दरभंगा सं कीर्ति आजाद
भारतीय जनता पार्टी...बीजेपी दरभंगा लोक सभा क्षेत्र सं कीर्ति आजाद के फेर सं उम्मीदवार घोषित कएलक. ओना पार्टी हिनका एहिबेर दिल्ली सं लड़ाबय के चाहैत छल . मुदा दरभंगा के लs क कीर्ति जी... संजय झा जी आओर विजय जीके बीच पार्टी कीर्ति जीके टिकट देनाय नीक बुझलक. कीर्ति आजाद जी एहि सं पहिने दरभंगा सं जीत चुकल छथिन्ह. मुदा स्थानीय लोक सं हिनका ओतेक लगाव नहिं रहय छनि. दरभंगा सं नीक हिनका दिल्लीए लगैत छनि. देखिऔ एहि बेर कि होएत छनि. दरभंगा सं दिल्ली के संसद भवन जाए छथि कि नहिं? ओना मिथिला के देखल जाए त बीजेपी के ओर सं उम्मीदवार के फाइनल लिस्ट एहि तरहे अछि:
पूर्वी चम्पारण सं राधा मोहन सिंह... मधुबनी सं हुकुमदेव नारायण यादव... अररिया सं प्रदीप सिंह गंगे... कटिहार सं निखिल चौधरी ... पूर्णिया सं उदय सिंह... भागलपुर सं सैयद शाहनवाज हुसैन आओर दरभंगा सं कीर्ति आजाद.

Comments
Post a Comment