नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नीतीश कुमार आब निकलताह सेवा यात्रा पर

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एकटा आओर यात्रा पर निकलि रहल छथिन्ह. एहि बेर ओ सेवा यात्रा पर निकलताह.

मुख्यमंत्री बनलाह के बाद नीतीश जी कइटा यात्रा पर निकलि चुकल छथिन्ह.

नीतीश जी एहि सं पहिने विकास यात्रा... न्याय यात्रा... प्रवास यात्रा
आओर धन्यवाद यात्रा करि चुकल छथिन्ह.

नवका यात्राक शुरुआत पश्चिम चंपारण के बगहा सं करथिन्ह.

हुनकर ई यात्रा छठि पावनि के बाद नवंबर मे होए के उम्मीद अछि.

बिहार मे एनडीए के दोबारा सरकार बनय के बाद ई पहिल यात्रा अछि.

मुख्यमंत्री जीक कहनाय छनि जे राज्य मे पिछला दिन जे सेवा अधिकार कानून लागू भेल अछि... ओहि के लेल लोक मे जागरूकता लाबय लेल ई यात्रा करि रहल छथिन्ह.

सेवा अधिकार कानून के मुताबिक लोक के नियत समय पर सरकारी काज होएत.

राशन कार्ड... जाति प्रमाण पत्र... आवास प्रमाण पत्र आओर दोसर काज अगर अहां के तय समय पर ब्लॉक...अंचल कार्यालय...जिला कार्यालय मे नहि होएत अछि तं ओहि के लेल सरकारी बाबू पर जुर्माना लगाएल जाएत.

एहि लेल आब कोनो काज के लेल सरकारी दफ्तर बेर-बेर दौड़य के जरूरत नहि अछि. सरकारी बाबू के आगां-पाछां करय के जरूरत नहि अछि.

तय समय पर जाउ अहांक काज भेल रहत.

अगर नहि भेल अछि तं ओहि बाबू के एकर परिणाम भुगतय परतन्हि.

एहि के बारे में लोक के जागरूक करय लेल...लोक के जानकारी दबय लेल नीतीश जी लोक के बीच जा रहल छथिन्ह.

एहि सेवा यात्रा के दौरान मुख्यमंत्री हर जिला मे दू सं तीन दिन रहतिन्ह.

विपक्ष ओना एकरा पैसा के बर्बादी मानैत अछि मुदा राज्य के विकास के लेल ई नीक कदम अछि.

मुख्यमंत्री...मंत्री सभ के राज्य भर मे दौरा करला सं प्रशासन...अफसर सभ चुस्त भ जाए छथिन्ह.
अफसर सभ अपन-अपन इलाका के चमकाबय मे लागि जाए छथिन्ह.

कइटा सुविधा आबि जाएत अछि. लोक सभ मुख्यमंत्री सं मिलि कs अपन परेशानी सं हुनका अवगत कराबय छथिन्ह.

गाम-घर के लोक जे पटना मुख्यमंत्री के पास नहि जा सकय छथिन्ह.

जनता दरबार मे अपन शिकायत...फरियाद नहि कs सकय छथिन्ह हुनका लेल ई नीक मौका छनि.

अहां सभ सेहो अपन-अपन इलाका के समस्या-परेशानी के लिस्ट बनाउ. इलाका मे अहां सभ के कि-कि जरूरत अछि ओकरा तैयार करू.

मुख्यमंत्री अहांक गाम-दलान पर आबि रहल छथिन्ह. हुनका अपन परेशानी बतबिऔन्ह.

ओ अहांक समस्या सुलझाबय के पूरा कोशिश करताह. अफसर के अहांक परेशानी दूर करय के आदेश देथिन्ह.

ई राज्य के विकास के लेल... लोक के कल्याण के लेल नीक अछि.

पार्टी पॉलिटिक्स सं हटि कs एकर फायदा उठाउ.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु