दिल्ली मे बिहारक संस्कृति के झलक
दिल्ली मे पिछला दिन लागल जेना बिहार मे आबि गेल छी. होली आओर महिला दिवस के अवसर पर बिहार उत्सव के आयोजन कएल गेल. लोक बिहारक लोकगीत आओर लोकनाटकक संग कत्थक नृत्यक आनंद उठएलाह. नृत्यांगना पुनीता शर्मा अपन बेहतरीन नृत्य सं लोक के झूमय लेल मजबूर क देलखिन्ह. कत्थक नृत्य यात्रा थीम पर छल. एहि मे जीवन यात्रा के मर्म के खूबसूरती सं पेश कएल गेल. कत्थक नृत्य के फ्यूजन मे बचपन...युवा आओर प्रौढावस्था के संग सुख-दुख...राग-द्वेष...प्रेम-

ई कार्यक्रम दिल्ली के सामाजिक संस्था राग विराग एजुकेशनल एंड कल्चरल सोसाइटी के ओर सं कएल गेल. कार्यक्रम के शुरूआत संतोष नागर जीक वायलिन वादन से भेल. एहि के बाद भेल छल यात्रा. पुनीता जीक कोरियोग्राफी मे भेल एहि ई नृत्य नाटिका राग भटियार... बागेश्वरी... दरबारी सं होएत राज जोग सं खत्म भेल. एहि मे सविता अधिकारी... साक्षी कुमार आओर सुलगना राय अपन नृत्य सं मन मोहि लेलखिन्ह. एहि नृत्य नाटिका यात्रा के संगीत देलाह कासिफ खान.
उत्सव के आखिर मे युवा कलाकार अंशुमाला बिहार मे पावनि... त्योहार...खुशी के मौका पर गाबय जाए वाला गीत पेश कएलन्हि. एहिमे कजरी... जाट-जाटिन... शादी-विवाह आओर होली पर गाबय जाय वाला गीत छल. लोक नाटक वाला हिस्सा मे जयशंकरजी खुशबू आओर वंदना के संग 'जाट-जाटिन' पेश कएलखिन्ह.

apne lokni hamra bahut din sa hello mithila patha rahal chi, muda teen-chari berk agrahk bado karykramak soochna nahi dait chi, se kiyak. hum dilli me media main chi, yadi karyakramak soochna deb, ta kichu publish karbak shoubhagya hamro bhetat.
जवाब देंहटाएंshaish fer
apnek
ashok priyadarshi
ashok1001@hotmail.com
Ashok jee,
जवाब देंहटाएंahank patra milal...dhanyawad...Apne kon media mein chhee ? humar je lekh milait hoyat o hamar blog ke achhi aur ohi karyakram san hamar konon lena dena nai rahait achhi hum ta bus okra baare mein likhait bhar chhhee aur ahan khud media mein chhee ta ee baat janait hoyab.
khair pratikriya lel shukriya
hitendra gupta
Dhanayabad
जवाब देंहटाएंbahut acha laga
Punita Sharma
punita.sharma@yahoo.co.in