कांग्रेस सेहो बिहार के लेल अपन 37 टा उम्मीदवार के नाम के घोषणा करि चुकल अछि. एहि उम्मीदवार मे आरजेडी सं कांग्रेस मे आएल लालूजीक रिश्तेदार साधु यादव सेहो शामिल छथिन्ह. हुनका पश्चिम चम्पारण सं टिकट देल गेल अछि. जखन कि पूर्वी चम्पारण सं अरविन्द कुमार गुप्ता के उम्मीदवार बनाएल गेल अछि. पार्टी शिवहर सं मधुवेंद्र सिंह... झंझारपुर सं कृपानाथ पाठक जीके टिकट देलक अछि. दरभंगा सं अजय जालान... वैशाली सं हिंद केसरी यादव... समस्तीपुर सं डॉ अशोक कुमार... अररिया सं शकील अहमद खान आओर मधुबनी सं डॉ शकील अहमद जीके उम्मीदवार बनाएल गेल अछि.
![](https://blogger.googleusercontent.com/img/b/R29vZ2xl/AVvXsEisHbOdtjD8twJkjbKpsV7Y8P2DHFc5a40L66qrBEzXB_DOB42qQsgcQPcwqNfYAnZbVe5jUBXk7C_W3lKX05hxVoOgV_k0dpk-dotsF_QEytg_nYXt30VvQUlZufsmLF-gzNKNdp9wQwQ/s400/mail.png)
jankari lel dhanyavad
जवाब देंहटाएं