बिहार मे यूपीए के बीच गठबंधन फेल भेलाह के बाद कांग्रेस आब राज्य के 37 सीट पर लड़त. कांग्रेस के कहबाक अछि जे ओ बाचल तीन टा सीट मे सं दु टा लालू यादव के आरजेडी आओर एकटा रामविलास पासवान के एलजेपी लेल छोड़ि देलक अछि . एहि सं पहिने आरजेडी आओर एलजेपी मे समझौता के बाद लालूजी कांग्रेस के लेल सेहो तीन टा सीट छोड़ने छलखिन्ह.
कांग्रेस के एहि कदम सं खिसिआएल लालूजीक कहनाय छनि जे चुनाव के कांग्रेस के अपन हालत के पता चलि जएतन्हि. बिहार आओर झारखंड मे कांग्रेस के जनाधार नहिं अछि एहि लेल ओ सिर्फ तीनटा सीट कांग्रेस लेल छोड़ने छलखिन्ह मुदा कांग्रेस सेहो तीन सीट छोड़ि आरजेडी के करारा जवाब देलक अछि. मुदा एहि सं लालूजी के फायदा अछि. आरजेडी नेता लालू यादव राजनीति के माहिर खिलाड़ी छथिन्ह. राजनीति के बिसात पर लालूजी कतेक नेता के मात देने छथिन्ह. आओर ओ जे सोची कs चलि रहल छथिन्ह ओ चाल कामयाब होएत दिखि रहल अछि. बिहार मे आई काल्हि जेडीयू मजबूत स्थिति मे अछि एहि बात के लालू जी नीक जकां जानैत छथिन्ह. आओर सीटक तालमेल भs गेलाह पर आरजेडी आओर जेडीयू के बीच सीधा टक्कर भs जा रहल छल. ओहन स्थिति मे जेडीयू के जीतए के संभावना बेसि छल मुदा आब लड़ाई तीन कोनमा...चारि कोनमा भs जा रहल अछि जकर फायदा लालूजी उठएताह.
लालूजी क सभस पैघ चिंता अछि जे केहुना क बीस- पचीस के आंकड़ा बना क राखल जाए जे आजुक स्थिति मे मुश्किल जानि पड़ैत अछि. आओर अगर लालू जी कांग्रेस के संग तालमेल करय छलाह त कांग्रेस के वोटर नीतीश जी दिस आ कमल छाप दिस चलि जाए के डर दिखि रहल छल ओहि स्थिति मे फायदा जेडीयू के मिलैत दिखि रहल छल . मुदा आब आरजेडी के वोट जे बनल अछि ओ त लालूजीके संग रहत ओ यादव आओर मुस्लिम कार्ड सेहो खेलताह... फायदा उठएताह. एकरे संग कांग्रेस के लड़ला सं वोट बंटत जकर फायदा लालूजी उठएताह. आओर अगर चुनाव बाद नीक सीट मिलि जाए छनि त फेर ओ सरकार बनला के स्थिति मे केंद्रीय मंत्रिमंडल मे जगह के लेल जोर तोड़ करय.... मोलभाव करय के हालत मे रहताह. फेर सं रेल मंत्री बनय के लेल दबाव बनएताह. मुदा ओहि प्रेशर टैक्टिस के लेल हुनका नीक सीट चाही आओर नीक सीट के लेल लड़ाई कई तरफा होनाय जरूरी अछि.
laloo ne sonia ke aukat bataay delek...congress ka koy future bihar mein nay chay kahin
जवाब देंहटाएं