रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव आई पूर्णिया के रेलवे जंक्शन भवनक उद्घाटन कएलाह...स्टेशन पर कइटा सुविधाक उद्घाटन कएल गेल...जंक्शन के पैदल ऊपरि पुलक शिलान्यास... रेलभवन सर्क्युलेटिंग एरिया आओर अनारक्षित रेलवे टिकट प्रणालीक उद्घाटन भेल...एहि मौका पर स्टेशन पर भारी भीड़ उमड़ल ...स्थानीय विधायक, सांसद छेहो छलाह... समारोह के ल क खूब रंगरोगन कएल गेल छल...साफ सफाई पर सेहो ध्यान देल गेल छल...स्टेशन के तं रूपे बदलि गेल देल छल...लगते नहिं छल जे ई पूर्णिया के स्टेशन छै...अपन भाषण में लालू यादव कहलथिन्ह जे ई बात के ध्यान रखल जाइत जे किसान भाई के रेल सं सुविधा मिलय...पूर्णिया आओर धमदाहा के किसान सभ के बाजार मुहैया करावय लेल रेल सुविधा देल जायत...रेल मंत्री ईहो कहलथिन्ह जे आमान परिवर्तनक काज समय पर पूरा कए लेल जायत...लालू यादव रिमोट सं बनमनखी में कम्प्यूटरीकृत आरक्षण प्रणाली शुरू कअलाह।
पूर्णिया के मॉडल स्टेशन बनवा सं इलाका के लोक सभ बड़ खुश छथि.
A really good and intresting attempt to make maithali language popular....Good attempt ...Keep it up
जवाब देंहटाएंराकेशजी एहिना उत्साह बढ़ाबैत रहिऔ..धन्यवाद
जवाब देंहटाएं