय के आरोप

दरभंगा के सांसद आओर केंद्रीय मानव संसाधन राज्य मंत्री मो अली अशरफ फातमी पर हत्या के लेल सुपारी देबs के आरोप लागय अ...हुनका पर ई आरोप दरभंगा के डिप्टी मेयर बॉबी खान के हत्या के साजिश रचय लेल लागल अ.. हुनका खिलाफ मामला दर्ज भ गेल अ...मुदा मंत्रीजी के कहनाय छैन जे हुनका ऊपर लागल आरोप बेबुनियाद अछि आओर ई हुनका खिलाफ साजिश अई...फातमी जी के इहो कहनाय छैन जे गवाह सं बयान टार्चर कए क लेल गेल छै...हत्या के साजिश रचय के आरोप में 6 लोक के गिरफ्तार कएल गेल अ...किछु हथियार सेहो बरामद भेल...बतायल जा रहल अछि जे गिरफ्तार आरोपी अलन खान अपन बयान में ई स्वीकार कयलक अछि जे हत्या के साजिश ईद के दिन फातमीजी आओर वार्ड पार्षद रीता सिंह के सामने रचल गेल आ हत्या के लेल 5 लाख रुपया के सुपारी देल गेल...दरभंगा के डिप्टी मेयर बॉबी खान एकरा राजनीतिक रंजिशक नतीजा बताबैत छथिन्ह...हुनकर कहनाय छैन जे मेयर चुनाव के बाद सं कई लोक हुनकर दुश्मन बनि गेल...आओर तखने सं हुनका रास्ता के कांटा समझय लगलाह ...फातमीजी के खिलाफ ई पहिल मामला नहिं अछि ...हुनका खिलाफ कइटा मामला दर्ज अई...करीब दस साल पहिने ओहि समयक एसपी शोभा अहोतकर के स...

फिल्मी दुनिया के वारिस

संजय लीला भंसाली के नयका फिल्म आबि रहल अछि...सांवरिया... एहि फिल्म में हीरो-हीरोइन छथि ऋषि कपूर के सुपुत्र रणवीर कपूर आओर अनिल कपूरक सुपुत्री सोनम कपूर...एकरे साथ ई चर्चा एक बेर फेर सं जोर पकड़क अछि जे स्टार पुत्र -पुत्री के फिल्मी दुनिया में बड़ आसानी सं मौका मिल जाइत अछि...हुनकर फिल्मक लांच खूब तामझाम सं कएल जाइत अछि...प्रचार पर खूब पैसा बहायल जाइत अछि...मुदा रणवीर आओर सोनम के ई पहिल मामला नहिं अछि...अगर बेटा-बेटीक बात कएल जाय त कपूर खानदान के पूरा बॉलीवुड समझल जा सकैत अछि...पृथ्वी राज कपूर, राज कपूर, शम्मी कपूर...शशि कपूर के बाद ऋषि कपूर आओर रणधीर कपूर सेहो खूब नाम कमयलाह। करीश्मा आओर करीना कपूर सेहो एहि खानदान सं छथि। सदी के महानायक अमिताभ बच्चन के सेहो पूरा परिवार फिल्मे लाइन में छैन...पत्नी जया बच्चन, पुत्र अभिषेक बच्चन आओर आब तं ऐश्वर्य रॉय सेहो आबि गेलन्हि अ...शोले में अमिताभ के संगी धर्मेंद्र के सेहो परिवार एहि लाइन में छैन...पत्नी हेमा मालिनी...पुत्री ऐशा देओल...पुत्र सन्नी आओर बॉबी देओल। ओना फिल्मी दुनिया में छायल रहल अ खान खानदान...खान खानदान मे सलीम-जावेदक जोड़ी म...

मधेपुरा में रेल कारखाना

रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव मधेपुरा में विद्युत रेल इंजन कारखाना के शिलान्यास कएलाह...रेल कारखाना के आधारशिला समारोह शहर के बीएन मंडल स्टेडियम में भेल...समारोह के लेल कई दिन सं रेलवे के अधिकारी सभ एहिठाम डेरा डालने छलाह...कारखाना तैयार भ गेलाह के बाद एहिठाम हर साल १२० रेल इंजन बनि कए निकलत...एहि अवसर पर लालू यादव राज्य के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर सहयोग नहिं करय के आरोप लगयलाह...कहलाह कि नीतीश कुमार रेलवे के जमीन देबय में आनाकानी करय छैथ... मुदा स्थानीय लोकक कहनाय छलन्हि जे लालू यादव रेलवे के पैसा पर पार्टी के चुनावी अभियान चला रहल छथि... वो पटना में होबय वाला रैली के लेल भीड़ जुटावय वास्ते ई सभ कय रहल छथि...बिना जमीन के अधिग्रहण कएने ई सभ भ रहल अछि....चलु जे होय लालू यादव के अयलाह से रेलवे स्टेशन क साफ- सफाई भ गेल...रंगाई पोताई भ गेल... महीनों से जे कुड़ा-कचरा छल ओ हटि गेल...स्टेशन चमकि गेल...ओना कार्यक्रम भेल स्टेडियम में...रेल कारखाना मुरहो गांव में बनय के छै मुदा एहिठामक लोक के कहय के छैन जे कारखाना के लेल खाली जमीन लेल जाउ...गांव घर के जमीन नहिं। ओना मधेपु...

फिफ्टी-फिफ्टी में फिसड्डी

भारत नागपुर मैच सेहो हारि गेल...फ्यूचर कप पर ऑस्ट्रेलिया केर कब्जा भ गेल...मैच के आखिर में धोनी आओर उथप्पा अपन भरि पूरा कोशिश कयलाह मुदा ऑस्ट्रेलिया के हराबय में कामयाब नहिं भ पयलाह...आखिर ऑस्ट्रेलिया भारतक खिलाड़ी आओर प्रशंसक दुनु के एहि हकीकत से वाकिफ करवा देलक जे वनडे मैच में हुनकर हाथ पकड़नाई में अखन बड़ दिन अछि...ओ भारतक खिलाड़ि के ई बता देलन्हि जे पचास ओवरक मैच में अखनो हुनके तुती बोलैत अछि... दक्षिण अफ्रीका में खेलल गेल ट्वेंटी-ट्वेंटी में भारत विश्व चैंपियन की बनल लोक सभ हिनका लोकनि स बड़का उम्मीद पालि लेलक... हम सोचय लगलहु जे आब तं ऑस्ट्रेलिया के खैर नहिं...मुदा ऑस्ट्रेलिया अपन खेल में कोनो ढील नहिं देलल आओर भारतीय खिलाड़ी सभक खुमारी उतारि देलक... जखन भारतीय टीम ट्वेंटी-ट्वेंटी के लेल रवाना भेल छल तं टीम सं कोनो खास उम्मीद नहिं छल...सचिन, सौरव ओर राहुल तीनु सुपर स्टार टीम में नहिं छलाह...सभ नवका खिलाड़ी... कोनो अनुभव नहिं... ओहि पर मैच में ट्वेंटी-ट्वेंटीक रफ्तार...बालिंग आओर फील्डिंग में कमजोर...लेकिन कोनो उम्मीद नहिं ...

नवरात्रि

आई सं देश भर में नौ दिन तक मनायल जाइ वाला शारदीय नवरात्र के शुरूआत भ गेल... शुरूआत जलयात्रा आ कलश स्थापन के साथ भेल...पितृपक्ष के बाद नौ दिन देवी के नौ स्वरुपक पूजा कएल जाइत अछि...प्रथम शैलपुत्री, द्वितीय नवरात्र ब्रह्मचारिणी देवी, तृतीय नवरात्र चंद्रघंटा, चतुर्थ नवरात्र देवी कुष्मांडा, पंचम स्कंदमाता, षष्ठ नवरात्र कात्यायनी, सप्तम नवरात्र कालरात्रि, अष्टम नवरात्र महागौरी आओर नवम नवरात्र में भगवती के सिद्धियात्री रूपक उपासना होयत अछि... एहि साल देवी मां दुर्गा डोली पर आबैत छथिन्ह आओर प्रस्थान महिषी पर...लोक सभ अपन घर पर दुर्गा पाठ कए मंदिर में सेहो दर्शन करय लेल पहुंचि रहल छथि। नवरात्र के दौरान लोक सभ व्रत, पूजा पाठ करैत छथि...सात्विक जीवन बिताबय छथि... मांसाहारी खाना छोड़ि देवी मां के पूजा अर्चना करैत छथि...गाम घर में मंदिर सभ के खुब नीक सं सजायल जाइत अछि...कई तरहक कार्यक्रम सेहो होयत अछि...नाटक, गीत- नाच -गान सभ होयत अछि...ऑर्केस्ट्रा मेला-ठेलाक सेहो मजा मिलैत अछि...मंदिर सभ में भारी भीड़ उमड़ैत अछि... दिल्ली में छतरपुर मंदिर, झंडेवालान मंदिर में विशेष भीड़ रहैत अछि...वैष्णो देवी मंद...

मैथिलीक पढ़ाई

मैथिलीक अपन गौरवपूर्ण इतिहास आओर समृद्ध साहित्य रहल अछि...अष्टम अनुसूची में एकरा स्थान मिल चुकल अछि। सरस आ मधुर मैथिलीक लेल सैकड़ों साल पहिने विद्यापति कहने छलथिन्ह देसिल बयना सभ जन मिट्ठा...मैथिलीक मिठास, भाषाक लोच अद्भुत अछि...लालू यादव के मुख्यमंत्री बनला के बाद सं मैथिली मातृभाषा के रूप में सिलेबस सं हटा लेल गेल...आब त मैट्रिक या कॉलेज में विद्यार्थी सभ तं मात्र ५०...१०० नंबर लेल एकरा एकटा विषयक रूपे रखि लैत छथि। ओना अगर कॉलेज, विश्वविद्यालय में पढ़ाई के रूप में देखल जाय त मैथिलीक पढ़ाई सभस पहिने कलकत्ता विश्वविद्यालय में १९१७-१९१८ में शुरू भेल....१९२५-२६ में बनारस में शुरू भेल...पटना विश्वविद्यालय में सेहो १९३७-३८ में मैथिलीक पढ़ाई शुरू कएल गेल... १९७२ में दरभंगा में ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय बनला के बाद एहिठाम सेहो एकर पढ़ाई शुरू भेल...एखन बिहार झारखंड के सभ विश्वविद्यालय में मैथिलीक पढ़ाई भ रहल अछि...मिथिलाक संगहि मैथिलीक पढ़ाई नेपाल के त्रिभुवन विश्वविद्यालय में होयत अछि.....बांग्लादेश के ढ़ाका विश्वविद्यालय में कवि कोकिल विद्यापति एकटा विषयक रूप में पढायल जाइत अछि...जक...

मैथिली कहिआ ?

मैथिलीक विकास के शुरुआती तौर पर प्राकृत आओर अपभ्रंश केर विकास सं जोड़ि क देखल जाय अ...करीब ४-५ करोड़ लोक मैथिली के मातृभाषा के रूप में प्रयोग करय छथिन्ह...मैथिली के अपन समृद्ध इतिहास रहल अ...मैथिली के अपन लिपि अछि मिथिलाक्षर...आओर1965 में साहित्य अकादमी सं मैथिली के साहित्यिक भाषाक दर्जा मिलल। २००३ में एकरा संविधानक अष्टम अनुसूची में शामिल कएल गेल...मिथिलांचल केर बाहर सेहो कयटा विश्वविद्यालय में मैथिलीक पढ़ाई होयत अछि। मुदा करोड़ों लोकक बजनिहार होयबाक बादो एकर जे विकास होबाक चाहि नहिं भेल...राज्य राजनीति केर कारणे ई उपेक्षा के शिकार बनल रहल...स्कूल कॉलेज में एकर पढ़ाई कम भ गेल...मातृभाषा के रूप में ई पाठ्यक्रम सं हटा देल गेल... एकरा लेल सिर्फ राजनेते सभ के दोष नहिं देल जा सकय अ...मैथिल लोक खुद कम जिम्मेदार नहिं छथि...ओ अपन नुनु, बुच्ची के मैथिली नहिं पढ़ावय छथिन्ह...मिथिला में दरभंगा, मधुबनी, सीतामढ़ी, पूर्णिया, सहरसा कतौ चलि जाउ...अहां के अकटा अक्षर मैथिली में लिखल नहिं मिलत...कोनो बैनर, बोर्ड, होर्डिंग, विज्ञापन, पर्चा मैथिली में देखय के नहिं मिलत । एहि लेल की सरकार के दोष देल जाउ ? ...

जीतिया पावनि

मिथिलांचल में पावनि केर कोनो कमी नहिं अछि...मधुश्रावणी, बरसाइत, सामा चकेवा , चौरचन, कोजगरा, जूड़िशीतल ऐहन कतेक पावनि अई...मुदा गाम घर सं बाहर रहला पर कई बेर पता नहिं चलय छै...एहने में एकटा पावनि जितिया पिछला हफ्ता मिथिलांचल में मनाओल गेल...धार्मिक आस्थाक संगहि संग प्रकृति आओर सामाजिक रूप सं अहि पावनि केर खास महत्व अई...एहि पावनि में माय सभ अपन पुत्र...संतान के दीर्घजीवी होबय के कामना करैय छथिन्ह...एहि पावनि में मरुआ... माछ... साग... मिठाईक खास महत्व अई...नदी, पोखरक कात कथा सुनल जायत अछि...ओना जीतिया पावनि मनाबय के पाछा कथा छई जे एकटा राक्षस एकटा गाम में आतंक मचौने छल जकरा स श्रीकृष्ण जी जीमूत वाहन के रूप में अवतार लय रक्षा कएने छलथिन्ह...एहि पावनि में दिन राति सहय पड़य छै...उपवास करय पड़य छै...कहावत सेहो छै... जे जीतिया पावनि बड़ भारि...धिया पुता के ठोकि सुतलन्हि, अपने खयलन्हि भरि थारि...

बयान सं बवाल

जी कृष्णैया हत्याकांड में राजनेता सभ के मिलल सजा केर बाद गृहसचिव अफजल अमानुल्लाह के बयान स राज्य में खलबली मचल अछि...कृष्णैया मामला में फैसला आबिते गृह सचिव ई कहि सनसनी फैला देलाह कि सरकार के 21टा बाहुबली पर खास नजर अछि आओर जल्दीए हुनका सभ के ऊपर शिकंजा कसल जायत...आपराधिक पृष्ठभूमि वाला राजनेता आओर बाहुबली जिनका ऊपर शिकंजा कसल छनि हुनकर संख्या ४३ अछि...मुदा 21टा बाहुबली नेता पर खास नजरि अई जे हत्या केर मामला में फंसल छथि. २१ टा बाहुबली के संकेत देल गेल... खबर अई जे ओहि में प्रभुनाथ सिंह, सूरजभान सिंह, सुनील पांडे, शहाबुद्दीन, पप्पू यादव, राजन तिवारी, अनंत सिंह आओर रामा सिंह के नाम शामिल अई...मुदा गृह सचिव केर बयान के बाद जे बवाल शुरू भेल अछि...ओ शांत होबाक नाम नहिं ल रहल अछि...प्रभुनाथ सिंह त सभस बेस भड़कल छथि...हुनकर कहनाय छैन जे गृहसचिव के ई अधिकार के देलक जे ओ ऐहन बात करैत छथि...सरकार स हुनका हटावय के मांग सेहो शुरू भ गेल...सरकार सेहो परेशान अई...श्री अमानुल्लाह के माननाय छनि जे ई लोक मामला के लटकाबय के हरसंभव कोशिश करताह...कोनो हथकंडा अपना सकय छथि॥ मुदा एहि मामला के राजनीतिक रंग ले...

टीवी जर्नलिज्म

ऑर्कुट पर एकटा मित्र के स्क्रेप आयल कि इलेक्ट्रॉनिक पत्रकारिता में केना आयल जाय आओर ई की छै एकरा बारे में किछु बताउ...हमरा विचार सं एकरा बारे में ब्लॉग पर बतयनाय बेस नीक होयत... किएक त एहि बारे में आओर लोक के सेहो पता चलि जैतन्हि...आई काल्हि मीडिया में सभस तेजी सं बढ़य वाला किछु अई त ओ अछि इलेक्ट्रॉनिक मीडिया...टीवी जर्नलिज्म...पहिने त दूरदर्शन आ आकाशवाणीए छल... मुदा आब त ऐहन हाल छे जे चैनलक बाढ़ि आबि गेल ...न्यूज़ चैनल देखल जाय त आजतक, स्टार न्यूज, इंडिया टीवी, एनडीटीवी, आईबीएन ७ , जी न्यूज़... आओर सहारा समय टीआरपी में ऊपर रहय वाला चैनल अई...ई त भेल हिन्दी वाला अंग्रेजी में एनडीटीवी २४ / ७ , सीएनएन आईबीएन, टाइम्स नॉउ, प्रमुख अई...एकरा अलावा सीएनबीसी आवाज, जी बिजनेस, एनडीटीवी प्रॉफिट, मेट्रो नेशन, तेज, सहारा समय एनसीआर, मुंबई, उत्तर प्रदेश/ उत्तराखंड, बिहार/ झारखंड, मध्यप्रदेश/ छत्तीसगढ़, ईटीवी, टोटल टीवी, एस वन, एमएचवन जैसन दर्जनों चैनल अई...आओर जल्दीए बीएजी, त्रिवेणी, आईएनएक्स, सहारा समय के उर्दु, राजस्थान आओर पंजाब चैनल आबय वाला अछि। जखन एतेक चैनल आबि रहल छै त लोकसभ क...

मॉडल स्टेशन पूर्णिया

रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव आई पूर्णिया के रेलवे जंक्शन भवनक उद्घाटन कएलाह...स्टेशन पर कइटा सुविधाक उद्घाटन कएल गेल...जंक्शन के पैदल ऊपरि पुलक शिलान्यास... रेलभवन सर्क्युलेटिंग एरिया आओर अनारक्षित रेलवे टिकट प्रणालीक उद्घाटन भेल...एहि मौका पर स्टेशन पर भारी भीड़ उमड़ल ...स्थानीय विधायक, सांसद छेहो छलाह... समारोह के ल क खूब रंगरोगन कएल गेल छल...साफ सफाई पर सेहो ध्यान देल गेल छल...स्टेशन के तं रूपे बदलि गेल देल छल...लगते नहिं छल जे ई पूर्णिया के स्टेशन छै...अपन भाषण में लालू यादव कहलथिन्ह जे ई बात के ध्यान रखल जाइत जे किसान भाई के रेल सं सुविधा मिलय...पूर्णिया आओर धमदाहा के किसान सभ के बाजार मुहैया करावय लेल रेल सुविधा देल जायत...रेल मंत्री ईहो कहलथिन्ह जे आमान परिवर्तनक काज समय पर पूरा कए लेल जायत...लालू यादव रिमोट सं बनमनखी में कम्प्यूटरीकृत आरक्षण प्रणाली शुरू कअलाह। पूर्णिया के मॉडल स्टेशन बनवा सं इलाका के लोक सभ बड़ खुश छथि.

प्याजक दाम

प्याजक दाम आसमान छू रहल अछि...एकर बढ़ल दाम सं लोकक आंखि सं एक बेर फेर लोर खसय लागल अई...दिल्ली में त प्याज ३० रुपए किलो तक बिक रहल अछि...महीना दिन पहिने एकर दाम १० सं १५ रुपए किलो छल... दिल्लीए नहिं देशक सभस बड़का प्याजक मंडी नासिक में सेहो प्याज किल्लत भ गेलय अ...पानि सं प्याजक नवका फसल के नुकसान पहुंचल अ आओर पुरनका स्ट़ॉक सेहो खत्म होय वाला छई...ऐहन में जखन तक दोसर ठाम सं नवका स्टॉक नहिं आयत , कमी बनल रहत। ओना एहि स जुड़ल लोक के कहनाय छैन जे एहि बेर प्याज पिछला बेर स ज्यादा उपजल अ...भ सकय अ २०-२५ दिन में कर्नाटक, महाराष्ट्र आओर राजस्थान सं नवका खेप अयला पर दाम में किछु कमी आबय... मुदा एकर दाम बेर- बेर नहिं बढ़य एकरा लेल सरकार के ठोस आओर दीर्घकालीन नीति बनाबय के जरूरत अई... किएक त २०-२५ दिन बाद जे होय अखन त लोर निकलिए रहल अछि...एकर दाम पर राजनीति सेहो होयत आइल अ...कई बेर त एकरा लक सरकार तक गिर चुकल अई...ओना रमजान आओर पूजा के महीना में लोकक गुस्सा नहिं फूटय एकरा लेल दिल्ली सरकार के त कई ठाम प्याज बेचय लेल स्टोर खोलय पड़ल अ.

आनंद मोहन के सज़ा

तेरह साल पहिने...४ दिसम्बर १९९४ के बाहुबली विधायक मुन्ना शुक्ला के बड़ भाई छोटन शुक्लाक हत्या क देल गेल छल...एकर अगिला दिन ५ तारीख के मुजफ्फरपुर के खबरा में हत्याक विरोध में हजारों लोक शव लक सड़क पर उतरि गेलाह...हत्या के लक ओहि समयक लालू सरकार के खिलाफ लोक में बड़ गुस्सा छल...सरकार...प्रशासन के खिलाफ नाराबाजी करैत भीड़ आगा बढ़ि रहल छल...कि संयोग देखियौ तखने गोपालगंज के डीएम जी कृष्णैया मुजफ्फरपुर सं मीटिंग कए हाजीपुर दक लौटि रहल छलाह...भीड़क लोक सभ ई कहैत हुनकर गाड़ि पर टूटि पड़क कि छोटन शुक्ला के हत्या प्रशासनक मदद सं भेल अछि...हुनका घेर क हत्या कए देल गेल...१३ साल चलल अदालती लड़ाई के बाद फैसला आइल...सात लोक के दोषी मानल गेल...जहि में भीड़क नेतृत्व करय वाला पूर्व सांसद आनंद मोहन के फांसी के आओर हुनकर पत्नी पूर्व सांसद लवली आनंद के उम्रकैद केर सजा सुनालय गेल...बाहुबली विधायक मुन्ना शुक्ला के उम्रकैद के सजा सुनाइल गेल...फैसला के खिलाफ हाईकोर्ट में अपील कएल जा सकय अ...फांसी के सजा होय के बाद आनंद मोहन के गांव सहरसा के पंचगछिया में गमक माहौल बनि गेल...हुनका घर पर लोकक तांता लगि गेल...आस...

ऑर्कुट-मैं हूं ना

आई काल्हिक भागि-दौड़ केर दुनिया में हम सभ नहिं तं ककरो अपन दिलक बात कहि पावय छी आ नहिं सुनि पावय छी...बस काज...काज आओर काज...एहि में हमर सभक दुनिया सिमटि कय रहि गेल अछि...ऑफिस सं घर आ घर सं ऑफिस...दोसर कोनो काज नहिं...आओर काज स बढय अ टेंशन...ऑफिस में काजक टेंशन...पढ़ाई के टेंशन...तं एक्जामक टेंशन...नौकरीक टेंशन...बॉस स झिक-झिक... गर्लफ्रेंड स अनबन...मनमुटाव...टेंशने...टेंशन... एहि में हम चाहैत छि जे कोई एहन होय जकरा स दिलक बात क सकी...कोय एहन होय जकरा सं अपन दुख दर्द बांटि सकी... जकरा सं दिलक बात करी त ओ मजाक नहिं बनाबय...ऊ भरोसा के लायक होय...अगर कोनो बात बताबि त ओकरा गंभीरता स लय... एहि सभ के ध्यान में रखि ऑर्कुट पर हम बनौने छी एकटा कम्युनिटी...मैं हूं ना...एहि में हम सभ एक दोसर स अपन दिलक बात करब...सुनब... पूरा धैर्य के साथ...धीरजक साथ...दोसराक परेशानी पर हंसय के बजाय हम ओकरा सुलझाबय के कोशिश करब... हुनकर दपख दर्द के दूर करय के कोशिश करब...जतय गोपनीयता बरतय के जरूरत होयत बरतब... किएक तं आजुक युग में एहन लोक मुश्किल सं मिलैत अई जे दोसर के बात धैर्य स सुनय छथि आओर ओकरा ...

मधुश्रावणी

आई प्रेस क्लब स बाहर निकलैत समय पवनजी मिल गेलाह...पुछलएन्हि कि औ बड़ दिन बाद दर्शन देलहुं...त कहलाह गाम गेल छलहुं मधुश्रावनी पर...पानि के कारण बाढ़ि में गामे पर फंसि गेलहुं एहि कारणे आबय में देर भ गेल...मधुश्रावणी के बात आबतहि मन भेल जे एकरा बारे में अहां सभ बात कएल जाय... मधुश्रावणी केर अपन मिथिला में विशेष स्थान अई...ई नवविवाहिता स्त्रीक पावनि अछि...नवकनिया सभ अपन पतिक दीर्घायु लेल ई पावनि करैत छथि...ई पावनि नैहर में मनायल जाइत अछि...मुदा एहि बेर बाढ़ि के कारणे कइटा नवकनिया के सासुरे में पूजा करय पड़लन्हि... मधुश्रावणीक पूजा विवाहक पहिल सावन केर नागपंचमी के दिन शुरू होयत अछि आओर तेरह दिन तक लगातार पूजा होयत अछि...अहि में तेरहों दिन नव नव कथा सुनायल जायत अछि...कथैथिन कथा कहैत छथिन्ह... एहि में गृहस्थ जीवन में प्रवेशक कहानी- कथा होएत अछि...जेहि में व्यावहारिक पहलू के साथहिं यौन शिक्षा सेहो रहैत अछि...एहि कथाक बड़ महत्व अछि...एकरा एहि तरहे बनाओल गेल अछि कि एकरा पालन कएला सं जीवन सुचारु रूपें चलि सकय...अनुभवक सार रहैत अछि कथा में। हमरा याद अछि...

इंद्र पूजा

उत्तर बिहार या ई कहियौ मिथिलांचल में लगातार कई दिन सं भ रहल बारिश स इंद्र पूजा में ओतेक रमन चमन नहिं रहल...ओना इंद्र पूजा सभ ठाम होबो नई करय अ...दरभंगा, राजनगर आ मधुबनी में ई पूजा खूब धूमधाम सं मनायल जाइत अछि...ई तीनु जगह में मधुबनी में रमन चमन किछु ज्यादा रहय छै...दरभंगा में तS इंद्र भवन में पूजा होइत अछि आओर इंद्र मैदान में मेला लगैत अछि...ओना मेला में आब ओ बात नहिं रहल...राजनगर में लाइब्रेरी बिल्डिंग कैम्पस में होइत अछि...एहि ठाम आब जगह कम पड़ैत अछि...ओना जगहक दिक्कत मधुबनी में सेहो होयत अछि मुदा मेला ठेला में एहि ठाम किछु ज्यादा रौनक रहय छै। इंद्र पूजा में एहि बेर सेहो खूब धूमधाम स तैयारी कएल गेल...खूब सजावट कएल गेल...झालर बाति...फूल पत्ती लगाएल गेल...इंद्र भगवानक आओर दोसर देवताक बड़ नीक...सुन्दर मूर्ति बनाएल गेल...कइटा पंडाल बनाओल गेल...पंडाल के सजावट त देखते बनय...मधुबनीए केर नहिं बाहर सं सेहो दोकानदार सभ एहिठाम आबि अपन अपन दोकान सजयलाह...मुदा बारिशक कारणे रंग में कनि भंग पड़ि गेल...लोक कमे घर स निकलैत छथि...चारु कात कादो-कादो बनल अछि...पूजा छै त दर्शन करय त...

अहिंसा दिवस

दु अक्टूबर अखन धरि गांधी जयंती के रूप में मनायल जाइत छल...मुदा आब ई भारतहि के लेल नहिं दुनिया भर के लेल खास दिन भ गेल अछि...दुनिया भर में आई २ अक्टूबर अहिंसा दिवस के रूप में मनायल जा रहल अछि. एहि सं गांधी जी के सत्य आओर अहिंसाक संदेश आओर मजबूती से ऊभरल अई. आतंकवाद स जूझि रहल दुनिया के मानय पड़ल कि अंहिसा स बड़का कोनो धर्म नहिं...एकरा स बढ़िक कोनो हथियार नहिं. दुनिया में आई काल्हि जे मारि-काटि मचल अई...हथियारक होड़ मचल अई... खून खराबा भ रहल अई...चारू कात अशांति फैलल अई...एहि में गांधीजी के विचार सभस कारगर अई...आखिर देर सबेर संयुक्त राष्ट्र के सेहो मानय पड़ल जे सत्य, शांति आओर अहिंसा एहन डोर अई जकरा स दुनिया के एक सूत्र में बांधल जा सकय अ. भारत में हम सभ त कहिते छलहुं...आब दुनिया के सेहो कहय पड़ल जे गांधीजी के संदेश...आदर्श...विचार आईओ प्रासंगिक अई...ओना बापू के बतायल सत्य, शांति आओर अहिंसा केर रास्ता पर चलनाय आसान नहिं अछि....ई रास्ता जतय देखय में आसान अछि ओतेक अछि नहिं...एकरा लेल दृढ़ संकल्पशक्ति के जरूरत छै...ओकर बिना ई संभव नहिं...ऊ त राष्ट्रपिता बापूए छलाह जे शुरू सं अंत धरि अपन सिद...