Skip to main content

Posts

केंद्रीय मंत्री के खिलाफ वारंट

चुनाव आचार संहिता उल्लंघन के एकटा मामला मे केंद्रीय गृह राज्यमंत्री शकील अहमद के खिलाफ गिरफ्तारी वारंट जारी कएल गेल अछि. ई वारंट दरभंगा के एकटा कोर्ट सं जारी कएल गेल. शकील अहमद जी पर केवटी प्रखंड के खिरमा हाई स्कूल मे प्रैक्टिकल परीक्षा के दौरान सभा करि आदर्श चुनाव आचार संहिता के उल्लंघन करय के मामला अछि. एहि मामला मे चुनाव आयोग के निर्देश पर दरभंगा के जिलाधिकारी अरूण कुमार आओर पुलिस अधीक्षक पंकज दराद के ट्रांसफर आओर अनुमंडल अधिकारी रामेश्वर भगत के निलंबित करि देल गेल छल. शकीलजी के मामला मे कोर्ट सं निलंबित अनुमंडल अधिकारी रामेश्वर भगत... केवटी के बीडीओ सह सीओ रवींद्र रावत और कार्यापालक अभियंता सत्यनारायण पंडित के खिलाफ सेहो गिरफ्तारी वारंट जारी कएल गेल. 18 मार्च के एहि मामला मे केंद्रीय गृह राज्य मंत्री के संग आओर लोक के खिलाफ प्राथमिकी दर्ज कएल गेल छल. ओना बाद मे केवटी थाना के थानाध्यक्ष मो. सनाउल्लाह सभ के जमानत द देलखिन्ह.

मिथिला सं कांग्रेस ...

Mithila san Congress कांग्रेस सेहो बिहार के लेल अपन 37 टा उम्मीदवार के नाम के घोषणा करि चुकल अछि. एहि उम्मीदवार मे आरजेडी सं कांग्रेस मे आएल लालूजीक रिश्तेदार साधु यादव सेहो शामिल छथिन्ह. हुनका पश्चिम चम्पारण सं टिकट देल गेल अछि. जखन कि पूर्वी चम्पारण सं अरविन्द कुमार गुप्ता के उम्मीदवार बनाएल गेल अछि. पार्टी शिवहर सं मधुवेंद्र सिंह... झंझारपुर सं कृपानाथ पाठक जीके टिकट देलक अछि. दरभंगा सं अजय जालान... वैशाली सं हिंद केसरी यादव... समस्तीपुर सं डॉ अशोक कुमार... अररिया सं शकील अहमद खान आओर मधुबनी सं डॉ शकील अहमद जीके उम्मीदवार बनाएल गेल अछि.

मिथिला सं लालूजीक उम्मीदवार

Mithila san Lalu jik Ummeedwar बिहार मे लालू प्रसाद यादव जीक आरजेडी अपन पचीसटा उम्मीदवार के नाम जारी करि देलक अछि. लालूजी एहि बेर सेहो दु ठाम सं चुनाव लड़ि रहल छथिन्ह. लालू जी सारण आओर पाटलिपुत्रा दुनु ठाम सं खाड़ भs रहल छथिन्ह. अपन सभ के मिथिला के देखल जाउ त वाल्मिकी नगर सं रघुनाथ झा... पूर्वी चम्पारण सं अखिलेश प्रसाद सिंह... शिवहर सं सीताराम सिंह... सीतामढ़ी सं सीताराम यादव... भागलपुर सं शकुनी चौधरी... वैशाली सं रघुवंश प्रसाद सिंह... दरभंगा सं मो. अली अशरफ फातमी... झंझारपुर सं देवेंद्र यादव... किशनगंज सं तस्लीमुद्दीन आओर खगड़िया सं आर के राणा जी के उम्मीदवार बनाएल गेल अछि.

मिथिला मे एलजेपी

Mithila mein LJP रामविलास पासवान जीक एलजेपी बिहार मे अपन 12 टा उम्मीदवार के नाम के घोषणा करि देल गेल अछि. पासवानजी खुद हाजीपुर सुरक्षित सीट सं लड़ताह. मिथिलाक हिसाब सं देखल जाए त समस्तीपुर सं रामचंद्र पासवान... मुजफ्फरपुर सं भगवान लाल साहनी... पश्चिमी चम्पारण सं प्रकाश झा... बेगूसराय सं अनिल चौधरी अररिया सं जाकिर अनवर आओर कटिहार सं अशफाफ करीम जीके उम्मीदवार बनाएल गेल अछि.

पर्चा भरनाय शुरू...

लोकसभा चुनाव के पहिल चरण के मतदान के लेल पर्चा भरय के काज शुरू भ गेल अछि. पहिल दौर के लेल पर्चा भरय के आखिरी दिन अछि 30 मार्च. एकर बाद 2 अप्रैल तक नाम वापस लेल जा सकैत अछि. बिहार मे पहिल चरण मे 13 सीट पर वोट पड़त. बिहार मे कुल चार चरण मे वोट पड़य के अछि. 16 अप्रैल के होए वाला पहिल चरण के मतदान के 13 लोक सभा क्षेत्र एहि तरहे अछि... गोपालगंज... सीवान... महराजगंज... सारण... आरा... बक्सर... सासाराम (सुरक्षित) ... काराकट... जहानाबाद... औरंगाबाद... गया (सुरक्षित )... नवादा आओर जमुई (सुरक्षित ).

नीतीशजी देलाह इस्तीफा ...

[ Isteefa Delaah Nitish ] नीतीश जी इस्तीफा द देलाह. ई सुनतहिं हम भौंचक रहि गेलहुं. सभ किछ ठीके चलि रहल छल एकाएक कि भs गेल जे हुनका इस्तीफा देबय पड़लन्हि. मुदा ई नीतीश जी मुख्यमंत्री नीतीश कुमार नहिं छलाह. ई नीतीश जी छथि बिहारक आपदा प्रबंधन मंत्री नीतीश मिश्र जी. नीतीश मिश्रजी पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्रजीक सुपुत्र छथिन्ह. हिनका किथ दिन पहिनहिं साल के पेप्सी यूथ आइकॉन चुनल गेल छलन्हि. खबर अछि जे हिनकर कहनाय छनि जे हुनकर पार्टी मे एकटा जाति विशेष के लोक के तरजीह नहिं देल जा रहल अछि. एहि लेल ओ मंत्रिमंडल मे बनल रहनाय नीक नहिं बुझलथिन्ह. ओना नीतीश जी पार्टी मे बनल छथि. पार्टी नहिं छोड़लाह. ओना एहि बीच सोम दिन आरजेडी अध्यक्ष लालू यादव राज्य के पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ जी सं सेहो भेंट कएलथिन्ह. नीतीश जी के इस्तीफा के लs क ई भेंट के राजनीतिक रूप सं महत्वपूर्ण मानल जा रहल अछि. ओना जगन्नाथ मिश्र जी एहि मुलाकात के नीतीश मिश्रजी सं जोड़ि के देखय के गलत बतौलखिन्ह. हुनकर कहनाय छलन्हि जे नीतीश जी अपन समाज के उपेक्षा के विरोध मे इस्तीफा देलखिन्ह. भ सकैत अछि जे लालूजी के नीतीश मिश्र मामला पर भे...

लालू यादव के सियासी चाल

[ Laloo Yadav ] बिहार मे यूपीए के बीच गठबंधन फेल भेलाह के बाद कांग्रेस आब राज्य के 37 सीट पर लड़त. कांग्रेस के कहबाक अछि जे ओ बाचल तीन टा सीट मे सं दु टा लालू यादव के आरजेडी आओर एकटा रामविलास पासवान के एलजेपी लेल छोड़ि देलक अछि . एहि सं पहिने आरजेडी आओर एलजेपी मे समझौता के बाद लालूजी कांग्रेस के लेल सेहो तीन टा सीट छोड़ने छलखिन्ह. कांग्रेस के एहि कदम सं खिसिआएल लालूजीक कहनाय छनि जे चुनाव के कांग्रेस के अपन हालत के पता चलि जएतन्हि. बिहार आओर झारखंड मे कांग्रेस के जनाधार नहिं अछि एहि लेल ओ सिर्फ तीनटा सीट कांग्रेस लेल छोड़ने छलखिन्ह मुदा कांग्रेस सेहो तीन सीट छोड़ि आरजेडी के करारा जवाब देलक अछि. मुदा एहि सं लालूजी के फायदा अछि. आरजेडी नेता लालू यादव राजनीति के माहिर खिलाड़ी छथिन्ह. राजनीति के बिसात पर लालूजी कतेक नेता के मात देने छथिन्ह. आओर ओ जे सोची कs चलि रहल छथिन्ह ओ चाल कामयाब होएत दिखि रहल अछि. बिहार मे आई काल्हि जेडीयू मजबूत स्थिति मे अछि एहि बात के लालू जी नीक जकां जानैत छथिन्ह. आओर सीटक तालमेल भs गेलाह पर आरजेडी आओर जेडीयू के बीच सीधा टक्कर...

दरभंगा सं कीर्ति आजाद

भारतीय जनता पार्टी...बीजेपी दरभंगा लोक सभा क्षेत्र सं कीर्ति आजाद के फेर सं उम्मीदवार घोषित कएलक. ओना पार्टी हिनका एहिबेर दिल्ली सं लड़ाबय के चाहैत छल . मुदा दरभंगा के लs क कीर्ति जी... संजय झा जी आओर विजय जीके बीच पार्टी कीर्ति जीके टिकट देनाय नीक बुझलक. कीर्ति आजाद जी एहि सं पहिने दरभंगा सं जीत चुकल छथिन्ह. मुदा स्थानीय लोक सं हिनका ओतेक लगाव नहिं रहय छनि. दरभंगा सं नीक हिनका दिल्लीए लगैत छनि. देखिऔ एहि बेर कि होएत छनि. दरभंगा सं दिल्ली के संसद भवन जाए छथि कि नहिं? ओना मिथिला के देखल जाए त बीजेपी के ओर सं उम्मीदवार के फाइनल लिस्ट एहि तरहे अछि: पूर्वी चम्पारण सं राधा मोहन सिंह... मधुबनी सं हुकुमदेव नारायण यादव... अररिया सं प्रदीप सिंह गंगे... कटिहार सं निखिल चौधरी ... पूर्णिया सं उदय सिंह... भागलपुर सं सैयद शाहनवाज हुसैन आओर दरभंगा सं कीर्ति आजाद.

खिरमा मामला मे गाज...

खिरमा हाई स्कूल मे यूपीए के सभा करयबाक गाज दरभंगा के डीएम , एसपी आओर एसडीओ पर गिरल अछि. डीएम अरुण प्रसाद आओर एसपी पंकज दारद के त ट्रांसफर करि देल गेल अछि जखन कि एसडीओ रामेश्वर भगत के निलंबित करि देल गेल अछि. खिरमा मे केंद्रीय गृहराज्य मंत्री शकील अहमद के सभा के कारण हाई स्कूल मे भ s रहल प्रैक्टिकल के परीक्षा एक घंटा पहिने खत्म करि देल गेल. चुनाव आयोग एहि सभा के चुनाव आचार संहिता के उल्लंघन मानलक अछि मुदा अखन धरि ई साफ नहिं भेल अछि जे शकील जी के खिलाफ कोनो कदम उठाएल गेलन्हि अछि कि नहिं ? ओम्हर अपन जान बचाबय लेल हेड मास्टर साहेब बच्चा सभ पर दबाव बनौने छथिन्ह जे सभ के पास कs देबह मुदा कोई शिकायत नहिं करs तखन.

चुनावी सभा के कारण परीक्षा पहिने भेल खत्म...

दरभंगा मे एकटा चुनावी सभा के लेल बोर्ड प्रैक्टिकल परीक्षा के जल्दी खत्म कs देल गेल. जेहि कारण बच्चा सभ अपन पेपर नीक सं नहिं द पएलाह. असल मे दरभंगा के खिरमा हाई स्कूल ( केवटी ब्लॉक ) मे 14 तारीख शनि दिन बोर्ड के प्रैक्टिकल परीक्षा जखन तय समय सं एक घंटा पहिले खत्म भ गेल त विद्यार्थी लोकनि सन्न रहि गेलाह. विद्यार्थी सभ लोकनि एकर विरोध कएलखिन्ह त हुनका सभ के बताएल गेलन्हि जे स्कूल मे एकटा चुनावी कार्यक्रम के कारण 10 बजे होए वाला परीक्षा 9 बजे शुरू करि देल गेल छल. किछ विद्यार्थी जे पहिने पहुंचलाह ओ त ठीक सं परीक्षा द पएलाह मुदा जे समय पर 10 बजे पहुंचलाह. हुनका एकहिं घंटा के समय मिललन्हि. सभ सं बड़का गप्प जे परीक्षा पहिने शुरू करि देल गेल मुदा एकरा बारे मे विद्यार्थी सभ के कोनो जानकारी नहिं देल गेल. हेड मास्टर साहेब के कहनाय छनि जे ई त हुनकर विशेषाधिकार छनि जे ओ समय के आगां- पाछा क सकताह. अगर ई विशेषाधिकार छलनि त ओ परीक्षा एक दिन बादो त करा सकैत छलखिन्ह. पार्टी के नेता सभ के सेहो एकर ध्यान राखबाक चाही छल जे छुट्टी के दिन स्कूल मे सभा... रैली... कार्यक्रम...

पूर्णिया सं माधवी सरकार...

भारत की कम्युनिस्ट पार्टी (मार्क्सवादी लेनिनवादी) ...CPI-ML लोकसभा चुनाव के लेल बिहार सं 20 उम्मीदवार के सूची जारी करि देलक अछि . मिथिलाक हिसाब सं देखल जाए त मुजफ्फ़रपुर सं जीतेन्द्र यादव... समस्तीपुर सं जीवन पासवान... दरभंगा सं सत्यनारायण मुखिया... झंझारपुर सं जोगनाथ मंडल... पूर्णिया सं माधवी सरकार... कटिहार सं महबूब आलम आओर अररिया सं कमली देवी के टिकट देल गेल अछि.

चुनाव सं पहिने तालमेल पर जोर

बिहार मे एनडीए आओर यूपीए अपन-अपन घटक दल के संग सीटक तालमेल करीब- करीब पूरा कs लेने अछि. अगर यूपीए के देखल जाए त लालू प्रसाद यादव जीके आरजेडी 22 सीट पर लड़ि सकैत अछि. रामविलास पासवान जीक एलजेपी 12 सीट पर आओर कांग्रेस 6 सीट पर अपन उम्मीदवार खड़ा कs सकैत अछि. ओना कांग्रेस के कहनाय अछि जे अखन सीट बंटवारा पर कोनो फैसला नहिं भेल अछि. एनडीए के जेडीयू आओर बीजेपी के बीच सेहो तालमेल भs गेल अछि. जेडीयू 25 आओर बीजेपी 15 सीट पर लड़त. जहां तक बीजेपी के गप्प अछि त अगर आखिरी क्षण मे कोनो हेरफेर नहिं भेल त ओकर लिस्ट सेहो फाइनल अछि. अपन मिथिलाक सीट पर ध्यान राखि त दरभंगा सं संजय झाजीक उम्मीदवारी पक्का लगैत छनि. कीर्ति आजाद जीके अगर टिकट मिलतन्हि त दिल्ली मे कोनो सीट हुनका द देल जएतन्हि एकर उम्मीद अछि. मधुबनी सं हुकुमदेव नारायण यादव जी के फेर सं मौका मिलतन्हि. अररिया सं प्रदीप सिंह... पश्चिमी चम्पारण सं डॉ सरोज जायसवाल ... पूर्वी चम्पारण सं राधा मोहन सिंह... कटिहार सं निखिल चौधरी... पूर्णिया सं उदय सिंह... भागलपुर सं सैयद शाहनवाज हुसैन के न...

राग-विराग

दिल्ली मे बिहारक संस्कृति के झलक दिल्ली मे पिछला दिन लागल जेना बिहार मे आबि गेल छी. होली आओर महिला दिवस के अवसर पर बिहार उत्सव के आयोजन कएल गेल. लोक बिहारक लोकगीत आओर लोकनाटकक संग कत्थक नृत्यक आनंद उठएलाह. नृत्यांगना पुनीता शर्मा अपन बेहतरीन नृत्य सं लोक के झूमय लेल मजबूर क देलखिन्ह. कत्थक नृत्य यात्रा थीम पर छल. एहि मे जीवन यात्रा के मर्म के खूबसूरती सं पेश कएल गेल. कत्थक नृत्य के फ्यूजन मे बचपन...युवा आओर प्रौढावस्था के संग सुख-दुख...राग-द्वेष...प्रेम- नफरत जैसन विविध रंग सं जीवनक मर्म समझाबय के कोशिश कएल गेल. ई कार्यक्रम दिल्ली के सामाजिक संस्था राग विराग एजुकेशनल एंड कल्चरल सोसाइटी के ओर सं कएल गेल. कार्यक्रम के शुरूआत संतोष नागर जीक वायलिन वादन से भेल. एहि के बाद भेल छल यात्रा. पुनीता जीक कोरियोग्राफी मे भेल एहि ई नृत्य नाटिका राग भटियार... बागेश्वरी... दरबारी सं होएत राज जोग सं खत्म भेल. एहि मे सविता अधिकारी... साक्षी कुमार आओर सुलगना राय अपन नृत्य सं मन मोहि लेलखिन्ह. एहि नृत्य नाटिका यात्रा के संगीत देलाह कासिफ खान. ...

कुर्सी बाचत ?

एहि बेर के लोकसभा चुनाव मे सभ लोकसभा क्षेत्र के भूगोल बदलि गेल अछि. परिसीमन के कारण कइटा लोक सभा क्षेत्र के बड़का इलाका दोसर क्षेत्र चलि गेल अछि. हमर गाम केवटी, दरभंगा जिला मे अछि आओर सभ दिन सं लोकसभा क्षेत्र सेहो दरभंगा छल. मुदा एहि बेर जे परिसीमन भेल ओहि मे हमर लोकसभा क्षेत्र दरभंगा सं कटि कs मधुबनी मे चलि गेल अछि. एहि बेर तक हमर सभ के सांसद मो अली अशरफ फातमी जी छलाह मुदा अगर डॉ शकील अहमद जी जीतताह त ओ सांसद बनि जएताह. अगर फातमी जी आओर शकील जी के कोनो मजबूत... दिग्गज ... धाकड़ उम्मीदवार सं पाला नहिं पड़लन्हि त दुनु गोटे फेर सं चुनि कs संसद मे आबि सकैत छथि. ओना दुनु गोटे अपन क्षेत्र के संग पूरा राज्य केर विकास के लेल नीक काज कएलाह. बीजेपी सं कीर्ति आजाद सेहो दरभंगा के लेल जोर लगएने छथि मुदा बेसि उम्मीद जे हुनका दरभंगा छोड़ि दोसर ठाम सं टिकट मिलि सकय छनि. देखिऔ आगा कि होइत अछि. मुदा किछ लोक के ई कहनाय छनि जे परिसीमन के कारण दुनु गोटे के वोटक बड़का हिस्सा कटि कs दोसर इलाका मे चलि गेलन्हि . अहां सभ के कि लगैत अछि जे परिसीमन के असर चु...

किन्कर्तव्यविमुढ...

दिल्ली मे जल्दीए एकटा आओर मैथिली नाटक होबय जा रहल अछि. दड़िमा के संजीव कुमार सं फोन पर बात भs रहल छल त ओ कहलाह जे संजय चौधरी जीक निमंत्रण छनि काल्हि सं रिहर्सल शुरू होएत. ई गप्प सुनतहिं हम तुरंत मिथिलांगन के संजय चौधरी जी के फोन लगएलहुं. हुनका सं गप्प मे पता लागल जे ओ काल्हि सं मैथिली नाटक 'किन्कर्तव्यविमु ढ' के रिहर्सल शुरू करय जा रहल छथिन्ह. संजय जी कई साल सं रंगमंच सं जुड़ल छथिन्ह आओर कइटा नीक नाटक पेश कs चुकल छथिन्ह. पिछला साल हिनकर निर्देशन मे भेल उगना हाल्ट देखय लेल मिलल छल. संजय जी सोन मछरिया आओर नैका बनिजारा मे अपन निर्देशन प्रतिभा के लोहा मनबा चुकल छथिन्ह. एहि नाटकक आयोजन मिथिलांगन आओर मैथिली भोजपुरी अकादमीक ओर सं भs रहल अछि. 'किन्कर्तव्यविमु ढ' के लेखक छथिन्ह रोहिणी रमन झाजी. संगीत द रहल छथिन्ह सुन्दरमजी . कुमार शैलेंद्रजी सेहो नाटक सं जुड़ल छथिन्ह. नाटक दिल्ली के द्वारका मे रामफल चौक के पास सीसीआरटी ऑडिटोरियम मे होएत. नाटक 29 मार्च क सांझ 6 बजे शुरू होएत. संजीव कुमार जी सेहो एकटा किरदार मे रहताह. ...

केहन चढ़ल रंग ?

केहन रहल होली ? जमि कs रंग खैललौ नहिं ? गाम-घर सं बाहर रहय वाला के त होली के अहां सोचिए सकय छी. गली...मोहल्ला आओर अपार्टमेंटक लोक सभ के संग मनाबैत...रंग खेलैत ओ रंग नहिं आबैत छै जे गाम -घर मे सभ गोटे के संग मिलि खेलय मे. दूध के भांग वाला शरबत... मालपुआ... कई तरहक तीमन... तरकारी... मांस... माछ होली के खुशी के आओर बढ़ा दैत छै. गाम भर मे घर-घर जाsक सभ के रंग लगेनाय... भौजी सभ के रंग सं पोतनाय... दोस्त सभ के संग होली है... जोगिड़ा... स...र...र..र करैत टोले-टोले घुमनाय. जेहि आंगन होली खेलय लेल जाउ ओहिठाम पुआ... दहीबाड़ा... पुरी... माछ... तरकारी... चटनी खाएत-खाएत मन अकसिया जाएत अछि. मुदा किनको मना सेहो नहिं कs सकैत छी. किछ नहिं किछ त खाइए पड़त. मुंह जुठाबय पड़ैत अछि. ई सभ प्यारे त अछि. शादीशुदा लोक के लेल सासुर के होली त ओर रमनगर रहैत अछि. पहिने देखैत छलहुं जे गाम मे जे पाहुन आबैत छलाह ओ दस-दस ...पन्द्रह-पन्द्रह दिन... मास दिन रहैत छलाह. मुदा आब त एतेक दिन त छोडु गामो जाए के मौक़ा नहिं मिलैत अछि. सासुर... साला... साली... सहजन के ते गप्पे छोड़ु. पहिनहु लोक नौक...