साहित्य अकादमी फेलो चुनल गेलाह अमरजी

नव दिल्ली, २७ अगस्त २०१० . साहित्य अकादमी प्रमुख रचनाकार चन्द्रनाथ मिश्र 'अमर' (मैथिली), केदारनाथ सिंह (हिंदी) आ खुशवंत सिंह (अंग्रेजी) कें फेलो चुनलक अछि. एहि ठाम जारी विज्ञप्ति मे कहल गेल अछि जे साहित्य अकादमी केर अध्यक्ष सुनील गंगोपाध्याय केर अध्यक्षता मे भेल आम परिषदक बैसार मे ई निर्णय लेल गेल. 
साहित्य अकादमी केर फेलो चुनल जायब बहुत बेसी सम्मान केर विषय अछि. एक बेर मे मात्र २१ गोट लोक कें ई सम्मान भेटैत छैक. ई सम्मान 'अमर साहित्य' केर रचनाकार हेतु सुरक्षित अछि. एहि ठाम एक कार्यक्रम मे अमरजीक संगहि समस्त चयनित फेलो लोकनि कें ताम्र फलक ओ शाल प्रदान क' सम्मानित कयल जायत. 

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

कुंद नहि होबाक चाही रचनाधर्मिता केर धार- रविन्द्र नाथ ठाकुर

दरभंगा लेल हवाई सेवा !

दरभंगा सं मरीज के लेल हवाई सेवा

किछ हरायल शब्द

हमर विआह-10