बिहार मे लालू प्रसाद यादव जीक आरजेडी अपन पचीसटा उम्मीदवार के नाम जारी करि देलक अछि. लालूजी एहि बेर सेहो दु ठाम सं चुनाव लड़ि रहल छथिन्ह. लालू जी सारण आओर पाटलिपुत्रा दुनु ठाम सं खाड़ भs रहल छथिन्ह. अपन सभ के मिथिला के देखल जाउ त वाल्मिकी नगर सं रघुनाथ झा... पूर्वी चम्पारण सं अखिलेश प्रसाद सिंह... शिवहर सं सीताराम सिंह... सीतामढ़ी सं सीताराम यादव... भागलपुर सं शकुनी चौधरी... वैशाली सं रघुवंश प्रसाद सिंह... दरभंगा सं मो. अली अशरफ फातमी... झंझारपुर सं देवेंद्र यादव... किशनगंज सं तस्लीमुद्दीन आओर खगड़िया सं आर के राणा जी के उम्मीदवार बनाएल गेल अछि.

No comments:
Post a Comment
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु