Skip to main content

चतुरानन मिश्रजीs के श्रद्धांजलि

लोक सभ के बीच चतुरा बाबू के नाम सं प्रसिद्ध चतुरानन मिश्रजीक निधन के खबर सुनि एक बेर तं विश्वास नहि भेल. यकीन नहि भेल जे बाबा आब हमरा सभ के बीच नहि छथिन्ह. हुनकर चेहरा आंखि के सामने घुमय लागल.

बाबा काफी दिन सं बीमार छलखिन्ह...आओर दिल्ली के एम्स मे हिनकर इलाज चलि रहल छलन्हि. बाबा अस्पताले मे 2 जुलाई के अंतिम सांस लेलाह. बाबा अपना पाछा एकटा पुत्र प्रमोद जी आओर
चारिटा पुत्री छोड़ि गेलखिन्ह.

ओना बाबा के उम्र 86 साल भ गेल छलन्हि तखनो देश-दुनिया सं एकदम बाखबर रहय छलखिन्ह. अपन मिथिला के बेसि चिंता करय छलखिन्ह. मुदा ऊपर वाला पर ककर जोर चलैत अछि.

1993 मे दिल्ली अएला के बाद बाबा सं बराबर भेंट होएत छल. कई दिन बाबा के केनिंग लेन वाला बंगला पर रहय के मौका सेहो मिलल. केनिंग लेन ते बंगला मे रहितों अहां के नहि लागैत जे अहां मिथिला सं दूर छी.

दिल्ली मे मिथिलाक झलक अहां के हिनकर बंगला मे मिलि जाएत. ओहि टाइम बाबा राज्य सभा के सदस्य छलाह. चतुरानन बाबा दू बेर 1984 आओर 1990 मे राज्य सभा के सदस्य चुनल गेलाह.

1996 मे मधुबनी सं लोक सभा सं जीत कs अएलाह आओर केंद्र मे कृषि मंत्री बनलाह. बाद मे हिनका कई विभाग के अतिरिक्त प्रभाग सेहो देल गेलन्हि.

एहि सं पहिने बाबा बिहार 1969 सं 1980 के बीच मे तीन बेर एमएलए सेहो रहि चुकल छलखिन्ह. मुदा विधायक दक्षिण बिहार ...अखन के झारखंड के गिरिडीह सं चुनल गेल छलाह.

मिश्रजी ऑल इंडिया ट्रेड यूनियन कांग्रेस के राष्ट्रीय अध्यक्ष सेहो रहलखिन्ह. स्वतंत्रता आंदोलन मे सेहो भाग लेने छलखिन्ह. हिनका समय मे मधुबनी के बिहार के लेनिनग्राद कहल जाएत छल.

जखन बाबा स्वतंत्रता आंदोलन मे उतरलखिन्ह ओहि टाइम ओ मधुबनी के सुड़ी स्कूल मे पढ़य छलखिन्ह. सुड़ी स्कूल स्वतंत्रता सेनानी सभ के अड्डा बनि गेल छल. आंदोलन मे कुदय के कारण बाबा आगां के पढ़ाई नहि करि पएलखिन्ह.

बाबाक जन्म मधुबनी जिलाक नाहर गांव मे 7 अप्रैल 1925 के भेल छलन्हि. ई गाम रामपट्टी के पास अछि. हिनकर पिताजीक नाम छलन्हि स्व.बचनानंद मिश्र.

बाबा अपन इलाका के विकास के लेल सदिखन तत्पर रहय छलखिन्ह. मधुबनी के पास जे शंकर नेत्र चिकित्सालय अछि ओकरो खुलबाबय मे बाबा के पैघ योगदान रहलन्हि. कृषि के क्षेत्र मे सेहो काफी काज करलखिन्ह. बाबा अपन गाम नाहर मे हाई स्कूल... इंटर कॉलेज...नाट्य परिषद सेहो खोलने छलखिन्ह.

बाबा चाहय छलखिन्ह जे अपन मिथिला मे लोक पढ़य-लिखय...साक्षर बनय.
बाबा खुद कोनो नहि कोनो पेपर मे बराबर लिखैत रहय छलखिन्ह. बाबा के लेख हमेशा हिन्दुस्तान... जनसत्ता पेपर मे निकलैत रहय छल.

बाबाक किछ किताब सेहो आएल अछि जेहि मे उपन्यास काला (मैथिली )... समाजवाद का नवीकरण... महिला आत्मकथा (मैथिली )...खान की बलिबेदी शामिल अछि. बाबा एटक संवाद आओर संक्रमण के संपादन सेहो करि चुकल छथिन्ह.

बाबा हमरा सभक बीच नहि छथिन्ह मुदा लगैत नहि अछि जे ओ नहि छथिन्ह. बाबा के हमर सभक श्रद्धांजलि..



click here

Share/Save/Bookmark


हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com


Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...