Skip to main content

Posts

नीतीश कुमार आब निकलताह सेवा यात्रा पर

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एकटा आओर यात्रा पर निकलि रहल छथिन्ह. एहि बेर ओ सेवा यात्रा पर निकलताह. मुख्यमंत्री बनलाह के बाद नीतीश जी कइटा यात्रा पर निकलि चुकल छथिन्ह. नीतीश जी एहि सं पहिने विकास यात्रा... न्याय यात्रा... प्रवास यात्रा

भूकंप सं बिहार मे 7 लोक मरलाह

रविदिन सांझ में आएल भूकंप से बिहार मे मरय वाला लोक के संख्या 7 भ गेल अछि.शुरू मे नुकसान के पता नहि लागल. भूकंप अएला के किछ देर बादहिं सं फोन संपर्क जाम भ गेलाह के कारण लोक के असल स्थिति के पता नहि चललन्हि. भूकंप के केंद्र छल सिक्किम मे मुदा बिहार संग दोसर ठाम सेहो काफी

भूकंप सं हिलल पूरा उत्तर आओर पूर्वी भारत

रवि दिन सांझ सवा 6 बजे के करीब पूरा उत्तर भारत आओर देश के पूर्वोत्तर इलाका भूकंप सं हिल उठल. भूकंपक केंद्र सिक्किम के राजधानी गंगटोक सं करीब 40 किलोमीटर दूर छल जे जमीन सं करीब 10 किलोमीटर अंदर छल. शुरू मे तं अखन जानमाल के नुकसान के पता नहि चलल अछि. मुदा भूकंप काफी तगड़ा छल. एकर तीव्रता 6.8 बताएल जा रहल अछि. एहि भूकंपक झटका

मिथिलाक संजय झाजी भेलाह मालामाल

मिथिला के संजय झा अरबपति भs गेलाह. अहां के विश्वास नहि होएत मुदा ई एकदम सही अछि. मिथिलाक भागलपुर जिलाक सुल्तानगंज के संजय जी इंडियाक अरबपति क्लब मे शामिल भ गेलाह. बाबा भोलेनाथक नगरी सुल्तानगंज के संजय झा जीके करीब सवा तीन सय करोड़ रुपया

पैसा-पैसा करय छी...हिनका देखिऔं

देश के आम लोक महंगाई सं पेरशान अछि. सब्जी... दाल... तेल... अनाज... दूध... चीनी सभ लोक के बजट के गड़बड़ौने  अछि. लोक के आगां सभसं पैघ परेशानी ई अछि... कि खाउ आओर कि बचाउ ? बाल बच्चा के पढ़ाई-लिखाई...शादी-विवाह... भोज-भात के... रिश्तेदारी सं जे बचैत ओ महंगाई डायन खा जाएत अछि. एहि मे संपत्ति बनाबए के तं सवाले नहि आबैत अछि. सरकारी नौकरी वाला

बनय सं पहिनहि विवाद मे नालंदा अंतर्राष्ट्रीय विश्वविद्यालय

नालंदा अंतर्राष्ट्रीय विश्वविद्यालय के विवाद सतह पर आबि गेल अछि. कुलपति डॉ गोपा सभरवाल के ल s क उठल विवाद चरम पर अछि. खबर आबि रहल अछि जे पूर्व राष्ट्रपति डॉ एपीजे अब्दुल कलाम एकर मेंटर ग्रुप से हटि गेलाह. कलाम साहेब शुरू सं एहि विश्वविद्यालय केर स्थापना सं जुड़ल छलाह. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के संग एहि पर कई बेर गप सेहो करने छलाह. नीतीश जीक संग जतय विश्वविद्यालय बनि रहल अछि ओतय सेहो गेल छलाह. मुदा हुनका एहि सं हटला सं एहि प्रोजेक्ट के बड़का झटका लागल अछि. खबर के मुताबिक एकर विवाद के जड़ि मे

दरभंगा के संजय कौन बनेगा करोड़पति मे जीतलाह 25 लाख...

( वीडियो लास्ट मे अछि) कौन बनेगा करोड़पति मे सोमदिन 12 सितंबर के दरभंगा के संजय कुमार चौधरी जी 25 लाख रुपया जीतलाह. संजय कुमार चौधरी जी दरभंगा के खानपुर के छथिन्ह. संजय जी बड़ नीक खेललाह. संजय जी 50 लाख के सवाल पर श्योर नहिं छलाह जे जवाब सही अछि आ गलत... ताही लेल ओ खेल सं बाहर भ गेलाह. मुदा ओहि सवाल के जवाब सही छलन्हि. संजय जी रिस्क

विवाद नहि विकासक गप करु

हेलो मिथिलाक अहां सभक अपन ब्लॉग अछि. हेलो मिथिला के अहां सभ के बड़ सहयोग मिल रहल अछि. अहां सभक प्यार...स्नेह के कारण आई ई देश -दुनिया मे काफी लोकप्रिय भ गेल अछि. हेलो मिथिला अहां सभक एहन मंच अछि जतय विकासक गप होएत अछि. मिथिला...मैथिलक गप होएत अछि. हेलो मिथिला एहन दलान अछि जेहि ठाम हम सभ अपन

दिल्लीमे गूंजल मैथिली कविता

देशक राजधानी दिल्लीमे साहित्यिक , सांस्कृतिक आ सामाजिक संस्था ' मिथिलांगन " द्वारा आयोजित कवि गोष्ठीमे मैथिली कविता आ गीत खूब गूंजल। अवसर छल साहित्य अकादमी पुरस्कारसँ सम्मानित डॉ . ब्रजकिशोर वर्मा ' मणिपद्म " क जयंतीक।   आयोजन रविवार , 11 सितम्बर , 2011 केँ राजघाट स्थित सत्याग्रह मंडपमे कएल गेल।   विशाल मैथिली कवि गोष्ठीमे मैथिली भाषाक युवासँ लऽ कऽ मूर्धन्य कवि अप्पन

एकटा आर चोरि

http://koshimani.blogspot.com/ 2011/09/blog-post_11.html रंजीत का ब्लाग "दो पाटन के बीच में" का पोस्ट "पुल के पार" " सोहन जादव के ममहर (मां का गांव) भी ओही पार में था। बचहन (बचपन) में सोहना एक बेर गिया था अपन ममहर, जब ओकर नानी का नह-केस (श्राद्ध कर्म) था। लोग कहते हैं जिस साल सोहना की नानी मरी थी वोही साल कोशिकी मैया खिसक गयी थी। सब रास्ता-बाट बंद हो गिया और फेर केयो नै जान सका कि सोहना के म ामा लोग कहां पड़ा गिये। हमर कका (पिता जी) कहते थे कि जब कोशिकी नहीं आयी थी, तो ई गांव के चैर आना (25 प्रतिशत) कथा-कुटमैत उधरे था, दैरभंगा (दरभंगा)जिला में। बान्ह टाढ़ होने के बाद तो पछवरिया मुलुक (पश्चिमी इलाका) से हम लोगों के आना जाना समझिये साफे बंद था। नेपाल होके आवत-जावत तो मातवरे लोग कर सकते हैं। आब पुल बइन जायेगा, तो फेर सें टुटलका नता-रिश्ता पुनैक जायेगा।'' लगभग 70-72 साल के वृद्ध दुखमोचन मंडल जब यह सब कह रहे थे, तो उनके चेहरे पर जैसा उत्साह था और आंख में अजीब तरह की चमक थी। ऐसी चमक अब आम किसानों की आंखों से गायब हो गयी है। पहले दुखमोचन को विश्व...

मैथिली कवि गोष्ठी

साहित्यिक... सांस्कृतिक आओर सामाजिक संस्था मिथिलांगनक तरफ सं 11 सितंबर के मैथिली कवि गोष्ठी के आयोजन कएल गेल अछि. ई कवि गोष्ठी डॉ ब्रजकिशोर वर्मा मणिपद्म जयंती केर उपलक्ष्य मे कएल जा रहल अछि. कवि गोष्ठी मे डॉ ललित कुमुद... डॉ शेफालिका वर्मा... रविन्द्र नाथ ठाकुर... ब्रह्मदेव लाल दास... शारदानंद दास परिमल... रवीन्द्र लाल दास सुमन... कुमार शैलेन्द्र... मानवर्द्धन कंठ...

नियोजित शिक्षक के लेल पेंशन योजना

बिहार मे नियोजित शिक्षक के लेल अगिला साल सं पेंशन योजना शुरू होएत. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी एकर घोषणा करलखिन्ह. नीतीश जीक मुताबिक यूटीआई के संग मिल क s एहि पेंशन योजना के लागू कएल जाएत. हुनकर कहनाय छलन्हि जे नियोजित शिक्षक के

बिहारक सम्मान

शिक्षा के क्षेत्र मे बिहार के लेल एकटा नीक खबर अछि. साक्षरता के क्षेत्र मे बिहार एकटा नवका मुकाम हासिल करलक अछि. बिहार एक दशक के दौरान महिला साक्षरता आओर आम साक्षकरता दर मे सभ सं बेसि वृद्धि करय वाला राज्य बनि गेल अछि. 2001 सं ल s क 2011 तक एक दशक मे बिहार शिक्षाक क्षेत्र मे काफी आगां गेल अछि. पिछला दिन जे 2011 के जनगणना भेल छल ओकर

नर्सरी सं मुफ्त मे लिअ पौधा

बिहार मे आई-काल्हि सरकारक तरफ सं लोक के मुफ्त मे पौधा...कलम देल जा रहल अछि. अहां अपना इलाका के सरकारी नर्सरी मे जाsक पांचटा पौधा...कलम फ्री में लs सकय छी. बरसातक सीजन चलि रहल अछि. एहि मास मे गाछ-वृक्ष...कलम लगएला पर ओकरा लागय के बेसि संभावना रहैत अछि. एहि सीजन मे गाछ-वृक्ष लगएला पर ओकरा पानि के कमी नहि होएत अछि आओर ओ सुखाएत नहि अछि. अगर अहांक घरक आसपास कोनो सरकारी नर्सरी

हाई स्कूल शिक्षक पात्रता परीक्षा फार्म मिलनाय शुरू

बिहार मे एक सितंबर गुरुवार सं हाई स्कूल शिक्षक पात्रता परीक्षा फार्म मिलनाय शुरू भ गेल अछि. फार्म 9 सितंबर तक मिलत. भरल फार्म अहां 12 सं 20 सितंबर के बीच जमा क सकय छी. एक बात ध्यान राखब जे जेहि ठाम सं फार्म खरीदब ओहिठाम जमा करब. फार्म जमा करय के बाद जे रसीद

मुक्तिपर्व सामा चकेवा

दिल्लीक श्रीराम सेंटर... लागल जेना गाम मे दुर्गापूजा मे भs रहल नाटक देखि रहल छी. अंतर बस एतबा जे एहिठाम लाइट-साउंड के नीक इंतजाम रहैत अछि आओर प्रकाश झाजी सन नीक मांजल निर्देशकक डायरेक्शन रहय छनि. सामाक भूमिका मे स्वपना आओर चारुवक्त्रक भूमिका मे राधाकांत लोक दूर-दूर सं श्रीराम सेंटर में होए वाला नाटक के देखय लेल एहि लेल आबय छथिन्ह जे सभ सं भेंट मुलाकात भ जाएत. गाम-घरक...मिथिलाक लोक सं दूटा गप भ जाएत. आओर एहिठाम आबि लोक निराश नहि होए छथिन्ह. एकदम सं मिथिलाक माहौल. जानल-पहचानल चेहरा. मैथिली मे