Skip to main content

बिहार में रिलायंस


दुनिया के पांचवां सभस अमीर आदमी पटना में...हां महाअष्टमी के दिन रिलायंस इंडस्ट्रीज के सर्वेसर्वा मुकेश अंबानी पटना में छलाह...मुकेशजी के ई पहिल बिहार यात्रा छल आओर आब अहां उम्मीद क सकय छी जे बिहार के भाग्य खुलि गेल अछि... जल्दीए बिहार सेहो विकासक रेस में आगां निकलय लागत...मुकेश अंबानी के बिहार लनाय राज्य सरकार के बड़का कामयाबी छै...नीतीश सरकार बनला के बाद राज्य में निवेश के मकसद से आबय वाला ओ चौथा उद्योगपति छथिन्ह...हिनका सं पहिने टाटा समूह के अध्यक्ष रतन टाटा, महिन्द्रा आओर महिन्द्रा के आनन्द महिन्द्रा आओर भारती ग्रुप के सुनील भारती मित्तल दौरा क चुकल छथिन्ह...
अगर एहिना उद्योगपति सभक दौरा होयत रहल त किछु न किछु निवेशक माहौल बनबे करत...राज्य में पैसा अइबे करत...किएक त बिहार में मजदूर... श्रमशक्ति... युवाशक्ति...के कमी नहिं छै...पत्रकारिता... सिविल सर्विसेज...स्टॉफ सलेक्शन...बैंक पीओ... आईआईटी... मेडिकल... आईआईएम सभ में बिहारक छात्रक धाक चलय छै... भने बाहर बिहार के लोकक के बिहारी कहि मजाक उड़ाबय छै मुदा बिहारी अपन काम काज सं सभठाम छायल छथि...आई काल्हि आईटी क्षेत्र में सेहो अपन जोरदार उपस्थिति दर्ज कएने जा रहल छथि...मुदा बिहारी कहाबय लेल हम खुद जिम्मेदार छी...
आब जखन रिलायंस के मुकेश अंबानी जी के नजर बिहार पर पड़ल अई ते विकास होयबे करत...ई जरूर छै जे अहि मे ओ अपन दीर्घकालीन फायदा...नफा..लाभ देखय छथिन्ह...मुदा एहि सं एहिठामक लोकक के रोजगार मिलत..बेरोजगारी दूर होएत...राज्य सं होय वाला लोकक पलायन कम होयत...गाम घर में विकासक किरण दिखत...किएक त ओ कहबै कएलाह जे हुनकर नजर बिहार में गामक विकास आओर सौर ऊर्जा पर अछि...आओर एहि लेल ओ दीर्घकालीन नीति पर काज करताह...ओ दस साल--पन्द्रह साल के लक्ष्य लक चलताह...
पटना में मुख्यमंत्री के संग भेंट में ओ कहलथिन्ह जे बिहार के लोक बड़ मेहनती छथि आओर एहिठामक युवा बड़ मेघावी छथि...ओ एहिठाम खाद्य प्रसंस्करण... कृषि विकास... ऊर्जा आओर युवा शक्ति में काफी संभावना देखलथिन्ह... हुनकर पाई लगायला सं बिहारक तस्वीर 10-15 साल में किछ आओर रहत...किएक त जहिठाम रिलायंस के निवेश भेल अ ओहि ठामक सूरत बदलि गेल अ...चारु कात सं विकास भेल अ...
पटना में जखन ओ अपन विमान सं पहुंचलाह तं हुनकर जोरदार स्वागत कएल गेल...राज्य केर जानु सभटा बड़का अधिकारी हुनका स्वागत लेल मौजूद छलाह...हुनकर स्वागत सं लक खान पान तक सभ पर बिहारक परम्परा..रीति-रिवाज के विशेष ध्यान रखल गेल छल...खाना में गुजराती सं लक लिट्टी चोखा तक परसल गेल...अंबानीजी सेहो खुश छलाह आओर मुख्यमंत्रीजी सं कहबो कएलथिन्ह जे बिहारक विकासक बिना देशक विकास संभव नहिं अछि आओर जल्दिए बिहार में विकासक बयार चलत..अहि सं एहिठामक लोक के संग संग हुनकर स्टॉक होल्डर से सेहो फायदा होयत...रिलायंस प्रमुख के ईहो कहलाय छलन्हि जे पश्चिम भारत में हुनकर ग्रुप जेहि क्षेत्र में काज क रहल अछि मानु त ओहि सभ में पाई लगायल जाइत...चलु नवरात्र में हुनकर अनाय बिहार के लेल शुभ होय...

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...