नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मधुबनी मे एफएम रेडियो...

अपन मिथिला मे मैथिली एफएम रेडियो के धूम मचल अछि. नेपाल सं लागल सीमावर्ती इलाका मे करीब दर्जन भर एफएम रेडियो स्टेशन मैथिली मे कार्यक्रम प्रसारित करैत अछि. मुदा दुख के बात ई अछि जे अखन धरि एकोटा एफएम स्टेशन अपन मिथिला, बिहार दिस वाला इलाका मे नहि अछि. सभ के सभ एफएम स्टेशन नेपाल सं चलि रहल अछि. ई सभ काफी लोकप्रिय अछि.

नेपाल सं चलय वाला सभ एफएम के लोकप्रिय होए के एकमात्र कारण मैथिली मे गीतनाद देनाय अछि. एहि ठाम सं इंटरव्यू... समाचार... एतेक कि विज्ञापन तक मैथिली मे आबैत अछि. आब किछ एफएम पर भोजपुरी मे सेहो कार्यक्रम आबय लागल अछि. कांतिपुर एफएम... जनकपुर एफएम... मिथिला एफएम जकां दर्जनों एफएम लोक के जुबान पर चढ़ि गेल अछि. एहि एफएम सभ के ढेर विज्ञापन सेहो मिल रहल अछि.

मैथिली गीत तक त ठीक रहैत अछि मुदा जखन समाचार...इंटरव्यू आबैत अछि ओहि मे नेपाल सं जुड़ल बेसि चीज रहैत अछि... आओर ओहि मे नेपाल के हित जुड़ल रहैत अछि. ओहि मे नेपाल सरकार के नीति-निर्देश के गुणगान कएल जाएत अछि. नेपाल के प्रचार-प्रसार रहैत अछि. एहि सं सीमावर्ती लोक सभ धीरे-धीरे नेपाली सरकार के नीति सं प्रभावित भs रहल छथिन्ह.

बीच-बीच मे पेपर सभ मे इहो आबैत रहैत अछि जे नेपाली एफएम सभ के माओवादी आओर आईएसआई अपना हित साधय लेल उपयोग मे लाबैत अछि. एहि एफएम के माध्यम सं बिहार सं सटल इलाका मे प्रोपगैंडा फैलाएल जाएत अछि. लोक सभ के अपना रंग मे रंगय के कोशिश कएल जाएत अछि. अगर एहि मे कनिको सच्चाई अछि तं ई खतरनाक गप अछि. एहि पर गंभीरता सं विचार करय के जरूरत अछि.

ओना सरकार एहि पर चुप नहि बैसल अछि. एहि वित्तीय वर्ष मे मधुबनी मे एकटा एफएम स्टेशन खुलि जाएत. सरकार के तरफ सं एहन कोशिश अछि जे मधुबनी के संग-संग मोतिहारी आओर बेतिया मे सेहो एफएम स्टेशन खोलि देल जाए जेहि सं सीमावर्ती लोक के बीच नेपाली एफएम के जगह एकटा नीक विकल्प मिलि सकय. एहि के लेल काज शुरू करि देल गेल अछि. उम्मीद अछि जल्दीए अहांके अपन एफएम सुनय लेल मिलि जाएत.

सिर्फ एफएम लगौला सं काज नहि बनय वाला अछि. एकरा लेल शक्तिशाली ट्रांसमिटर वाला स्टेशन स्थापित करय के जरूरत अछि. जेहि सं मिथिलाक एकटा बड़का इलाका के लोक एकरा सुनि सकय... फायदा उठा सकय...ओहि लेल ऐना करहि पड़त. एकरे संग-संग मैथिली...भोजपुरी मे नीक-नीक कार्यक्रम...चहटगर गीतनाद सेहो पेश करय के ध्यान मे राखय पड़तन्हि. किएक त ओहि एफएम के बनल-बनाएल मार्केट के तोड़नाय आसान नहि अछि.

त तैयार भ जाउ अपन पूर्ण रूप सं भारतीय एफएम के लेल. एहि पर मैथिली... भोजपुरी के संग बॉलीवुड के नीक-नीक गीत सुनय के संग-संग अपन देश-दुनिया के समाचार सेहो सुनु. आब रेडियो स्टेशन बदलय के जरूरत नहि रहत... दोसर दू-चारि टा एफएम स्टेशन खुलय धरि एकटा पर फिक्स क दिऔ. फेर आब तं मोबाइल पर सेहो लोक सभ एफएम रेडियो के आनंद उठाबैत छथिन्ह. आबैत-जाएत सेहो मस्त रहुं.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु