Skip to main content

आन्हर क रोल करब चुनौती छल: श्रृति झा

अंग्रेजी साहित्यक पढ़ाई आ थियेटर करैत-करैत कखन सीरियल करै लगलथि इ श्रृति कए पता नहि चलल। ‘धूम मचाओ धूम’, ‘जिया जले’, ‘ज्योति’ आओर ‘शौर्य आ सुहानी’ सन सीरियल मे काज करि छोट पर्दा क जरिए...घर-घर मे पहचानल चेहरा श्रृति झा इमैजिन टीवी पर आबि रहल सीरियल 'रक्त संबंध' मे लीड भूमिका मे छथि। एहि मे ओ आंखिक रोशनी गवां चुकल ‘संध्या’ क रोल निभा रहल छथि।
श्रृति झा स विनीत उत्पल झा क गपशपक खास अंश-


-अंग्रेजी साहित्यक स्टूडेंट छी, एक्टिंग मे कोना आबि गेलहु?
स्कूल-कॉलेज मे थियेटर करैत रही। दिल्ली विश्वविघालयक श्री वेंकटेश्वर कॉलेज सं जखन ग्रेजुएशन करि रहल छलहुं तखने थियेटर ग्रुप ज्वाइन केने रही। कॉलेजक  ड्रामा सोसाइटी मे शामिल भेल रही आ एक साल प्रेसिडेंट सेहो बनल रही। ओहि दौरान काफी थियेटर केने रही आ एहि सं संबंधित वर्कशॉप मे भाग सेहो लेने रही।


-अहांक पैतृक घर कतए भेल, परिवारक आओर कियो एहि फील्ड मे छथि?
हमर पैतृक घर बिहारक दरभंगा जिलाक डरहार नामक गाम भेल। पापा फर्स्ट फ्लाइट कोरियर मे एमडी (नेपाल) छथि। परिवारक कोनो सदस्य एक्टिंग या फिल्म प्रोडक्शन क फील्ड मे नहि छथि।


-एहि मुकाम तक पहुंचबा मे कोनो तरह संघर्ष ?
कॅरियर मे जतय तक पहुंचलहु अछि, माता-पिताक पर्याप्त सहयोग रहल। कहियो कोनो काज लेल ओ मना नहि केलथि। शुरूआत मे कनि दिक्कत भेल, मुदा आब जखन हमरा टीवी पर देखैत छथि, तं सबकए नीक लगैत छैन।


-कौन-कौन सीरियल मे काम केलहु अछि?
‘धूम मचाआघ् धूम’, ‘जिया जले’, ‘ज्योति’ आ ‘शौर्य आ सुहानी’ मे अभिनय करबाक अवसर भेटल अछि। सीरियल ‘जिया जले’ आ ‘शौर्य आ सुहानी’ मे लीड रोल छल।


-इमैजिन टीवी पर आबि रहल ‘रक्त संबंध’ मे कौन तरहक रोल अछि?
‘रक्त संबंध’ मे आन्हर लड़की ‘संध्या’ क रोल करि रहल छी। ओ पांच बहिन मे सबसं छोट अछि। ओकर विवाहक दिन ओकर पिता खुदकुशी करि लैत छथि आ फेर पांचों बहिन क परिवार सेहो अछि।


-एकटा आन्हर लड़की क रोल करब केतब मुश्किल छल?
इ रोल करब अपना मे चुनौती छल, मुदा हम एकरा स्वीकार केलहुं। एहि सं पहिने सेहो हम मेंटली अनसाउंड क किरदार निभा चुकल छी। ‘संध्या’ कए आंखि मे रोशनी नहि हेबाक कारण स ओकरा लेल हर चीज खूबसूरत छै। ओ अपन दायरा मे सुंदरता कए परिभाषित करैत अछि।


-एहि सीरियल मे आ के के अछि?
एहि मे हमर अलावा किटी कृष्णमूर्ति, सायंतनी घोष, गुनगुन, भार्गवी चिरमूले, सोनाली निकम, मोहन अगाशे, सचिन श्राफ, ध्रुव भंडारी आदि छथि।


-भविष्य मे कौन तरह क काज करब पसिन करब?
जतय काज भेटत, नीक काज भेटत, हम जरूर करब।


-की-की शौक अछि अहांक?
पढ़बाक शौक अछि, फिल्म सेहो खूब देखैत छी। क्लासिक आ ऑटोबायोग्राफी पढ़ब काफी पसिन अछि। अमिताभ घोष क किताब हमरा नीक लगैत अछि। एखन अबरार अल्वी क ‘टेन ईयर वीथ गुरूदत्त’ पढ़ि रहल छी।


-ककरो सं रिलेशन?
हमरा असगर रहब नीक लगैत अछि आ संघर्ष करब सेहो। फिलहाल हम ककरो संग कोनो ‘रिलेशन’ मे नहि छी। 

Comments

  1. Nik sakshatkar. vinit utpaljee maithilik dekhar o nukayal pratibhak sang apnek sakshatkar kyek tham padhal, neek kaj karait chhi apne. prastut sakshatkar me eho jantab bhetal je maithil bala Shruti Jha Ehi serial me chhathi. Ona Tv par aneko maithil mahila-purush kalakar sakriya chhathi. neek gapp.
    sakshatkar san shruti ker Maithili-mithilak prati ki drishti chhani takar pata nahi chalal. e kami bujhana gel.
    Maithil san sakshatkar aa mithila-maithili san sambandhit kono parashna nahi ho ta kane akhrai chhaik.
    Ati uttam lagal.
    anyanya prastuti ker baat takait

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर