नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

चुनाव सं पहिने तालमेल पर जोर

बिहार मे एनडीए आओर यूपीए अपन-अपन घटक दल के संग सीटक तालमेल करीब- करीब पूरा कs लेने अछि. अगर यूपीए के देखल जाए त लालू प्रसाद यादव जीके आरजेडी 22 सीट पर लड़ि सकैत अछि. रामविलास पासवान जीक एलजेपी 12 सीट पर आओर कांग्रेस 6 सीट पर अपन उम्मीदवार खड़ा कs सकैत अछि. ओना कांग्रेस के कहनाय अछि जे अखन सीट बंटवारा पर कोनो फैसला नहिं भेल अछि. एनडीए के जेडीयू आओर बीजेपी के बीच सेहो तालमेल भs गेल अछि. जेडीयू 25 आओर बीजेपी 15 सीट पर लड़त. जहां तक बीजेपी के गप्प अछि त अगर आखिरी क्षण मे कोनो हेरफेर नहिं भेल त ओकर लिस्ट सेहो फाइनल अछि. अपन मिथिलाक सीट पर ध्यान राखि त दरभंगा सं संजय झाजीक उम्मीदवारी पक्का लगैत छनि. कीर्ति आजाद जीके अगर टिकट मिलतन्हि त दिल्ली मे कोनो सीट हुनका द देल जएतन्हि एकर उम्मीद अछि. मधुबनी सं हुकुमदेव नारायण यादव जी के फेर सं मौका मिलतन्हि. अररिया सं प्रदीप सिंह... पश्चिमी चम्पारण सं डॉ सरोज जायसवाल ... पूर्वी चम्पारण सं राधा मोहन सिंह... कटिहार सं निखिल चौधरी... पूर्णिया सं उदय सिंह... भागलपुर सं सैयद शाहनवाज हुसैन के नाम तय मानल जा रहल अछि. बस एकर औपचारिक घोषणा होबाक अछि. ई घोषणा बीजेपी के केंद्रीय चुनाव समिति के बैठक के बाद होएत.

Bookmark and ShareSubscribe to me on FriendFeed

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु