Skip to main content

Posts

विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी सम्मान (मैथिली)

विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी सम्मान (मैथिली)   १.विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी फेलो पुरस्कार २०१०-११ २०१० श्री गोविन्द झा (समग्र योगदान लेल) २०११ श्री रमानन्द रेणु (समग्र योगदान लेल) २.विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी पुरस्कार २०११-१२ २०११ मूल पुरस्कार- श्री जगदीश प्रसाद मण्डल (गामक जिनगी, कथा संग्रह) २०११ बाल साहित्य पुरस्कार- ले.क.

रेलवे केर नवका ई टिकट सेवा

रेलवे अपन एकटा नवका ई टिकट सेवा शुरू करय जा रहल अछि. अखन इंटरनेट के माध्यम सं टिकट कटाबय लेल आईआरसीटीसी के साइट पर जाsक टिकट कटाबय पड़ैत अछि. खबर अछि जे आईआरसीटीसी के ई टिकट के सेवा सेहो जारी रहत मुदा रेलवे अपन खुद के सेवा लांच करत. एहि ई टिकट... इंटरनेट सं टिकट कटाबय मे रेलवे एजेंट के कोनो जगह नहि होएत. एहि मे अहां अपन पर्सनल टिकट कटा सकय छी... अपन परिवार के टिकट कटा सकय छी. थोक मे एजेंट जsका टिकट नहि कटा सकय छी. एहि साइट पर टिकट एजेंट आओर दोसर बिजनेस करय वाला... टिकट सं कमाय करय

चतुरानन मिश्रजीs के श्रद्धांजलि

लोक सभ के बीच चतुरा बाबू के नाम सं प्रसिद्ध चतुरानन मिश्रजीक निधन के खबर सुनि एक बेर तं विश्वास नहि भेल. यकीन नहि भेल जे बाबा आब हमरा सभ के बीच नहि छथिन्ह. हुनकर चेहरा आंखि के सामने घुमय लागल. बाबा काफी दिन सं बीमार छलखिन्ह...आओर दिल्ली के एम्स मे हिनकर इलाज चलि रहल छलन्हि. बाबा अस्पताले मे 2 जुलाई के अंतिम सांस लेलाह. बाबा अपना पाछा एकटा पुत्र प्रमोद जी आओर

की फेर गुंजत ओ आवाज?

जीवन आ मृत्युक बीच में ठाड़ युवा लोक गायिका अंशुमालाक कद्रदान कतय नहि अछि. हुनकर दुनू किडनी ख़राब भ गेल अछि. बड़ आ सासुरक लोक हुनका सें आपन दामन छुड़ा लेने अछि. ताहि सें समाज आ सरकारक कोनो जिम्मदारी नहि बनैत अछि की? बेसी दिन नहि भेल अछि, दू बरख पहिने जिनकर लोक गायकी के कद्रदान पटना से ल क दिल्ली धरि छल. ओ आवाज एखन कतय अछि? अहि आवाजक दम पर पटना विश्वविद्यालय से ल क दिल्ली विश्वविद्यालय के मिरांडा हाउस अप्पन प्रतिष्ठा कायम राखैत छल. बिहार सरकार हुनकर कला पर इतराबैत छल आ दिल्ली में जखन कहियो बिहारक अस्मिताक गप होयत छल ते ओकरा बचाबैक लेल हुनकर आवाज काफी छल. मैथिली आ भोजपुरी के नब कलाकारक गप होयत छल ते सबहक जुबां पर नाम होयत छल- अंशुमाला. जिनगी और मृत्यु क जे फासला अछि,, ओहि फासला के बीच आय युवा लोक गायिका अंशुमाला ठाड़ छथिन, क्याकि हुनकर

मिथिलाक सुपुत्र निग्मानंद के श्रद्धांजलि

मिथिलाक बिहार प्रान्तक दरभंगा में लदारी गाम आ ओहि गाम में अभियंता श्री प्रकाश झा आ हुनक धर्म्पत्निक सुपुत्र श्री स्वरुपम कुमार झा जे १९९५ में दीक्षा प्राप्त क बनिगेला स्वामी निग्मानंद. ३४ वर्षीय स्वामी १९ फरवरी , २०११ सं निरंतर रूपें पवित्र गंगाक अस्तित्व बचेबाक हेतु आमरण अनशन पर बैसल छलाह. ३ मासक कठोर अनशन पर बैसल स्वामी जीक दिस कहियो सरकारक नजर नई गेल २७ अप्रैल, २०११ के दिन हुनक अचेतन स्वास्थ अवस्था देखि

गलत मूल्यांकन सं छात्र परेशान...जिम्मेदार के?

बिहार-झारखंड के हजारों छात्र गलत मूल्यांकन के शिकार बनि गेल छथिन्ह. टीचर के गलत मूल्यांकन के खामियाजा विद्यार्थी के भुगतय पड़ि रहल छनि. दुनू राज्य मे हाल ई अछि जे हजारों छात्र परीक्षा पास नहि करि पाएल छथिन्ह. बिहार मे सीबीएसई रिजल्ट मे फेल छात्र सभ काफी गुस्सा मे छथिन्ह. पटना मे तं छात्र आओर गार्जियन सभ सीबीएसई के दफ्तर पर काफी हो-हल्ला सेहो करलखिन्ह. एहिठाम एहन भेल कि गणित आओर भौतिकी मे

घटि रहल अछि फेसबुक प्रशंसक

अहां सभ के ई जानि कं अचरज होएत जे इंडिया मे दिन पर दिन लोकप्रिय भ रहल फेसबुक के उपयोग करय वाला के संख्या अमेरिका मे घटि रहल अछि. सोशल नेटवर्किंग साइट मे फेसबुक सं पहिने ऑर्कुट के जलवा छल. मुदा फेसबुक अएला के बाद लोक ऑर्कुट... मायस्पेस जैसन सोशल नेटवर्किंग साइट सं हटिs क एहि पर चलि अएला. मुदा आब लगैत अछि जे फेसबुक के धाक सेहो कम भेल जा रहल अछि. संख्या घटय के ई हाल अछि जे सिर्फ पिछला मास अमेरिका मे

वट सावित्री व्रत

सदा सुहागन रहि...सदिखन सधवा रहि... आजीवन पति के सुख मिलैत रहय... एहि लेल महिला लोकनि वट सावित्री करय छथीह. वट सावित्री व्रत जेठ मास के अमावस्या के होएत अछि. मधुश्रावणी...कोजगरा जकां नवविवाहिता कनिया के लेल एहि व्रत के विशेष महत्व अछि. ओना तं ई पावनि देश भर मे मनाएल जाएत अछि. मुदा मिथिला मे एकर खास महत्व अछि. नवविवाहिता सभ के तं मायका...नैहर सं एहि पावनि के लेल पूजा

आब छोट शहर लेल एयर इंडिया के हवाई सेवा

एयर इंडिया जल्दीए देश के छोट शहर के लेल अपन हवाई सेवा शुरू करय जा रहल अछि. असल मे देश मे काफी समय सं छोट-छोट शहर के लेल हवाई सुविधा के लेल मांग उठि रहल छल. एयर इंडिया एहि मांग सं फायदा उठाबय चाही रहल अछि. संगहि संग नव-नव डेस्टीनेशन पर सेवा शुरू करला सं आमदनी सेहो बढ़त. एहि के लेल तैयारी शुरू करि देल गेल अछि. एयर इंडिया एहि के लेल अपन विमान के संख्या बढ़ा रहल अछि. कनेक्टिविटी के लेल जरूरी संसाधन जुटाएल जा रहल अछि. इहो देखल जा रहल

मां-बाबूजीक सेवा लेल मिलत छुट्टी

बिहार मे सरकारी कर्मचारी के लेल एकटा नीक खबर अछि. राज्य के सरकारी कर्मचारी के आब हर दू साल पर 15 दिन के छुट्टी अपन माता-पिताक सेवा लेल मिलतन्हि. छुट्टी तं मिलत मुदा सरकार अहां के छुट्टी पर नजर सेहो राखत. एहि छुट्टी के दौरान अगर अहां सेवा करैत नहि पाएल गेलहुं तं अहां दंड के भागी सेहो बनि सकैत छी. अपन मां-पिताजीक सेवा नहि करय वाला कर्मचारी के अपन मां-पिताजी के हर मास दस

मधुबनी मे गरीबरथ सं टकरायल बोलेरो-14 मरलाह

बिहार के मधुबनी जिला मे ट्रेन-बोलेरो के एकटा भीषण टक्कर मे 14 लोक मारल गेलाह. गंभीररूप सं घायल लोक के इलाज पास के अस्पताल मे चलि रहल अछि. ई टक्कर मधुबनी स्टेशन सं आगां आओर राजनगर स्टेशन सं पहिने भरिया-विशुनपुर के बीच भेल. Photo: Sonu Mishra  दिल्ली सं जयनगर जाए वाला गरीबरथ ट्रेन अपन पूरा स्पीड मे छल. ट्रेन मधुबनी सं करीब साढ़े बारह बजे दिन मे खुलला के बाद जयनगर जा रहल छल कि बिना फाटक वाला

टीचर बहाली प्रक्रिया 25 सं शुरू

बिहार मे प्राइमरी आओर मिडिल स्कूलक टीचर बहाली के प्रक्रिया बुध दिन 25 तारीख सं शुरू भ रहल अछि. पिछला लेख मे हम अहां सभ के बतौने छलहुं जे बिहार मे करीब तीन लाख शिक्षकक बहाली होए वाला अछि. तं आब जुटि जाउ जोर-शोर सं. अपन कलम-दवात...सर्टिफिकेट साफ कs लिअ. किताब सभ पर कनि नजर दौड़ा लिअ. पात्रता परीक्षा पास करनाय कठिन नहि अछि. बस कनि मेहनत करि लिअ किछ दिन... नौकरी हाथ मे होएत. एहन मौका बेर-बेर नहि आएत. पात्रता परीक्षा के फॉर्म

आब मधुबनी शैली मे कार्टून

आब अहांके जल्दीए मधुबनी शैली मे बनल कार्टून देखय के मौका मिल सकैत अछि. कार्टून बनाबय के ई शुभ काज करय जा रहल अछि रिलायंस बिग एम्स... Reliance BIG AIMS (Animation Infotainment & Media School). रिलायंस बिग एम्स एहि सं पहिने बच्चा सभ के लोकप्रिय कार्टून लिटिल कृष्णा बना चुकल अछि. रिलायंस बिग एम्स के कहनाय अछि जे देश के कला-संस्कृति के बढ़ावा देबय लेल ओ मधुबनी पेंटिंग आओर दोसर शैली मे कार्टून बनाएत. बिग एम्स के मुताबिक डिजिटल तकनीक सं

बिहार मे 3 लाख शिक्षकक बहाली

बिहार मे तीन लाख प्राइमरी टीचरक बहाली होए वाला अछि. एहि लेल उम्मीद अछि जे 17 जुलाई के परीक्षा होएत. बिहार के बेरोजगार लोक के लेल ई बड़ नीक मौका अछि. पिछला बेर जखन टीचर बहाली प्रक्रिया चलल छल तं हमर गामक जतेक लोक नौकरी के तलाश मे छलाह सभ के ओहि मे नौकरी मिल गेल छलन्हि. बस कनि मेहनत करि तैयारी करलाह पर कामयाबी मिल जाएत. अगर अहां खुद नौकरी के तलाश मे छी आ फेर कोनो जान-पहचान

बिजली संकट सं बेहाल बिहार

बिहार मे बिजली संकट एकदम सं गहरा गेल अछि. एक तं भीषण गरमी... दोसर लाइन नहि. लोक सभ पसीने-पसीने भेल छथिन्ह. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो केंद्र के आगां परेशान छथिन्ह. केन्द्र सं जे बिजली के कोटा तय अछि ओकरा हिसाब सं बिहार के बिजली नहि देल जा रहल अछि. एहि प्रचंड गरमी मे बिजली के मांग अछि करीब

पटना मे सेहो रिंग सेवा

पटना मे रवि 15 तारीख सं बिहार राज्य पथ परिवहन निगम केर रिंग सेवा बस शुरू भ रहल अछि. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि रिंग सेवा केर बस के झंडा देखा रवाना करथिन्ह  रिंग बस सेवा केर ई बस 7 रुट पर 5 बजे भोर सं राति के 11.30 बजे तक चलत. हर रूट के अलग-अलग