चुनावी सभा के कारण परीक्षा पहिने भेल खत्म...

दरभंगा मे एकटा चुनावी सभा के लेल बोर्ड प्रैक्टिकल परीक्षा के जल्दी खत्म कs देल गेल. जेहि कारण बच्चा सभ अपन पेपर नीक सं नहिं द पएलाह. असल मे दरभंगा के खिरमा हाई स्कूल ( केवटी ब्लॉक ) मे 14 तारीख शनि दिन बोर्ड के प्रैक्टिकल परीक्षा जखन तय समय सं एक घंटा पहिले खत्म भ गेल त विद्यार्थी लोकनि सन्न रहि गेलाह. विद्यार्थी सभ लोकनि एकर विरोध कएलखिन्ह त हुनका सभ के बताएल गेलन्हि जे स्कूल मे एकटा चुनावी कार्यक्रम के कारण 10 बजे होए वाला परीक्षा 9 बजे शुरू करि देल गेल छल. किछ विद्यार्थी जे पहिने पहुंचलाह ओ त ठीक सं परीक्षा द पएलाह मुदा जे समय पर 10 बजे पहुंचलाह. हुनका एकहिं घंटा के समय मिललन्हि. सभ सं बड़का गप्प जे परीक्षा पहिने शुरू करि देल गेल मुदा एकरा बारे मे विद्यार्थी सभ के कोनो जानकारी नहिं देल गेल. हेड मास्टर साहेब के कहनाय छनि जे ई त हुनकर विशेषाधिकार छनि जे ओ समय के आगां- पाछा क सकताह. अगर ई विशेषाधिकार छलनि त ओ परीक्षा एक दिन बादो त करा सकैत छलखिन्ह. पार्टी के नेता सभ के सेहो एकर ध्यान राखबाक चाही छल जे छुट्टी के दिन स्कूल मे सभा... रैली... कार्यक्रम होय. मुदा नेताजी के कहनाय छनि जे ओ त कार्यक्रम करय के लेल पहिने स अनुमति ल लेने छलखिन्ह. आओर ई नेता छलखिन्ह देशक गृह राज्य मंत्री डॉ शकील अहमद जी. यूपीए के एहि चुनावी कार्यक्रम मे कांग्रेस के संग आरजेडी के नेता सभ सेहो शामिल छलाह. परीक्षा जल्दी खत्म करय के बाद मामला गरमएला पर दरभंगा के डीएम स्कूल के हेडमास्टर साहेब के तलब कएलखिन्ह. ओम्हर खबर इहो अछि जे मामला के गंभीर रूप लैत देखैत विद्यार्थी सभ के ई कहल गेल अछि जे तोरा सभ के पास कs देल जएतह मुदा कहय पड़तह जे ककरो परीक्षा नहिं छुटल आओर हमरा सभ के एकर जानकारी मिलि गेल छल.
-अजय मोहन प्रसाद, दरभंगा
Bookmark and ShareSubscribe to me on FriendFeed


Comments

  1. हमारी तो परीक्षा ही कैसिंल हो गई

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

कि कि नहि कराएत ई बाढ़ि... ki ki nai karaait ee baarhi

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

हमर विआह- 8

हमर विआह-10

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

पूर्णिया मे सुखोई

मिथिला बिन बिहार आ बिहार बिन देशक विकास संभव नहि- नीतीश