नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

प्याजक दाम

प्याजक दाम आसमान छू रहल अछि...एकर बढ़ल दाम सं लोकक आंखि सं एक बेर फेर लोर खसय लागल अई...दिल्ली में त प्याज ३० रुपए किलो तक बिक रहल अछि...महीना दिन पहिने एकर दाम १० सं १५ रुपए किलो छल... दिल्लीए नहिं देशक सभस बड़का प्याजक मंडी नासिक में सेहो प्याज किल्लत भ गेलय अ...पानि सं प्याजक नवका फसल के नुकसान पहुंचल अ आओर पुरनका स्ट़ॉक सेहो खत्म होय वाला छई...ऐहन में जखन तक दोसर ठाम सं नवका स्टॉक नहिं आयत , कमी बनल रहत। ओना एहि स जुड़ल लोक के कहनाय छैन जे एहि बेर प्याज पिछला बेर स ज्यादा उपजल अ...भ सकय अ २०-२५ दिन में कर्नाटक, महाराष्ट्र आओर राजस्थान सं नवका खेप अयला पर दाम में किछु कमी आबय...
मुदा एकर दाम बेर- बेर नहिं बढ़य एकरा लेल सरकार के ठोस आओर दीर्घकालीन नीति बनाबय के जरूरत अई... किएक त २०-२५ दिन बाद जे होय अखन त लोर निकलिए रहल अछि...एकर दाम पर राजनीति सेहो होयत आइल अ...कई बेर त एकरा लक सरकार तक गिर चुकल अई...ओना रमजान आओर पूजा के महीना में लोकक गुस्सा नहिं फूटय एकरा लेल दिल्ली सरकार के त कई ठाम प्याज बेचय लेल स्टोर खोलय पड़ल अ.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु