नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नीतीशजी देलाह इस्तीफा ...

[ Isteefa Delaah Nitish ]
नीतीश जी इस्तीफा द देलाह. ई सुनतहिं हम भौंचक रहि गेलहुं. सभ किछ ठीके चलि रहल छल एकाएक कि भs गेल जे हुनका इस्तीफा देबय पड़लन्हि. मुदा ई नीतीश जी मुख्यमंत्री नीतीश कुमार नहिं छलाह. ई नीतीश जी छथि बिहारक आपदा प्रबंधन मंत्री नीतीश मिश्र जी. नीतीश मिश्रजी पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्रजीक सुपुत्र छथिन्ह. हिनका किथ दिन पहिनहिं साल के पेप्सी यूथ आइकॉन चुनल गेल छलन्हि. खबर अछि जे हिनकर कहनाय छनि जे हुनकर पार्टी मे एकटा जाति विशेष के लोक के तरजीह नहिं देल जा रहल अछि. एहि लेल ओ मंत्रिमंडल मे बनल रहनाय नीक नहिं बुझलथिन्ह. ओना नीतीश जी पार्टी मे बनल छथि. पार्टी नहिं छोड़लाह.
ओना एहि बीच सोम दिन आरजेडी अध्यक्ष लालू यादव राज्य के पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ जी सं सेहो भेंट कएलथिन्ह. नीतीश जी के इस्तीफा के लs क ई भेंट के राजनीतिक रूप सं महत्वपूर्ण मानल जा रहल अछि. ओना जगन्नाथ मिश्र जी एहि मुलाकात के नीतीश मिश्रजी सं जोड़ि के देखय के गलत बतौलखिन्ह. हुनकर कहनाय छलन्हि जे नीतीश जी अपन समाज के उपेक्षा के विरोध मे इस्तीफा देलखिन्ह. भ सकैत अछि जे लालूजी के नीतीश मिश्र मामला पर भेंट नहिं भेल होए मुदा लालूजी के जगन्नाथ मिश्रजी सं भेंट सेहो एकटा नव राजनीतिक समीकरण के चर्चा शुरू क देलक अछि. आब देखु आगां कि होएत अछि. अहां के कि लगैत अछि कि जगन्नाथ बाबू लालू जी के संग कोनो समीकरण बैसा सकैत छथिन्ह ? बताएब आओर अपन गाम घर के राजनीतिक पारा के उतार चढ़ाव सं सेहो अवगत कराएब.
Bookmark and ShareSubscribe to me on FriendFeed

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु