Skip to main content

Posts

Showing posts from August, 2010

राहुल गांधी के मिथिला दौरा

बिहार मे चुनावी सरगर्मी तेज भs रहल अछि. अगर सभ किछ ठीक रहल तं उम्मीद अछि जे हफ्ता भर मे बिहार विधानसभा चुनाव के घोषणा करि देल जाएत. वोटिंग दिवाली के आसपास होएत. किछ लोक एकरा ओहि सं पहिने कराबय पर जोर द रहल छलखिन्ह मुदा दिल्ली मे होए वाला कॉमनवेल्थ गेम्स के लsक देश-दुनिया सभ गोटे के ध्यान ओहि पर रहतन्हि. चुनाव आयोग के कोशिश बिहार विधानसभा चुनाव चारि चरण मे कराबय के अछि. ओना सुरक्षा के पेंच फंसल तं ई चुनाव पांच चरण तक सेहो जा सकैत अछि. चुनाव आयोग निष्पक्ष चुनाव कराबय लेल जोर-शोर सं जुटल अछि. आयोग के मानय जाए तं बिहार मे चुनाव के लेल जतेक तैयारी के जरूरत अछि ओकरा पूरा करि लेल गेल अछि. चुनाव के करीब अबतहि राजनीतिक पार्टी सभ अपन कार्यकर्ता सभ के हरकत मे लाबि देलखिन्ह. पार्टी कार्यकर्ता मे जोश...उत्साह जगाबय लेल पार्टी के नेता सभ राज्य के दौरा करनाय सेहो शुरू देने छथिन्ह. कार्यकर्ता सभ के जोड़य... संगठित करय के काज पूरा जोर सं चलि रहल अछि. स्थानीय नेता सभ सेहो टिकट के जोगाड़ मे लागि गेल छथिन्ह. टिकट के लsक सभ पार्टी मे घमासान भs रहल अछि. बीजेपी सं खबर आबि रहल अछि जे ओ अपन वर्तमान एमएलए के ...

कॉमनवेल्थ गेम्स बिहार मे होएत तखन?

कॉमनवेल्थ गेम्स के लsक रोज किछ नहि किछ निकलि रहल अछि. तरह-तरह के गप भs रहल अछि. घोटाला... समय पर पूरा नहि भेनाय... दिल्ली मे जाम... पानि जमा होए सं डेंगू आ दोसर बीमारी... दोसर विभाग के फंड सभ के एहि मे ट्रांसफर करि देनाय...कम पाई के चीज के बेसि दाम पर किराया पर लेनाय... ढेला के दाम वाला चीज सोना के दाम पर खरीदनाय...आओर नहि जाने कतेक चीज के चर्चा भ रहल अछि. मुदा एहि के लsक जतेक गंभीरता सं बात उठएबाक चाही ओतेक गंभीरता सं उछाएल नहि जा रहल अछि. केंद्र आओर दिल्ली दूनु ठाम कांग्रेसक सरकार अछि. सुरेश कलमाड़ी सेहो कांग्रेसी नेता छथिन्ह. एहन मे दिल्ली सरकार केंद्र सरकार पर ...केंद्र सरकार सुरेश कलमाड़ी पर ... कलमाड़ी जी खेल मंत्रालय पर ठीकरा फोड़ि लोक के उलझाबय चाहय छथिन्ह. जखन कि सभ एकहि अछि. देश के गौरव के मामला बता सभ मलाई खाय चाहय छथिन्ह. टाट पर मखमल के पैबंद लगा दुनिया के चकमक दिखाबय चाहय छथिन्ह. जतेक खर्च एहि पर भ रहल अछि ओतेक मे देश भर के प्राइमरी स्कूल के आ फेर प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र के हाल दुरुस्त भ गेल रहत. मुदा ओहि के लेल पाई नहि अछि. एकरा कि कहल जाए? हम एकर विरोध मे नहि छी मु...

मच्छर भगाउ कर्पूर सं...

आई नीता जीक एकटा मैसेज मिलल. नीता जी आर्ट ऑफ लिविंग सं जुड़ल छथीह आओर दिल्ली विश्वविद्यालय मे पढ़ाबय छथीह. हिनकर मैसेज मे लिखल छल जे कर्पूर जलाएला सं या गरम पानी मे रखला सं मच्छर नहि आबैत अछि. जेहि सं मलेरिया...डेंगू जैसन बीमारी सं बचल जा सकैत अछि. एहि मैसेज सं हमरा गाम याद आबि गेल. गाम मे हर दिन भोर मे आ सांझ मे आरती आ दीप जलाएल जाएत अछि. सांझ मे एकरा सांझ देनाय सेहो कहल जाएत अछि. एकर एक तरहक महत्व इहो देखल जा सकैत अछि जे गाम मे मच्छर के बेसि प्रकोप किएक नहि रहैत अछि. कर्पूर के बारे मे लिखल छल कि घर मे कर्पूरक धेला आ टिकिया एक कटोरा गरम पानि ने राखि घरक कोना मे राखि दिअउ आ फेर कोनो गर्म चीज पर राखि दिअउ...कर्पूर सं निकलल भाप... सुगंध सं मच्छर भागि जाएत. जेहि तेल-घी सं सांझ दैत छी ओहि मे सेहो कर्पूर मिला सकय छी. एकरे संग गाम मे हर आंगन मे तुलसी जीक चौड़ा रहैत अछि. दलान के पास फूलक गाछ के संग तुलसी जीक पौधा सेहो लागल रहैत अछि. जेना अखन दिल्ली आ दोसर ठाम डेंगू... स्वाइन फ्लू... वायरल चलि रहल अछि ओहि मे ई खूब फायदा करैत अछि. तुलसी पत्ताक रस शहद के संग मिलाक आ फेर एकर काढ़ा बनाकय पीनाय ...

मधुबनी मे एफएम रेडियो...

अपन मिथिला मे मैथिली एफएम रेडियो के धूम मचल अछि. नेपाल सं लागल सीमावर्ती इलाका मे करीब दर्जन भर एफएम रेडियो स्टेशन मैथिली मे कार्यक्रम प्रसारित करैत अछि. मुदा दुख के बात ई अछि जे अखन धरि एकोटा एफएम स्टेशन अपन मिथिला, बिहार दिस वाला इलाका मे नहि अछि. सभ के सभ एफएम स्टेशन नेपाल सं चलि रहल अछि. ई सभ काफी लोकप्रिय अछि. नेपाल सं चलय वाला सभ एफएम के लोकप्रिय होए के एकमात्र कारण मैथिली मे गीतनाद देनाय अछि. एहि ठाम सं इंटरव्यू... समाचार... एतेक कि विज्ञापन तक मैथिली मे आबैत अछि. आब किछ एफएम पर भोजपुरी मे सेहो कार्यक्रम आबय लागल अछि. कांतिपुर एफएम... जनकपुर एफएम... मिथिला एफएम जकां दर्जनों एफएम लोक के जुबान पर चढ़ि गेल अछि. एहि एफएम सभ के ढेर विज्ञापन सेहो मिल रहल अछि. मैथिली गीत तक त ठीक रहैत अछि मुदा जखन समाचार...इंटरव्यू आबैत अछि ओहि मे नेपाल सं जुड़ल बेसि चीज रहैत अछि... आओर ओहि मे नेपाल के हित जुड़ल रहैत अछि. ओहि मे नेपाल सरकार के नीति-निर्देश के गुणगान कएल जाएत अछि. नेपाल के प्रचार-प्रसार रहैत अछि. एहि सं सीमावर्ती लोक सभ धीरे-धीरे नेपाली सरकार के नीति सं प्रभावित भs रहल छथिन्ह. बीच-बी...

सुधा के कामयाबी के कहानी...

आई पेड़ा खाय काल एकाएक सुधा पेड़ा के याद आबि गेल. बिहार सं बाहर सुधा पेड़ा बड़ याद आबैत अछि. ओहन पेड़ा बीच मे इस्कॉन मंदिर के गोविंदा रेस्त्रां मे मिलैत छल मुदा किछ दिन सं ओ बंद अछि. बिहार मे तं एहन हाल अछि जे लोक आब दूध के संग-संग पेड़ा... गुलाब जामुन... रसगुल्ला... आइस-क्रीम... लस्सी... मिस्टी दही... पनीर आओर कलाकन्द जकां कतेक चीज के लेल पूरा के पूरा सुधा पर निर्भर छथिन्ह. सुधा के सामान शुद्ध आओर स्वादिष्ट के संग नीक क्वॉलिटी वाला रहैत अछि. बिहार मे आई एहन हाल अछि जे सुधा हर घर के लेल जानल-पहचानल नाम बनि गेल अछि. दूध आओर दूध के उत्पाद के लेल तं अहां कहि सकय छी लोक सुधा के आसरे छथिन्ह. सुधा ब्रांड एतेक मजबूत भs गेल अछि कि एकरा ISO 9001: 2000 आओर ISO 15000 के सर्टिफिकेट तक मिलल अछि. सुधा डेयरी असल मे बिहारक सहकारी दुग्ध उत्पादक संघ... कॉम्फेड के अंग अछि. आओर ई अमूल... मदर डेयरी सं टक्कर ल रहल अछि. सुधा डेयरी के दूध दिल्ली...कोलकाता आओर गुवाहाटी तक भेजल जाएत अछि. आब तं नेपाल सेहो भेजल जाएत. नेपाल डेयरी के संग भेल समझौता के मुताबिक रोज 50 हजार लीटर दूध नेपाल भेजल जाएत. दिल्ली...कोलकाता...

साहित्य अकादमी फेलो चुनल गेलाह अमरजी

नव दिल्ली, २७ अगस्त २०१० . साहित्य अकादमी प्रमुख रचनाकार चन्द्रनाथ मिश्र 'अमर' (मैथिली), केदारनाथ सिंह (हिंदी) आ खुशवंत सिंह (अंग्रेजी) कें फेलो चुनलक अछि. एहि ठाम जारी विज्ञप्ति मे कहल गेल अछि जे साहित्य अकादमी केर अध्यक्ष सुनील गंगोपाध्याय केर अध्यक्षता मे भेल आम परिषदक बैसार मे ई निर्णय लेल गेल.  साहित्य अकादमी केर फेलो चुनल जायब बहुत बेसी सम्मान केर विषय अछि. एक बेर मे मात्र २१ गोट लोक कें ई सम्मान भेटैत छैक. ई सम्मान 'अमर साहित्य' केर रचनाकार हेतु सुरक्षित अछि. एहि ठाम एक कार्यक्रम मे अमरजीक संगहि समस्त चयनित फेलो लोकनि कें ताम्र फलक ओ शाल प्रदान क' सम्मानित कयल जायत.  -नवकृष्ण ऐहिक

चुनाव सं पहिने भगवा आतंक के मायने...

अगिला किछ दिन मे दूटा काफी अहम चीज होए वाला अछि. एक तं अयोध्या मामला के मालिकाना हक पर फैसला आबय वाला अछि...दोसर बिहार मे चुनाव होए वाला अछि. दूनू काफी अहम अछि. कांग्रेस...आरजेडी...एलजेपी के लेल सेहो आओर एनडीए के लेल सेहो. एकटा मे अगिला मास फैसला आएत जकर व्यापक असर पड़ि सकैत अछि. ओकर असर दोसरका मामला दीपावली के आसपास होएवाला चुनाव पर सेहो पड़ि सकैत अछि. आब वोट बैंक पर नजर राखय वाला लोक सभ अखने सं आगां-पाछां देख रहल छथिन्ह जे कोन फैसला अएला पर केहन रिएक्शन होएत. किछ लोक के कहनाय अछि जे ई आस्था तं सं जुड़ल मामला अछि एहि मे कोर्ट कि फैसला करि सकैत अछि ? एक के पक्ष मे गेल त दोसर नाराज... दोसर के पक्ष मे गेल त पहिल नाराज. बड़ संवेदनशील मामला अछि. एहि मामला पर प्रधानमंत्री एकटा उच्च स्तरीय बैसार सेहो क चुकल छथिन्ह. अगर बिहार चुनाव के केंद्र मे राखि क देखल जाए तं सभ दल अपन-अपन राजनीति मे लागि गेल अछि. नीतीश जी नरेन्द्र मोदी के बाढ़ि राहत के राशि लौटा दए छथिन्ह...तं लालू जी शहाबुद्दीन सं मिलय लेल जेल मे जाए छथिन्ह. खास वर्ग के लोक के अपना दिस जोड़य लेल सभ जोगाड़ करि रहल छथिन्ह. नेता सभ के ए...

सूखा के बाद बाढ़ि...

बिहारक लोक के जेना आपदा के संग चोली-दामन के संबंध बनि गेल अछि. हर साल कोनो न कोनो आपदा लोक के परेशान जरूर करैत अछि. कोनो एहन साल नहि गेल जेहि मे बाढ़ि...सूखा...भूकंप सं पाला नहि पड़ल होए. एहि बेर सेहो प्रचंड सूखा पड़ल...रोपनी नहि भेल. धान...मकई के फसल बर्बाद भ गेल. लगैत अछि जेना बिहार के नियति इहे भ गेल अछि. मुदा दुर्भाग्य एहन जे एम्हर सरकार राज्य के सभ जिला के सूखाग्रस्त करलक...केंद्रीय टीम के दौरा भेल आ बाढ़ि अनाय शुरू. रौदी...सूखा सं फसल नष्ट भेल. आब बाढ़िक पानि परेशान कएने अछि. एहन हाल मे कई जिला के सामने ई संकट ठाड़ भ गेल अछि जे ओहि ठाम सूखा के मदद देल जाए आ बाढ़ि के. केंद्रीय मदद मे सेहो देर लागि सकैत अछि. बिहार मे जतेक पानि होबाक चाही छल ओकर चौथाइओ नहि भेल. मुदा नेपाल दिस सं पानि अएला के कारण सभ नदी मे पानि उफान मारि रहल अछि. नदी सभ खतरा के निशान सं ऊपर बहि रहल अछि. कई गाम मे पानि घुसि गेल अछि. कई ठाम बांध पर दबाव बढ़ि गेल अछि. कई ठाम टूटि सेहो चुकल अछि. कई इलाका मे बाढ़ि के खतरा के देखैत लोक के अलर्ट सेहो करि देल गेल अछि. बाढ़ि के खतरा देख कई ठाम के लोक सभ तं सुरक्षित जगह के...

वीर जबान

       वीर जबान  मातृभूमिक रक्षा लेल शहीद भऽ जाइत छथि वीर जवान समहारने छथि ओ देशक सीमान नमन करैत अछी ‘ किशन , अहॉ छी वीर जवान। मरब की जीयब तेकर नहि रहैत छनि हुनका धियान मुदा , देशक रक्षा लेल ओ सदखनि न्योछाबर करैत छथि अपन जान। सैनिक छथि ओ इन्सान देशक दुश्मन पर रखैत छथि धियान आतंकवादीक छक्का छोड़ा दैत छैक परमवीर छथि , हिन्दुस्तानक वीर जवान। महान छथि ओ  वीर जवान , देशक खातिर जे हॅंसैत-हॅंसैत देलथिहिन अपन बलिदान भारतवासी गर्व करैत अछि अहॉ पर नहि बिसरत कहियो अहॉक त्याग आओर बलिदान। सीमा पार सॅं , केलक आतंकी हमला कऽ देलियै आतंक के मटियामेट अहॉं भऽ गेलहुँ अपने लहु-लुहान मुदा आतंक सॅं बचेलहुँ सभहक जान करगिल सॅ कूपवाड़ा तक आतंकवादी सॅं लैत छी अहॉं टक्कर अहॉंक वीरता देखि कऽ अबैत छैक ओकरा चक्कर।   बीर जबान यौ बीर जबान समहारने छी अहॉं देशक सीमान कोना कऽ हेतै देशक रक्षा सदखनि अहॉ रहैत छी हरान। :- किशन कारीग़र-:                      ...

'मिथिला राज चाही'

दिल्ली के जंतर-मंतर पर अलग मिथिला राज्य के लेल धरना प्रदर्शन कएल गेल. ई अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति के तरफ सं कएल गेल. एहि प्रदर्शन मे कीर्ति झा आजाद... महाबल मिश्रा... माहेश्वर हजारी आओर अनिल कुमार झा के संग डा. वैद्यनाथ चौधरी सेहो शामिल छलाह. धरना- प्रदर्शन के बाद प्रधानमंत्री के नाम सं एकटा ज्ञापन सेहो सौंपल गेल. सभ लोकनिक कहनाय छलनि जे मिथिलाक विकास बिना अलग राज्य बनले नहि होएत. हिनकर सभक कहनाय छलनि जे मिथिलाक सदिखन उपेक्षा के नजर सं देखल गेल. ई इलाका सदिखन राजनीतिक भेदभाव आओर पक्षपात के शिकार बनैत रहल. धरना मे बीजेपी-कांग्रेस दुनू पार्टी के नेता सभ शामिल छलाह. मुदा आम लोक के भागीदारी कम देखल गेल. असल मे दिल्ली मे आ कतहुं किछ होएत अछि त लोक सभ के ठीक सं बताएल नहि जाएत अछि. आब एहि धरना के देखु. भीख नहि अधिकार चाही...हमरा मिथिला राज चाही. दिल्ली मे मैथिली मे नारा लगाबैत लोक के देखि ओम्हर सं गुजरय वाला लोक सब कनि देर लेल ठिठकि जाए छलखिन्ह. दिल्ली मे तं मिथिलाक बड़ लोक रहय छथिन्ह ओ सभ ठमकि कs जानय चाहय छलखिन्ह... कि भs रहल अछि? दिल्ली मे मिथिला-मैथिली सं जुड़ल कइटा कार्य...

लालू बनलाह प्रधानमंत्री !

चौंक गेलहुं न. लोकसभा मे आई ऐना भेल. पूर्व रेलमंत्री लालू प्रसाद जीके नेतृत्व मे एकटा राष्ट्रीय सरकार बनाएल गेल. मुलायम सिंह यादव जी के सरकारक आओर सदनक संयोजक बनाएल गेलन्हि. सभसं अजगुतक गप ई रहल जे 36 के संबंध रहय वाला बीजेपी सं गोपीनाथ मुंडे लोकसभा स्पीकर बनाऔल गेलाह. असल मे आरजेडी...बीएसपी... जेडीयू आओर समाजवादी पार्टी के सांसद सभ एमपी के वेतन तीन गुना बढ़ाबय के विरोध करय छलखिन्ह. ऐना नहि छल कि ओ नहि चाहय छलखिन्ह जे वेतन नहि बढ़य... बल्कि ओ तीन गुना के जगह पांच गुना बेसि वेतन बढ़ाबय के मांग पर डटल छलखिन्ह. एहन मे हिनकर सभक विरोध पर जखन लोकसभा स्थगित करि देल गेल तं ई सभ सदने मे डटल रहलाह. एहि मे हिनका सभ के बीजेपी के सेहो सहयोग मिललन्हि. आओर बीजेपी... आरजेडी... जेडीयू... बीएसपी सभ के सांसद मिल एकटा मॉक सरकार बनौलखिन्ह. सरकार बनाबय के खेला खेललखिन्ह...स्वांग करलखिन्ह. सरकार बनाबय के ई ड्रामा काफी मजेदार रहल. लोक सभ खुब हंसलाह. लोकसभा स्थगित भेलाह पर ई सभ सांसद सभ सदनहि मे यूपीए सरकार के बर्खास्त करि लालू जीक नेतृत्व मे एकटा सरकार बनौलखिन्ह.. लालूजी कहलखिन्ह जे काल्हि पौने दस बजे पूरा...

बिहारक सभ जिला सूखाग्रस्त घोषित...

बिहार के अड़तीसों जिला सूखाग्रस्त घोषित करि देल गेल अछि. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आई स्वतंत्रता दिवस के मौका पर गांधी मैदान मे एकर घोषणा करलखिन्ह. एहि सं पहिने बिहार के 38 मे सं 28 जिला के सूखाग्रस्त घोषिक कएल गेल छल. गांधी मैदान मे झंडा फहरावैत काल मुख्यमंत्री कहलखिन्ह जे बिहार पिछला चारि साल सं लगातार प्राकृतिक आपदा झेल रहल अछि. मुदा अहां सभ जेना पहिने एकर मुकाबला करलौं ओहिना एकरो करब तकर उम्मीद अछि. एहि सं पहिने काल्हि 14 अगस्त के बाकी बचल 10 जिलाक डीएम संग विडियो कांफ्रेंसिंग कएल गेल. जेहि मे ई बात सामने आएल जे ओहि जिला मे सेहो आधा सं बेसि रौदी जकां हाल अछि. जेहि दस आओर जिला के सूखाग्रस्त घोषित कएल गेल अछि ओहि मे सहरसा, सुपौल, मधेपुरा, पूर्णिया, पश्चिमी चंपारण, गोपालगंज, खगड़िया, किशनगंज, अररिया आओर कटिहार शामिल अछि. सूखाग्रस्त इलाका घोषित भेलाह के बाद आब राज्य के सभ जिला के किसान भाई लोकनि के सरकारी मदद मिलतन्हि. हुनका सरकार के तरफ सं बीज...डीजल आओर दोसर तरहक सहायता मिलतन्हि...सब्सिडी मिलतन्हि. लोन...कर्ज वसूली किछ दिन के लेल सेहो रोकि देल जाएत. पटनी के लेल बिजली के व्यवस्था कएल ...

पवन के कार्टून...

पटना हिन्दुस्तान मे आई पवन के एकटा नीक कार्टून छपल अछि. उम्मीद अछि अहां सभ के सेहो नीक लागत... सौजन्य- हिन्दुस्तान, पटना   हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,Nitish,Kojagra, Kohbar, Chaurchan, Keoti, Rajnagar, Media Jobs, Career,vidyapati, geetnaad, sohar,mundan, mandan, jha, mishra, Pandey, Lal das,Singh,Sonia, Manmohan, Mamta,pranab, budget, rail,pawani,paag, makhan, Bhagalpur, BSEB,, Motihari, Examination board, LNMU, University,Bihar board, Bihar Flood,Tourism, Kumar,Minister, Maithili songs,

अहांक संदेश..

*वंदे मातरम् आजादी की 63वीं सालगिरह की हार्दिक शुभकामनाएं आलोक पुंज आस्था चैनल, नोएडा *WISH YOU A VERY HAPPY INDEPENDENCE DAY. VISHWANATH JHA  (DAINIK JAGRAN,NOIDA) *WE ARE PROUD TO BE AN INDIAN... CELEBRATE EVERY MOMENT OF BEING A CITIZEN OF THE GREAT COUNTRY INDIA. R. S. KUSHWAHA SHISHON,DARBHANGA *WISHING U A VERY HAPPY INDEPENDENCE DAY MUKESH KUMAR JHA *I WISH YOU ALL A HAPPY INDEPENDENCE DAY. RANJIT *I LOVE MY INDIA MUKESH GUPTA KEOTI, DARBHANGA *Happy Independence Day -रजनीश कुमार, मुंगेर *भारत माता की जय -अभिषेक प्रियदर्शी *Independence a Precious Gift of God. May We Always Remain Independent. A Very Happy Independence Day 2 U -Abhitanshu,  News 24, Etah, UP *I WISH YOU ALL A HAPPY INDEPENDENCE DAY. MAY OUR COUNTRY PROGRESS IN EVERY WHERE AND IN EVERYTHING. HAPPY INDEPENDENCE DAY. REGARDS, -NIRANJAN DUBEY *Happy Independence Day -Sonu, Madhubani *Jai Hind, Have A Great Independence Day. Feel Proud 2 B An Indian. -Umesh Dung *I Love My India Jay ...

स्वतंत्रता दिवसक हार्दिक शुभकामना...

अहां सभ के स्वतंत्रता दिवसक हार्दिक शुभकामना... हेलो मिथिलाक माध्यम सं अहां सेहो लोक सभ के अपन शुभकामना संदेश द सकय छी.   अहां अपन शुभकामना संदेश  Hellomithilaa@gmail.com  पर पठा दिअ. अहांक संदेश एहिठाम राखि देल जाएत. धन्यवाद हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,Nitish,Kojagra, Kohbar, Chaurchan, Keoti, Rajnagar, Media Jobs, Career,vidyapati, geetnaad, sohar,mundan, mandan, jha, mishra, Pandey, Lal das,Singh,Sonia, Manmohan, Mamta,pranab, budget, rail,pawani,paag, makhan, Bhagalpur, BSEB,, Motihari, Examination board, LNMU, University,Bihar board, Bihar Flood,Tourism, Kumar,Minister, Maithili songs,

मैथिली विरोधी !!

   बिहारक चुनाव जँ जँ लग आयल जा रहल अछि सरगर्मी बढी रहल अछि ......कथिक सरगर्मी से तs हम आ समूचा देशक लोक बूझि रहल छथि. नेतागण आरोप प्रत्यारोप एक दोसर पर तेना लगा रहल छथि जेना आशीर्वाद  हो . लेखा जोखा भs रहल अछि मुदा अपन कार्यक नहि....दोसर नेता की नहि केलाह ताहि केर . जनता केर बुझाबय के प्रयास में कोनो तरहक कोताही कियैक छोड़ताह . सूतल नेता सब जागि गेलाह अछि . अपन भरि कार्यकाल मद में मस्त छलथि, बटोरय सs फुर्सत कहाँ छलैन्ह जे ओ सब जनताक सुख दुःख के विषय में सोचितथि. आब जाहि पर नोन मिरचाई छिरकने छलाह ताहि लहरि केर कम करबाक प्रयास केनाई तs उचिते. जाहि प्रमंडल केर नाम मात्र उगाही करबाक प्रयोजन के लेल भेल होयतैंह ताहि ठाम जा अपन उपस्थिति दर्ज तs करबे करताह..... आ.. वाह रे जनता.  आजु कतहु हम पढ़य छलहुँ जे कोनो कांग्रेसी नेताक बयान छलैन्ह "नितीश जी मैथिली विरोधी छथि .......चुनाव लग आबि देखि नितीश जी के मैथिली आ विद्यापति याद आबि गेलैन्ह. यदि ई नहि तs मैथिली के सिलेबस सs कियैक हटेलाह". हम ओहि नेता सँ सहमति छी..... नितीश जी मैथिली विरोधी छ...

आन्हर क रोल करब चुनौती छल: श्रृति झा

अंग्रेजी साहित्यक पढ़ाई आ थियेटर करैत-करैत कखन सीरियल करै लगलथि इ श्रृति कए पता नहि चलल। ‘धूम मचाओ धूम’, ‘जिया जले’, ‘ज्योति’ आओर ‘शौर्य आ सुहानी’ सन सीरियल मे काज करि छोट पर्दा क जरिए...घर-घर मे पहचानल चेहरा श्रृति झा इमैजिन टीवी पर आबि रहल सीरियल 'रक्त संबंध' मे लीड भूमिका मे छथि। एहि मे ओ आंखिक रोशनी गवां चुकल ‘संध्या’ क रोल निभा रहल छथि। श्रृति झा स विनीत उत्पल झा क गपशपक खास अंश- -अंग्रेजी साहित्यक स्टूडेंट छी, एक्टिंग मे कोना आबि गेलहु? स्कूल-कॉलेज मे थियेटर करैत रही। दिल्ली विश्वविघालयक श्री वेंकटेश्वर कॉलेज सं जखन ग्रेजुएशन करि रहल छलहुं तखने थियेटर ग्रुप ज्वाइन केने रही। कॉलेजक  ड्रामा सोसाइटी मे शामिल भेल रही आ एक साल प्रेसिडेंट सेहो बनल रही। ओहि दौरान काफी थियेटर केने रही आ एहि सं संबंधित वर्कशॉप मे भाग सेहो लेने रही। -अहांक पैतृक घर कतए भेल, परिवारक आओर कियो एहि फील्ड मे छथि? हमर पैतृक घर बिहारक दरभंगा जिलाक डरहार नामक गाम भेल। पापा फर्स्ट फ्लाइट कोरियर मे एमडी (नेपाल) छथि। परिवारक कोनो सदस्य एक्टिंग या फिल्म प्रोडक्शन क फील्ड मे नहि छथि। -एहि मुक...

विकास असल मुद्दा-नीतीश

बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीक कहनाय छनि जे अगिला चुनाव विकास के नाम पर लड़ल जाएत. ई बात ओ अपन ब्लॉग पर लिखय छथिन्ह. नीतीश जी अपन ब्लॉग पर 9टा पोस्ट लिख चुकल छथिन्ह. ताजा पोस्ट करीब एक मास बाद लिखलखिन्ह. नवका पोस्ट चुनाव के ध्यान मे लिखने छथिन्ह. एहि मे ओ साफ कहय छथिन्ह जे आबय वाला विधानसभा चुनाव मे विकास अहम मुद्दा रहत आओर ई जाति पर नहि विकास के आधार पर लड़ल जाएत. मुख्यमंत्री जी इहो कहय छथिन्ह जे पिछला साल भेल लोकसभा चुनाव मे ई देखल जा चुकल अछि. लोकसभा चुनाव मे हुनकर एनडीए के 40 मे सं 32 सीट मिललन्हि. लोक जाति छोड़ि विकास के नाम पर वोट देलखिन्ह...आओर उम्मीद जताबय छथिन्ह जे एहि बेर सेहो तेहने होएत. नीतीश जी अपन पोस्ट मे युवा वर्ग आओर महिला सभ पर विशेष ध्यान देने छथिन्ह. ओ लिखय छथिन्ह जे हुनका युवा सभ के अपार सहयोग मिल रहल छनि. युवा सभ हुनकर पोस्ट पर जबरदस्त कमेंट करि रहल छथिन्ह आओर विकास के तारीफ करय छथिन्ह. बिहारी युवा सभ आब जागि गेल छथिन्ह आओर ओ विकास के महत्व समझय छथिन्ह. ओ जानय छथिन्ह जे किनका वोट देलाह पर बिहार के विकास होएत. मुख्यमंत्री कहय छथिन्ह जे एहि बेर महिला अपन प...

टाइम्स ऑफ इंडिया के पत्रकारक जरूरत...

टाइम्स ऑफ इंडिया के दिल्ली सं सटल गुड़गांव के लेल किछ पत्रकारक जरूरत अछि.अगर अहां सभ टाइम्स ऑफ इंडिया सं जुड़य चाहय छी तं ई नीक मौका अछि अहां सभ के पास. देर नहि करि जल्दी सं अपन रिज्यूमे पठा दिऔ. आओर हां...जेहि पोस्ट के लेल अप्लाई करब ओकर कोड जरूर लिख देबय. अहां अपन रिज्यूमे एहि ईमेल पर भेज सकय छी. careers.north@timesgroup.com   हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,Nitish,Kojagra, Kohbar, Chaurchan, Keoti, Rajnagar, Media Jobs, Career,vidyapati, geetnaad, sohar,mundan, mandan, jha, mishra, Pandey, Lal das,Singh,Sonia, Manmohan, Mamta,pranab, budget, rail,pawani,paag, makhan, Bhagalpur, BSEB,, Motihari, Examination board, LNMU, University,Bihar board, Bihar Flood,Tourism, Kumar,Minister, Maithili songs,