Skip to main content

राहुल गांधी के मिथिला दौरा

बिहार मे चुनावी सरगर्मी तेज भs रहल अछि. अगर सभ किछ ठीक रहल तं उम्मीद अछि जे हफ्ता भर मे बिहार विधानसभा चुनाव के घोषणा करि देल जाएत. वोटिंग दिवाली के आसपास होएत. किछ लोक एकरा ओहि सं पहिने कराबय पर जोर द रहल छलखिन्ह मुदा दिल्ली मे होए वाला कॉमनवेल्थ गेम्स के लsक देश-दुनिया सभ गोटे के ध्यान ओहि पर रहतन्हि.

चुनाव आयोग के कोशिश बिहार विधानसभा चुनाव चारि चरण मे कराबय के अछि. ओना सुरक्षा के पेंच फंसल तं ई चुनाव पांच चरण तक सेहो जा सकैत अछि. चुनाव आयोग निष्पक्ष चुनाव कराबय लेल जोर-शोर सं जुटल अछि. आयोग के मानय जाए तं बिहार मे चुनाव के लेल जतेक तैयारी के जरूरत अछि ओकरा पूरा करि लेल गेल अछि.
चुनाव के करीब अबतहि राजनीतिक पार्टी सभ अपन कार्यकर्ता सभ के हरकत मे लाबि देलखिन्ह. पार्टी कार्यकर्ता मे जोश...उत्साह जगाबय लेल पार्टी के नेता सभ राज्य के दौरा करनाय सेहो शुरू देने छथिन्ह. कार्यकर्ता सभ के जोड़य... संगठित करय के काज पूरा जोर सं चलि रहल अछि. स्थानीय नेता सभ सेहो टिकट के जोगाड़ मे लागि गेल छथिन्ह.

टिकट के लsक सभ पार्टी मे घमासान भs रहल अछि. बीजेपी सं खबर आबि रहल अछि जे ओ अपन वर्तमान एमएलए के टिकट नहि काटय के फैसला करने अछि. मुदा परिसीमन के बाद कई विधानसभा क्षेत्र के नाक-नक्शा पूरा बदलि गेल अछि. एहि सं कइटा मौजूदा विधायक के सेहो जीतय के लेल बेसि पसीना बहाबय पड़तन्हि.

चुनाव के लsक केंद्रीय नेता सभ के सेहो अनाय शुरू भs रहल अछि. शुरूआत कांग्रेस के राहुल गांधी सं भs रहल अछि. राहुल गांधी अपन बिहार दौरा के शुरुआत मिथिला सं करि रहल छथिन्ह. राहुल गांधी शनिदिन 4 सितंबर के समस्तीपुर आओर सहरसा जा रहल छथिन्ह. दूनु ठाम हिनकर आम सभा होएत. सहरसा राज्य कांग्रेस अध्यक्ष महबूब अली कौसर जीक क्षेत्र अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...