Skip to main content

भूकंप सं हिलल पूरा उत्तर आओर पूर्वी भारत


रवि दिन सांझ सवा 6 बजे के करीब पूरा उत्तर भारत आओर देश के पूर्वोत्तर इलाका भूकंप सं हिल उठल. भूकंपक केंद्र सिक्किम के राजधानी गंगटोक सं करीब 40 किलोमीटर दूर छल जे जमीन सं करीब 10 किलोमीटर अंदर छल.

शुरू मे तं अखन जानमाल के नुकसान के पता नहि चलल अछि. मुदा भूकंप काफी तगड़ा छल. एकर तीव्रता 6.8 बताएल जा रहल अछि. एहि भूकंपक झटका
करीब 30 सेकेंड तक महसूस कएल गेल.

एकर तीव्रता के बारे मे अहां एहि चीज सं जानि सकय छी जे भूकंप के केंद्र छल सिक्किम मे. मुदा दिल्ली-एनसीआर मे दफ्तर मे हमर सभक कुर्सी हिलल लागल.

शुरू मे तं भेल ओहिना हिल रहल अछि. मुदा बेसि हिलला पर सभ लोक अपन-अपन कुर्सी सं उठि एक दोसर सं पूछय लागलखिन्ह. सभ के तखन एहसास भेलन्हि जे ई भूकंपे अछि.

शुरू मे तं आएल जे बिहार-यूपी मे तेज भूकंप आएल अछि. तुरंत गाम फोन करलौं तं पता लागल जे झटका जोर सं छल. लोक सभ घर सं निकलि बाहर चलि अएलखिन्ह.

लोक सभ काम-धंधा छोड़ि बाहर आबि गेलखिन्ह. लोक सभ कतेक देर तक डर सं घर के अंदर नहि गेलखिन्ह.

हमर छोट भतीजी तं कानय लागल सभ के भागैत देखि. सभ लोक मे भूकंपे के चर्चा. जखन हमर फोन गेल तं हुनका सभ के पता चललन्हि जे दिल्ली तरफ सेहो भूकंप आएल छल.

ओ तं हम भूकंप अएला के तुरंत बाद गाम फोन करलौ ताही लेल फोन लागि गेल. मुदा ओहि के बाद नेटवर्क जाम भ गेल. दुनिया भर मे जेना –जेना लोक के पता चललन्हि ओ हाल-चाल लेबय लेल फोन करय लागलखिन्ह एहि से मोबाइल नेटवर्क सेहो ठप जकां भ गेल.

आब ई खबर लिखय तक फोन नहि लागि रहल अछि. बस ई मैसेज आबि रहल अछि जे संपर्क नहीं हो पा रहा है आ नेटवर्क बिजी के मैसेज आबि फोन डिसकनेक्ट भ जा रहल अछि.

भूकंप से पूर्वोत्तर भारत के सिक्किम संग असम... पश्चिम बंगाल... नेपाल... बिहार... झारखंड... उत्तर प्रदेश... दिल्ली सं लsक राजस्थान तक हिल गेल.

कहल जा रहल अछि जे सिक्किम तं भूकंप के झटका एतेक तेज छल जे बिजली कटि गेल. नुकसान के बारे मे बाद मे खबर लागत. भगवान सं मनाबिऔ जे जानमाल के नुकसान नहि भेल होए.

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...