Skip to main content

की फेर गुंजत ओ आवाज?

जीवन आ मृत्युक बीच में ठाड़ युवा लोक गायिका अंशुमालाक कद्रदान कतय नहि अछि. हुनकर दुनू किडनी ख़राब भ गेल अछि. बड़ आ सासुरक लोक हुनका सें आपन दामन छुड़ा लेने अछि. ताहि सें समाज आ सरकारक कोनो जिम्मदारी नहि बनैत अछि की?

बेसी दिन नहि भेल अछि, दू बरख पहिने जिनकर लोक गायकी के कद्रदान पटना से ल क दिल्ली धरि छल. ओ आवाज एखन कतय अछि? अहि आवाजक दम पर पटना विश्वविद्यालय से
ल क दिल्ली विश्वविद्यालय के मिरांडा हाउस अप्पन प्रतिष्ठा कायम राखैत छल. बिहार सरकार हुनकर कला पर इतराबैत छल आ दिल्ली में जखन कहियो बिहारक अस्मिताक गप होयत छल ते ओकरा बचाबैक लेल हुनकर आवाज काफी छल. मैथिली आ भोजपुरी के नब कलाकारक गप होयत छल ते सबहक जुबां पर नाम होयत छल- अंशुमाला.

जिनगी और मृत्यु क जे फासला अछि,, ओहि फासला के बीच आय युवा लोक गायिका अंशुमाला ठाड़ छथिन, क्याकि हुनकर
दुनू किडनी ख़राब भ गेल अछि. मात्र २७ बरख में हुनकर सपना टूटी चुकल अछि. डिप्रेशन में ज़िबी रहल अछि ओ. जिंदगी के रागे जखन दांव पर लागल अछि तखन संगीतक राग कतय से गाबि सकत?

पाय के कमी के कारण हुनकर इलाज नहि भ पा रहल अछि. बेल्लूर से ल क लखनऊ, दिल्ली धरि इलाजक लेल गेल मुदा पाय के दिक्कत हुनका नहियर पटना घुरही लेल मजबूर क देलक. शास्त्रीनगरक मकान हुनकर सिपाही पापाक सरकारी आवास अछि, जतय ओ अप्पन माँक संग रहैत अछि. ओतय हुनकर देखिभाल करय बला कियो नहि अछि.. घर में कियो आउर सदस्य नहि अछि जे हुनका लेल बाहर सें दवा आनि सकै या कोनो एहन सदस्य नहि जे हुनकर छोट सन बच्चा के देखिभाल क सकय. बिहार पुलिस जेहन महकमा में एकटा सिपाहीक आर्थिक हैसियत केकरो से नुकायल नहि अछि. फ़िलहाल हुनकर पिता जहानाबाद जिला में तैनात अछि.

आकाशवाणी के बी ग्रेड कलाकार, पटना विश्वविद्यालय से संगीत में स्नातक, दिल्ली विश्वविद्यालय सें एमए आ एमफिल करहि बाली अंशु करियर के एकटा मुकाम हासिल करय दिस बढ़ल जा रहल रहथिन मुदा हुनकर एकटा डेग हुनकर जिनगी के एहन मोड़ पर पटैक देलक, जेकर आभास हुनका नहि छल.

मिरांडा हाउस के नाम पूरे देश में छै मुदा आय ओतय केकरा सुधि अछि जे क्लास, सेमिनार, समारोह में हुनकर आवाज गुंजित छल, ओ कतय छै.? दिल्ली के नेशनल स्कूल आफ ड्रामा, श्री राम सेंटर आ बल भवन के खुजल आँगन में जाकर गायल| गीतक कद्रदान छल, थपड़ी बजा-बजा के शाबासी दैत छल, ओ कतय छै? ओ संस्था आ ओ लोक कतय अछि जे अपन महफ़िल में अंशु से गवा के गर ऊंच करैत छल? फेर टाटा में भेल छल आल इण्डिया यूथ फेस्टिवल के सेहो ख्याल क लिय, जाहि में नाना पाटेकर सेहो आयल रहथिन. अहि छोट-सन जिनगी में अंशु ऊहो दौर देखने अछि, जखन हुनकर गाबैक बड़ाई करय बला बिहारक राज्यपाल सें ल क प्रधानमंत्री डा. मनमोहन सिंह के कनिया गुरुशरण कौर आ पूर्व राष्टपति एपीजे अब्दुल कालम सेहो छल. सिन्धु दर्शन समारोह में लद्दाख मे लालकृष्ण आडवाणीक आगू अप्पन लोक गायकी पेश केने छल, ई गप किनका ख्याल अछि?

आन लड़की जेहन ओ अप्पन परिवार के गप मानलक. माँ-पिताक मन से ब्याह करलक. दिल्ली, पटना के छोडि रांची मे बसहि के फैसला लेलक मुदा भाग्य के ई मंजूर नहि छल. सासुर मे रियाज करय के माहौल नहि छल . प्रेग्नेंट भ गेल. डिप्रेशन मे आबि गेल. बच्चाक जन्म के साथ हुनकर किडनी मे प्राब्लेम आबि गेल. तकर बादो जिनगी काटैत रहल, घुटि-घुटि के जियत रहल. माँ-पापा के नहि बतौलक. मुदा एक दिन हुनकर हिम्मत जबाब द देलक. पिछला जनवरी-फरवरी में फेर सें प्रेग्नेंट भ गेल. बच्चा गिराबै लेल दवा के हार्ड डोज पति द देलक, जाहि से दुनू किडनी ख़राब भ गेल. तखन ई अप्पन हालत बयान करहिक लेल मजबूर भ गेल. आब जखन देहो संग नहि द रहल अछि, तखन सासुरक लोक सेहो पिंड छुड़ा लेलक. जे पति तीन बरख पहिने अग्निक आगू सत जन्म धरि जीयब-मरब के शपथ खेने छल, ओ सभ किछु बिसुरी गेल, ओ अंत मे हुनका सें मुंह मोड़ी लेलक.

अंशु के मैथिली मे 'गंगा कैसेट्स' सें 'प्रिय पाहुन' नाम सें कैसेट सेहो निकैल चुकल अछि,. ओ बिहार उत्सव मे सेहो भाग नेने छल. एनएनसीसीक २३वां बटालियन में सेहो छल. मानव संसाधन मंत्रालय से स्कालरशिप सेहो भेटल छल. कतेक स्टेज सेहो क चुकल अछि ओ. नहि जाने कतेक शहर मे हुनकर कद्रदान अछि. जहिना ओ स्टाज पर चढ़ैत रहथिन, थपड़ी के गडगडाहट शुरू भ जायत अछल आ फेर जे समां बान्हैत छल, ओकर कोनो चर्च नहि करल जा सकैत अछि.

आब सवाल अछि कि अप्पन-अप्पन शहर से निकलि के दुनियाक आगू अप्पन अलग पहचान बनाबहि बाली दोसर अंशु के अरमान के की होयत? दिल्ली शहर मे पढहि-कमबैक अरमान सबहक होयत अछि मुदा कतेक लोक अछि जे अप्पन पहचान बना सकैत अछि? फेर एहन मे जौं कियो अप्पन जमीन दिस घुरैत अछि ते की ओकर हश्र अंशु जेहन होयत? कहल जायत अछि जे गणितज्ञ वशिष्ठ नारायण सिंहक तबियत ख़राब भेल ते हुनकर कनिया हुनकर संग छोडि देलक आ आब अंशुक साथ हुनकर पति छोडि चुकल अछि. की एकटा स्त्री के एहिना अप्पन अरमानक बलि दियै परत? ओकर सासुरे सभ किछु होयत अछि की ? की एही लड़की के हालत आ हुनका जिनगी से मरहूम करहि बला के सजा नहि भेटबाक चाहि? अहि हालत लेल के जिम्मदार होयत आ ओकरा सजा के देत? हुनकर इलाज कोना होयत? की ओकर आवाज फेर सें देश आ दुनियाक मंच पर गूंजत? अहम सवाल अछि.

-: विनीत उत्पल :-




click here

Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com
Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

Comments

  1. Amar Nath Jha (amarnathjha16@yahoo.com)June 30, 2011 at 10:07 AM

    We should try to help in her medical treatment.

    I request to all of you and come forward.

    Vineet ji i rwquest you to please make a fund in her name and request all to please contribute whatever everuybody can.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर