नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

इंद्र पूजा

उत्तर बिहार या ई कहियौ मिथिलांचल में लगातार कई दिन सं भ रहल बारिश स इंद्र पूजा में ओतेक रमन चमन नहिं रहल...ओना इंद्र पूजा सभ ठाम होबो नई करय अ...दरभंगा, राजनगर आ मधुबनी में ई पूजा खूब धूमधाम सं मनायल जाइत अछि...ई तीनु जगह में मधुबनी में रमन चमन किछु ज्यादा रहय छै...दरभंगा में तS इंद्र भवन में पूजा होइत अछि आओर इंद्र मैदान में मेला लगैत अछि...ओना मेला में आब ओ बात नहिं रहल...राजनगर में लाइब्रेरी बिल्डिंग कैम्पस में होइत अछि...एहि ठाम आब जगह कम पड़ैत अछि...ओना जगहक दिक्कत मधुबनी में सेहो होयत अछि मुदा मेला ठेला में एहि ठाम किछु ज्यादा रौनक रहय छै।
इंद्र पूजा में एहि बेर सेहो खूब धूमधाम स तैयारी कएल गेल...खूब सजावट कएल गेल...झालर बाति...फूल पत्ती लगाएल गेल...इंद्र भगवानक आओर दोसर देवताक बड़ नीक...सुन्दर मूर्ति बनाएल गेल...कइटा पंडाल बनाओल गेल...पंडाल के सजावट त देखते बनय...मधुबनीए केर नहिं बाहर सं सेहो दोकानदार सभ एहिठाम आबि अपन अपन दोकान सजयलाह...मुदा बारिशक कारणे रंग में कनि भंग पड़ि गेल...लोक कमे घर स निकलैत छथि...चारु कात कादो-कादो बनल अछि...पूजा छै त दर्शन करय त जाइए पड़त मुदा बड़ दिक्कत भ रहल छै...बरखा सं दोकानदार सभ सेहो झक मारय पड़ल...ओना पानि कम होला पर मौसम जखन साफ भ जाइत अछि लोकक भीड़ उमड़य लागैत अछि...

मौसम साफ रहला पर लोक सभ भगवान इंद्र के साथ- साथ दोसरो भगवान के देर तक दर्शन करैत छथि... रंग बिरंग के पंडाल सभ के देखय छथि...सजावट देखय छथि...चारि चक्कर लगा दैत छथि... रंगीनी बनय रहल अछि... पानि में त सभ किछु कादो कादो भ जाइत अछि...थियेटर...झूला...आ दोसर प्रोग्राम सभ के आनन्द सेहो मौसम साफ रहलाए पर मिलैत अछि...


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु