नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

विकास असल मुद्दा-नीतीश

बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीक कहनाय छनि जे अगिला चुनाव विकास के नाम पर लड़ल जाएत. ई बात ओ अपन ब्लॉग पर लिखय छथिन्ह. नीतीश जी अपन ब्लॉग पर 9टा पोस्ट लिख चुकल छथिन्ह. ताजा पोस्ट करीब एक मास बाद लिखलखिन्ह.

नवका पोस्ट चुनाव के ध्यान मे लिखने छथिन्ह. एहि मे ओ साफ कहय छथिन्ह जे आबय वाला विधानसभा चुनाव मे विकास अहम मुद्दा रहत आओर ई जाति पर नहि विकास के आधार पर लड़ल जाएत.

मुख्यमंत्री जी इहो कहय छथिन्ह जे पिछला साल भेल लोकसभा चुनाव मे ई देखल जा चुकल अछि. लोकसभा चुनाव मे हुनकर एनडीए के 40 मे सं 32 सीट मिललन्हि. लोक जाति छोड़ि विकास के नाम पर वोट देलखिन्ह...आओर उम्मीद जताबय छथिन्ह जे एहि बेर सेहो तेहने होएत.

नीतीश जी अपन पोस्ट मे युवा वर्ग आओर महिला सभ पर विशेष ध्यान देने छथिन्ह. ओ लिखय छथिन्ह जे हुनका युवा सभ के अपार सहयोग मिल रहल छनि. युवा सभ हुनकर पोस्ट पर जबरदस्त कमेंट करि रहल छथिन्ह आओर विकास के तारीफ करय छथिन्ह. बिहारी युवा सभ आब जागि गेल छथिन्ह आओर ओ विकास के महत्व समझय छथिन्ह. ओ जानय छथिन्ह जे किनका वोट देलाह पर बिहार के विकास होएत.

मुख्यमंत्री कहय छथिन्ह जे एहि बेर महिला अपन पति-पिता के कहला पर नहि...बल्कि अपन मर्जी सं... अपन राजनीतिक समझ सं वोट करतीह. आजुक महिला सभ जानय छथीह जे विकास के कि महत्व अछि. ओ पहिने सं बेसि जागरूक छथीह. ओ जानय छथीह जे कि गलत अछि...आओर कि सही.

मुख्यमंत्री जी साफ कहय छथिन्ह जे हमरा सभ के जाति के फांस मे बंधय के बजाय...बंटय के बजाय विकास के नाम पर वोट करबाक चाही... बिहार जे विकास के मार्ग पर बढ़ल अछि ओकरा आओर आगां ल जएबाक चाही. जेहि सं हमरा सभ गर्व सं कहि सकी जे हम बिहारी छी.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु