हाई स्कूल शिक्षक पात्रता परीक्षा फार्म मिलनाय शुरू


बिहार मे एक सितंबर गुरुवार सं हाई स्कूल शिक्षक पात्रता परीक्षा फार्म मिलनाय शुरू भ गेल अछि. फार्म 9 सितंबर तक मिलत.

भरल फार्म अहां 12 सं 20 सितंबर के बीच जमा क सकय छी. एक बात ध्यान राखब जे जेहि ठाम सं फार्म खरीदब ओहिठाम जमा करब.

फार्म जमा करय के बाद जे रसीद
मिलत ओ अहांक एडमिट कार्ड के काज करत. एहि लेल ओहि रसीद के संभालि क राखब.

सरकार के तरफ सं कहल गेल अछि जे पिछला बेर कई सेंटर पर भेल हो-हंगामा के देखैत एहि बेर हर सेंटर पर पांचटा काउंटर बनाएल जाएत.

महिला... विकलांग के लेल आओर एसएस-एसएटी उम्मीदवार के लेल अलग-अलग काउंटर रहत.
पिछला दिन प्राइमरी आओर मिडिल स्कूल के लेल सेहो फार्म भरल गेल छल. ओहि मे लोक सभ काफी संख्या मे फार्म भरलखिन्ह. एतेक लोक फार्म भरलखिन्ह जे सरकार के दोबारा सं फार्म छपबाबय पड़ल.

पात्रता परीक्षा फार्म के दाम आम लोक के लेल डेढ़ सय टका राखल गेल अछि. जखन कि एसएस/ एसटी उम्मीदवार के लेल एकर दाम 75 टका रहत.

तं देर नहि करि जल्दी सं फार्म खरीद... नीक सं पढ़ि ओकरा भरि जमा करि दिअ. फार्म भरला के बाद परीक्षा के तैयारी सेहो शुरू करि दिऔ. अहां सभ के हमर शुभकामना.

Comments

Popular posts from this blog

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

हमर विआह- 8

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप