नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

भूकंप सं बिहार मे 7 लोक मरलाह

रविदिन सांझ में आएल भूकंप से बिहार मे मरय वाला लोक के संख्या 7 भ गेल अछि.शुरू मे नुकसान के पता नहि लागल.

भूकंप अएला के किछ देर बादहिं सं फोन संपर्क जाम भ गेलाह के कारण लोक के असल स्थिति के पता नहि चललन्हि.

भूकंप के केंद्र छल सिक्किम मे मुदा बिहार संग दोसर ठाम सेहो काफी
नुकसान भेल अछि. सिक्किम मे तं भारी तबाही मचल अछि. भूकंप के बाद लोक के जिम्हर भेलन्हि ओम्हर भागलाह.

एहि चक्कर मे कई लोक के चोट सेहो लगलन्हि. बिहार मे एहि भागय-बचय के चक्कर कई लोक के लेल नुकसानदायक साबित भेलन्हि.

बिहार मे कइटा मकान मे दरार आबि गेल अछि...कइटा के नुकसान पहुंचल अछि.

बिहार मे सभ सं बेसि लोक दरभंगा मे मारल गेलाह. दरभंगा मे चारि लोक स्वर्गवासी भेलाह. हमर ब्लॉक केवटी के बिरानी थाना मे एकटा महिला के भूकंप अएला के बाद घबराहट मे हर्ट अटैक सं मृत्यु भ गेलन्हि.

बहादुरपुर के तरौनी गाम मे एकटा लड़का अल्लाह के प्यारा भ गेलखिन्ह. कुशेश्वरस्थान के उसरी गाम मे तं एकटा महिला हड़बड़ा कs डरे पोखर मे कूदि गेलीह. जेहि सं ओ डूबि कs मरि गेलीह.

कमतौल मे सेहो एकटा व्यक्ति के देवार सं टकरएला के कारण मृत्यु भ गेलन्हि.

एहिना नवादा...नालंदा और भागलपुर मे सेहो एक-एक लोक के मारय जाए के खबर आबि रहल अछि.
एकरे संग कई लोक घायल सेहो छथिन्ह. जेना –जेना खबर आएत तेना-तेना लोक के नुकसान के खबर मिलतन्हि.

मुख्यमंत्री नीतीश जी भूकंप से मारल गेल लोक के लेल एक लाख टका आओर घायल के लेल 50 हजार रुपया सहायता के एलान करलखिन्ह.

प्रधानमंत्री के तरफ सं सेहो 2-2 लाख मृतक के आओर एक-एक लाख घायल के देबय के घोषणा कएल गेल अछि.

बिहार मे सभसं बेसि नुकसान 15 जनवरी 1934 मे आएल भूकंप सं भेल छल. ओहि टाइम मिथिलाक 10 हजार सं बेसि लोक स्वर्गवासी भ गेल छलखिन्ह.

एकर बाद 21 अगस्त 1988 के आएल भूकंप मे बिहार आओर नेपाल मे भारी तबाही मचल छल.


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु